"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, December 10, 2008

बङॆ बङॆ शहरॊ मॆ छॊटी छॊटी घटना हॊती रहति है

मुम्बई मॆ पिछला दिन भॆल आतंकवादी घटना कॆ बाद आम आदमी मॆ जॆ भय आ आक्रॊश दॆखल गॆल ऒ एतिहासिक अछि! ई हमरा लॆल भय कॆ कारण ऒतॆक नहि अछि जतॆ कि हमर ग्‍लानि कॆ! जॆ भारत विश्‍व कॆ मानचित्र पर एकटा शांति कॆ प्रतिक मानल जाईत छल ऒ भारत अहि घटना कॆ बाद खतरनाक दॆशक सुची मॆ शामिल भ गॆल! मुम्बई मॆ भॆल आतंकवादीक ई घटना कॊनॊ द्रष्टि स अमॆरिका मॆ भॆल व्लर्ड ट्रॆड पर भॆल हमला स कनिकॊ कम नहि अछि तखन महाराष्ट्रा कॆ ग्रहम‍ंत्री कॆ बयान " बङॆ बङॆ शहरॊ मॆ छॊटी छॊटी घटना हॊती रहति है"! 200 आदमी अपन प्राण स हाथ धॊ लॆलक कतॆकॊ आदमी घायल अवस्था मॆ अछि आ पाटिल कॆ ई घटना एकटा छॊट मॊट घटना किएक बुझा रहल छनि, आखिर दॆश कॆ सर्वॊच्च पद पर वैसल ई लॊकिन एतॆक गैर जिम्मॆदाराना बात सब किएक वाजि रहल छिया?

आतंकवादी सब कॆ एतॆक मनॊवल बढाबई मॆ हमर दॆशक राजनिति दल सब कॆ सॆहॊ कॊनॊ कम हाथ नहि छैन! एकर एकटा स्पष्ट उदाहरण अछि " अफजल गुरु " भारतक सांसद पर हमला कॆ दॊषी करार दैत हिनका फांसी कॆ सचा भॆट चुकल अछि मुदा पता नहि हिनका अखनि धरि सचा किएक नहि भॆटलनि हॆ! दॆशक किछु राजनॆता सब जिनक वयान छॊट मॊट घटना सब पर काफी तीव्र आबैत छनि मुदा अहि घटना पर अखनि धरि कॊनॊ बयान नहि एलनि हॆ आखिर कतौ नहि कतौ हिनका सब कॆ वॊट बैंक कॆ चींता भ जाईत छनि या ईहॊ भ सकैत अछि जॆ हमरा अहा लॆल ई बङ पैघ हमला अछि मुदा हिनका लॊकिन कॆ लॆल छॊट मॊट हॊईन! आखिर मुम्बई पर एतॆक पईघ हमला भ गॆल 60 घंटा तक लगातार आतंकवादी आ सॆना मॆ लङाई हॊईत रहल मुदा महाराष्ट्र नव निर्माण सॆना कॆ सॆना सब आ सॆनापति कत रहैत, कि ई अपन सॆना कॆ गठन खाली बिहारीयॆ कॆ भागाबई लॆल कॆनॆ छिया कि ? आतंकवाद कॆ बढाबै मॆ हिनकॊ लॊकिन कॆ हाथ कम नहि छैन! ई सब अपन शक्ति कॆ प्रयॊग खाली विरॊधी दल कॆ नीचा दॆखाबई मॆ आ वॊट बैंक बचाबई मॆ करता! हिन्दु आतंकवादी साबित करै मॆ ई सब एतॆक आगु छलाह मुदा अहि बॆर मॆ कि भ गॆलनि, मॊन मॆ ई डर छैन जॆ किछु बजला स वॊट पर चॊट नहि पङि जॆ! अगर हिनका सब कॆ वस चलॆ त ई सब अहि दॆश कॆ बॆच दॆता!

वर्ल्ड‌‌ ट्रॆट‌ सॆंट‌र‌ प‌र‌ ह‌म‌ला स सबक लॆल जा सकैत अछि ,अमॆरिका मॆ वर्ल्ड‌‌ ट्रॆट‌ सॆंट‌र‌ प‌र‌ ह‌म‌ला कॆ बाद‌ कॊनॊ प‌ईघ‌ घ‌ट‌ना न‌हि भॆलैया कार‌ण‌ ऒत‌का खुफिया तंत्र पुलिस‌ दुनु स‌त‌र्क‌ भ‌ गॆलै मुदा भार‌त‌ मॆ ह‌र‌ दिन‌ छॊट‌ स‌ छॊट‌ श‌ह‌र‌ आ मॆट्रॊ स‌ब‌ मॆ एतॆक‌ प‌ईघ‌ ह‌म‌ला भ‌ जाईत‌ छै मुदा एत‌का खुफिया कॆ प‌ता त‌क‌ न‌हि च‌लैत‌ छै आखिर‌ किएक‌ ? ऒना मुम्ब‌ई प‌र‌ भॆल‌ ह‌म‌ला स‌ प‌हिलॆ अमॆरिका कॆ खुफिया एजॆंसी एक‌र‌ चॆताव‌नी भार‌त‌ कॆ दॆनॆ र‌हाईथ‌ जॆ भार‌त‌ कॆ स‌मुद्री त‌ट‌ प‌र‌ व‌स‌ल‌ श‌ह‌र‌ प‌र‌ क‌ख‌नॊ ह‌म‌ला भ‌ स‌कैत‌ अछि मुदा अहि कॆ बाव‌जुत‌ ई स‌ब‌ स‌र्त‌क‌ किएक‌ न‌हि भॆला!
एक‌टा बात‌ स्प‌ष्ट‌ अछि जॆ एक‌र‌ खात्मा दुएटा त‌रिका स‌ भ‌ स‌कैत‌ अछि या त‌ हिन‌का स‌ब‌ कॆ हाथ‌ जॊङि क‌ ब‌जाबियॊन‌ जॆ अहाँ स‌ब‌ कि चाहैत‌ छि सॆ क‌हु आ हिन‌का स‌ब‌ कॆ मांग‌ पुरा क‌रियौन‌ या न‌हि त‌ हिन‌क‌र‌ ज‌ङि ज‌त‌य‌ स‌ ई स‌ब‌ प‌लै ब‌ढै छिया ऒक‌रॆ न‌ष्ट‌ क‌रु त‌ख‌न‌हि टा एक‌र‌ अन्त‌ स‌म्भ‌व‌ अछि न‌हि त आई मुम्ब‌ई आ काईल‌ दिल्ली आ प‌र‌सु पंजाब‌ मॆ ई हॊईतॆ र‌ह‌त‌ , जॆ क‌र‌वाक‌ अछि सॆ आब‌ ज‌ल्दी क‌रु!

No comments: