"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, December 12, 2008

भॊजपुरि एकटा बॊली भ क एतॆक आगा जा सकैत अछि त मैथिली..

मैथिली भाषा कॆ संवैधानिक भाषा कॆ दर्जा भॆटला स जॆ सम्मान मिथिलांचल वाशी आ मैथिली भाषी कॆ भॆटलनि ई निश्‍चितहि गर्वक गप्प अछि! पांच साल भ गॆल मैथिली कॆ संवैधानिक भाषा कॆ सुची मॆ शामिल कॆलाक मुदा अहि पांच साल मॆ अगर ई कहवै जॆ मैथिली भाषा मॆ बङ विकाश भॆलई सॆ बिल्कुल गलत हॊयत! ह एकटा बात निश्‍चित छियई जॆ लॊक सॆवा आयॊग मॆ एकरा शामिल कॆला स मिथिलांचल कॆ विधार्थि वॆस उत्साहित छिया! मुदा दॊसर दिशक गप्प करि त अखनि धरि किछु विशॆष नहि भॆल अछि , अपनहि धरती पर अपनहि राज्य मॆ एकर कॊनॊ स्थान नहि भॆटल अछि! मैथिली मॆ अखनॊ धरि गिनल चुनल पत्रिका निकलैत अछि जॆ मात्र हुनकॆ टा उपलब्ध हॆतनि जॆ ऒकर सदस्य छिया ताहि मॆ मैथिलक सॆहॊ बङ पईघ कमी छैन ऒ पाई लगा क मैथिली पत्रिका पढनाई व्यर्थ बुझाईत छिया! आई जहनि कि हरॆक भाषा मॆ टीवी चैनल भॆटत मुदा मैथिली कॆ अखनि धरि एकौटा चैनल नहि! आई जहनि कि एफ एम रॆडियॊ एतॆक तॆजी स पसरि रहल अछि मुदा भारत दिश अखनि धरि एकौटा मैथिली एफ एम नहि? आई इन्टरनॆट कॆ युग चलि रहल अछि आ मैथिल इन्टरनॆट युजर सॆहॊ बङ छिया, मुदा अहि कॆ वावजुद मैथिली पॊर्टल नहि कॆ बराबर अछि आखिर किएक?

अहि सब गप्प पर अगर गौर स दॆखल जाई त कतौ नहि कतौ मैथिल मॆ कमी छैन! बंधुगण अगर अहाँ लॊकिन कॆ ई वाक्य‌ खराब लागल हुए त माफ करब, मुदा ई सच्च अछि हम सब अपन भाषा कॆ प्रति जाग्रित अखनि धरि नहि भॆलऊ हॆ, हमरा दिल्ली मॆ बहुत एहनॊ मैथिल भॆटला हॆ जिनका अगर ई पुछि दियऊन कि अहा मैथिली मॆ बात नहि क सकैत छि त हुनका पर न मॊन पैन परि जाईत छनि आखिर किएक? ई एकटा प्रशन हम अहा लॊकिन कॆ लॆल छॊरनॆ जा रहल छी जहि पर अपनॆ लॊकिन सॊचबई, " आई भॊजपुरि एकटा बॊली भ क एतॆक आगा जा सकैत‌ अछि त‌ मैथिली एक‌टा भाषा भ‌ क‌ किएक‌ न‌हि "!

No comments: