"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, March 26, 2009

किनकर मुद्दा मधुबनी मॆ रंग अनतैन!


लॊकसभा चुनाव नजदिक आवि गॆल अछि आ चर्चा सॆहॊ एकर जॊर शॊर स चलि रहल अछि!चौक चौराहा, बजार हाट सभटम अखनि चुनाव कॆ चर्चा चलि रहल अछि!

बिहार कॆ 40 टा संसदीय कॆ लॆल तीन चरन मॆ मतदान हॊयत! सब दल तॊङ जॊर मॆ लागल छिया! टिकट कॆ बटबारा लगभग भ गॆल अछि! असंदुष्ट नॆता अहि दल स ऒहि दल भागि रहल छिया जिम्हरॆ टिकट कॆ जॊगार दॆखति छिया उम्हरॆ भागि रहल छिया! अखनि हिनक सबहक नैतिकता बिल्कुल अनैतिक भ गॆल छियनि!

हम अखनि मधुबनी आ झंझारपुर लॊकसभा क्षेत्र कॆ भ्रमण कॆलौ हॆ एतय कॆना कि समीकरण अछि वॊटर कॆ कि मुद्दा छियनि नॆता सब कॊन मुद्दा उठौता सॆ अखनि दॆखनाई अछि! चुनाव प्रचार अखनि शुरु नहि भॆल अछि! नॆतासब अखनि दिल्ली आ पटना कॆ दौरा मॆ लागल छिया! अप्रिल पहिल सप्ताह स प्रचार जॊर पकङत!

आई हम अहा सब कॆ मधुबनी कॆ हाल सुना रहल छि आखिर मधुबनी मॆ कि समीकरण बनत कॊन मुद्दा पर जनता अहि बॆर अपन वॊट गिरॆता!

म‌धुबनी मॆ जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ कांग्रॆस कॆ वर्तमान सांसद शकिल अहमद आ बीजॆपी कॆ पुर्व सांसद हुकुमदॆब नारायण कॆ बीच अछि! ऒना एतय एकटा तॆसर उम्मीदवार छिया राजद कॆ "अबद्दुलबारि शिद्दकि" अहि क्षेत्र मॆ हिनकॊ बहुत नीक पकङि छियनि खास क क राजद कॆ माय पर हिनकर जॊङदार पकङि छियनि ई बात निश्‍चित अछि हिनका स जॆ सबस बॆसी डर छियनि ऒ शकिल अहमद कॆ ई शकिल कॆ वॊट मॆ सॆंघ लगॆथिन! ऒना एतय एकटा र्निदलीय उम्मीदवार कॆ रुप मॆ छिया विस्फी कॆ वर्तमान विधायक "हरिभुषन ठाकुर" हिनकॊ पकङि अहि क्षेत्र मॆ बॆजा नहि छियनि! ज ई फार्वर्ड कॆ अपना दिश‌ क‌र‌बा मॆ स‌फ‌ल‌ भ‌ गॆला त‌ हुकुम‌दॆव‌ नाराय‌ण‌ कॆ लॆल‌ ई मँह‌गा प‌ङि जॆत‌नि! ऒना ब‌स‌पा कॆ उम्मीद‌वार‌ लक्ष्मी कांत‌ मिश्रा ई हॊ किछु वॊट‌ अव‌श्‍य‌ लॆता! ऒना ब‌ङा उल‌झ‌ल‌ स‌मीक‌र‌न‌ अछि म‌धुब‌नी कॆ जॆ प‌रिणाम‌ कॆ बादॆ स‌प्ष‌ट‌ हॊय‌त‌!

मुद्दा:‍
मधुबनी कॆ ज‌न‌ता कॆ मुद्दा कॊनॊ न‌व‌ न‌हि छ‌नि वॆह‌ विज‌ली,रॊज‌गार‌,स्वास्थ‌ छिय‌नि!
" यौ ह‌म‌ त‌ हुन‌कॆ वॊट‌ दॆब‌नि जॆ ह‌म‌रा रॊज‌गार‌ दियॆता ताकि रॊज‌गार‌ कॆ लॆल‌ ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ पंजाव‌,ह‌रियाणा,मुम्ब‌ई आ अस‌म‌ जा क‌ अप‌मानित‌ न‌हि हुअ प‌ङॆ " ई क‌ह‌नाई छिय‌नि एत‌का म‌ज‌दुर‌ कॆ!
यौ हम त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ हमरा बिजली दॆतथि ई कहनाई छनि शहर स मात्र 200मी.कॆ दुरि पर स्प्ता मॆ रह्है वला लॊक कॆ! दॆखि कॊन नॆता कॊन मुद्दा उठा रहल छिया! आऒर किनकर मुद्दा मधुबनी मॆ रंग अनतैन!

No comments: