"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, August 13, 2013

विश्वक सभसँ दोसर लोकप्रिय गीत "वन्देमातरम"


राष्ट्रगीत वन्देमातरमक शताब्दी बरखमे भलहि एकरा लऽ कऽ राजनीतिक विवाद आ आरोप-प्रत्यारोपक क्रम पसरल हो, मुदा ई मधुर गीत विश्वक दोसर सभसँ लोकप्रिय गीतमे सम्मिलित भऽ चुकल अछि। बीबीसी विश्वक दस गोट शीर्ष लोकप्रिय गीतक सम्बन्धमे 155 देशक इण्टरनेटपर एकटा सर्वे करौलक, जाहिमे लाखो लोक अपन विचार देलनि। एकर परिणामक मोताबिक ‘वन्दे मातरम्’ केँ दुनिञाक दोसर सभसँ लोकप्रिय गीत कहल गेल। पहिल नम्बरपर आयरलैंडक राष्ट्रगीत ‘ए नेशन वन्स अगेन ' रहल। बात बेसी पुरान नञि अछि। ई सर्वे बीबीसी अपन 70म वर्षगांठपर 2002 मे करौने छल आ एकर परिणामक घोेषणा 21 दिसम्बर 2002केँ कएल गेल। ओना जे बात बीबीसी एकर लोकप्रियताक बारेमे इण्टरनेटक माध्यमसँ साबित केलक, तकर भविष्यवाणी एहि अमर गीतक रचियता बंकिमचन्द चटर्जी सय बरख पहिने कऽ देने छला। एहि गीतक दुरूह संस्कृत आ बांगला शब्दकेँ लऽ कऽ जखन हुनक मित्र आ हुनक बेटी तक आलोचना केलनि तखन ओ कहने छला-हम शायत एकर लोकप्रियता देखबाक लेल जीवित रही वा नञि रही, मुदा ई बात निश्चय जे प्रत्येक भारतवासी एकरा वेद मंत्र जकाँ गाओल करता। सात सितम्बरकेँ ‘वन्दे मातरम’ देशभरिक शिक्षण संस्थामे गाओल जायत, जकरा लऽ कऽ राजनीतिक खिच्चातानी सेहो शुरू भऽ गेल अछि। मुदा सियासी पैमानासँ हटि कऽ देखब तँ  1875 मे एहि गीतक रचनाक बादेसँ एकर प्रसिद्धि भेल। कविवर रवीन्द्रनाथ ठाकुरसँ लऽ आजुक समयक एआर रहमान तक असंख्य गायक आ संंंगीतज्ञ वंदे मातरम अपन-अपन अन्दाजमे गाबि अपन नाम गौरवान्वित केलनि। कोलकाताक समीप एकटा छोट सन गाम नैहाटीमे बंकिम नवमीक दिन 7 नवम्बर 1875केँ एकहि बैसकमे एहि अमर गीतक रचना कएने  छला। बादमे ई गीत बंकिमक प्रसिद्ध उपन्यास ‘आनन्द मठ’ मे स्थान पाबि गेल। एकर प्रकाशन विभिन्न कड़ीमे बंगदर्शन पत्रिकामे 1880 सँ 1882 केर बीच भेल। भारतीय राष्ट्रीय काँग्रेसक 1896क अधिवेशनमे ‘वन्दे मातरम’ गुरुदेव रवीन्द्र नाथ ठाकुर गओने छला।  अंग्रेजक विरोध वन्दे मातरमक नाराक असरि केर कहानी भिन्न अछि,मुदा लोकप्रियताक रूपमे देखी तँ ई गीत फिल्म आ संगीतज्ञ घरानामे बहुत तेजीसँ प्रवेश कऽ गेल। संत तुकाराम आश्रममे प्रसिद्ध भजन गायक विष्णुपत पगणिस 1928मे राग सारंगमे वंदे मातरमकेँ गगनभेदी आवाजमे  गाबि कऽ एकटा रेकर्ड तैयार करौलनि आ एकर बाद1935मे प्रसिद्ध लोक गायक केशवराव भोले राग देशकरमे एहि गीतकेँ  गाबि एकरा भारतीय जनताक सभसँ पसिन प्रार्थना बना देल। संगीतज्ञ उस्ताद कृ ष्णराव एकर राग कफी तथा राग झिंझोटीमे रचना कएल। आजादीक बाद फिल्म ‘अमर आशा’ मे वन्दे  मातरम गाओल गेल, मुदाएहि फिल्मक रेकार्ड नञि कराओल गेल छल आ ओ फिल्म सहो उपलब्ध नञि अछि । फेर बंगला फिल्म आन्दोलनक लेल मन्ना डे , पारूल घोष,सुधा मल्होत्रा आ शैलेश कुमार सेहो वन्दे मातरमकेँ आवाज देलनि। अगिला बरख 1952मे जखन आनन्द मठ फिल्म बनल तँ ओहिमे वन्दे मातरम  रहबाके छल। प्रसिद्ध गायक हेमन्त कुमार ‘महाबिप्लवी अरविन्दो’ फिल्ममे आरतीक शैलीमे गौलनि, जकर लय आइयो लोक गुनगुनाइत अछि । फिल्म ‘लीडर'मे दिलीप कुमारपर ई गीत फिल्माओल गेल आ 1997मे श्याम बेनेगलक फिल्म ‘मेकिंग आफ महात्मा' मे उषा उथुप वन्दे मातरम गाओल। फिल्ममे वन्दे मातरम गीतक गूंज  हेबाक सिलसिला अन्तहीन अछि आ आजुक पीढ़ी तँ एआर रहमानकेँ मुख्य रूपसँ एहि लेल पसिन करैत अछि जे ओ माँ तुझे सलाम कहि वन्दे मातरमकेँ आधुनिक
संगीतमे बान्हल।

No comments: