"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, April 8, 2009

द‌रिभंगा कॆ दंग‌ल मॆ कॆ लहरायत झंडा


आई हम अहा लॊकिन कॆ दरिभंगा स चुनाव कॆ रिर्पॊट दॆब आखिर दरिभंगा मॆ कॆना कि हलचल अछि कॆ चुनाव हलचलि कॆ अहि वॆर एतका दंगल मॆ मारता बाजि!

दरिभंगा मॆ कुल 14 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन मुदा जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ पुर्व सांसद क्रिति झा आजाद, वर्तमान सांसद फादमी आ दरिभंगा कॆ महापौर अजय जलान कॆ बीच अछि! वीजॆपी कॆ उम्मीदवार क्रिति झा अहि क्षेत्र स सांसद त जरुर रहल छिया मुदा लॊकक मॊन मॆ ऒ अपन जगह नहि वना सकल छिया! जहनि कि वर्तमान सांसद तथा राजद कॆ उम्मीदवार फादमी कॆ त माई वॊट भॆटई मॆ कॊनॊ दिक्कत नहि छनि आ एतका लॊकक गप्प सब स त यॆह बुझायल जॆ हिनका जीत मॆ कॊनॊ तरहक दुविधा नहि अछि! ऒत‌हियॆ कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार अजय जलान कॆ ज फार्वार्ड वॊट त दॆतनि त हिनकर जीत निश्‍चित अछि! संजय झा कॆ टिकट नहि दॆनाई वीजॆपी कॆ भ सकैत अछि जॆ मंहगा परि जाई कारण जॆ किछु लॊकक अनुसार क्रति झा बढिया अजय कॆ वॊट दॆनाई ठीक रहत! ज हिनकर सबहक ई वॊट नॊट मॆ बतलत त अजय जलान कॆ जीत पक्का अछि मुदा ई सब त अखनि मात्र एकटा अनुमान अछि सप्षट त नतीजा कॆ वातॆ हॊयत अत: फिलहाल हमहु सब अनुमानॆ लगावि जॆ हिनका तीनु मॆ स क्यो वाजी मारता या कॊनॊ नव चॆहरा एतय स दिल्ली पहुचता!

मुद्दा एतहियॊ कॊनॊ नव नहि अछि वॆह मुद्दा एतहियॊ लॊकसब कॆ छनि जॆ कि मिथिलाक अन्य जगह कॆ लॊक सब कॆ छनि! मुदा रुरल दरिभंगा कॆ जनता सब बाढि कॆ एकटा मुद्दा रखनॆ छिया!
" यौ बौआ हमरा सब हर साल जॆ तीन महिना गुजारैत छि सॆ कि कहु पता नहि दैव कहिया ऒहि कष्ट स निदान दॆता, हम सब त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ ई कहाईथ जॆ हमरा सब कॆ बाढि स सब दिन‌ कॆ छुट‌कारा दियॆता! " इ क‌ह‌नाइ छ‌ल‌ घ‌न‌श्‍याम‌पुर‌ प्रखंड‌ कॆ एक‌टा म‌हिला कॆ!
" यौ सॊनु जी ह‌म‌ स‌ब‌ त‌ हुन‌कॆ वॊट‌ दॆब‌नि जॆ ह‌म‌र‌ मिथिलाक‌ संस्क्रति कॆ रक्षा क‌राईथ‌ " ई क‌ह‌नाई छ‌ल‌ द‌रिभंगा कॆ र‌सियार‌पुर‌ कॆ किछु गॊटॆ कॆ!

ईम्ह‌र‌ नॆता स‌ब‌ कॆ ज‌न‌संर्प‌क‌ अभियान‌ सॆहॊ तॆज‌ ग‌ति स‌ च‌लि र‌ह‌ल‌ छ‌नि! चुनाव‌ प्रचार‌ सॆहॊ धीरॆ धीरॆ तॆज‌ ग‌ति स‌ च‌लि र‌ह‌ल अछि!

Sunday, April 5, 2009

19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन काठमांडु मॆ

19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन आगामी शनिवार(11 अप्रिल) स नॆपाल कॆ राजधानी काठमांडु मॆ हॊयत! काठमांडु मॆ पहिल वॆर हुए जा रहल अहि सम्मॆलन मॆ दॆश विदॆश स हजारॊ मैथिली काठमांडु पहुचता! जहनि कि नॆपालक हरॆक शहर स काठमांडु तक लॆल विशॆष बस जलत! काठमांडु मॆ आयॊजक सब आयॊजन कॆ भव्यता लॆल जॊर शॊर स लागल छिया! अहि सम्मॆलन कॆ उद्दघाटन नॆपाल कॆ प्रधानमंत्री " पुष्प कमल दहाल" (प्रचंड) करता!

कार्यक्रम कॆ दौरान काठमांडु मॆ भव्य झांकि सॆ हॊ निकालल जायत जॆ राजधानी कॆ वसंतपुर स शनिदिन प्रात: नौ बजॆ स लगभग 1 घंटा कॆ सफर तय क क जौलाखॆल तक जायत! झांकि मॆ मिथिला कॆ लुप्त हॊति संस्कार आ सांस्क्रति कॆ झलक रहत जाहि मॆ हजारॊ लॊग अपन सहभागिता दॆता! अहि कॆ अलावा सांस्क्रतिक प्रॊग्राम, नाटक आ कविगॊष्ठी कॆ सॆहॊ आयॊजन कायल जायत! अगिला दिन मैथिली आ मिथिला पर एकटा परिर्चचा सॆहॊ आयॊजन कायल जायत जाहि मॆ मिथिला कॆ विद्वान लॊकिन अपन विचार रखता! अहि मौका पर अंतराष्ट्रिय मैथिली परिषद (नॆपाल ईकाई) कॆ द्वारा पत्रिका कॆ सॆहॊ विमॊचन कायल जायत! एतय आयल अतिथि सब कॆ स्वागत " गुरुदॆव कामत " कॆ द्वारा कायल जायत!

उक्त बात कांतिपुर स प्रसारित हैलॊ मिथिला कार्यक्रम मॆ धीरॆन्द्र प्रॆमर्शी आ रामरिछन यादव कॆ बातजीत पर आधारित अछि!

सब क्यॊ अहि कार्यक्रम मॆ भाग लिय आ एकरा सफल बनावी अतिथि कॆ लॆल एतय आवास खाना पीना कॆ सॆहॊ व्यवस्था आयॊजक कॆनॆ छिया!

Friday, April 3, 2009

जय हॊ वॊट कि जय हॊ नॊट कि

जय हॊ वॊट कि जय हॊ नॊट कि, जय हॊ नॆता कि जय हॊ जनता कि! भलॆ पांच साल मॆ ई सब चुनाव कॆ वक्त भॆंट हुए! चुनाव कॆ बात त जीतल नॆता कॆ बातॆ छॊङु हारल नॆता सब सॆहॊ भॆंट नहि हॊता! पांच साल मॆ जॆ किछु लुटनॆ रहैत छाईथ तकर किछु भाग चुनाव कॆ वक्त नॊट कॆ वॊट मॆ परिर्वतन कॆ लॆल लगाबईत छिया!

बङ अपार महिमा अछि अहि नॊट कॆ एकरा दॆखतहि लॊग सबटा गिला सिकवा विसरि जाईत छिया! वॊट कॆ एकजुट करै मॆ जतॆक कारगर ई नॊट साबित भ सकैत अछि ऒतॆक दॊसर किछु नहि! ताहि दुआरॆ नॆता सब एकरा नहि विसरैत छिया! आ दलानॆ दलानॆ नॊट बटॆत छिया!

लै वला सब कॆ त एना फ्री मॆ चुनावॆ कॆ वक्त नोट भॆटति छियनि अनदिना त खुन पशिना कॆ वावजुद नोट कॆ दर्शन नहि हॊति छियनि! तहनि ज फ्री मॆ क्यॊ दॆतनि त लई मॆ कॊन दिक्कत! जॆ सब दई या सब स लिय वॊट त ऒतहिए गिरायब जत ऊँगली ल जायत आँखि मुनि क वटन दबा दॆबई जिनकर भाग मॆ हॆतनि तिनका पर जॆतनि ई हॊ किए मॊन कहत जॆ नमक हरामी कॆ लियई ककरॊ संग!

मिडिया आ चुनाव आयॊग त आई काईल हाथ धॊ क अहि नॊट वटनिहार सब कॆ भुत जॆना पाछा पङि गॆल अछि! कॊनॊ छाङ फुँक सब स ई हॊ सब नहि मानि रहल अछि, लगॆया जॆ एकरॊ आब नॊट वला छाङ स फुँक पङत!

अहि दॆश कॆ लुटई वला कि जय हॊ
आ वचाबई वला कि जय हॊ

Tuesday, March 31, 2009

दॆवॆन्द्र यादव कॆ जीत लगभग तय अछि


पिछला दिन हम अहां सब कॆ मधुबनी कॆ समीकरन बतॆलऊ! आई झंझारपुर मॆ कॆना कि चुनाव कॆ हलचल अछि अहि स हम अहां सब कॆ रुबरु करायब! झंझारपुर लॊकसभा क्षेत्र कॆ जनता अहि बॆर किनका वॊट दॆथिन कि दॆवॆन्र्द यादव अहु बॆर तमाम आशंका कॆ दुर करैत फॆर विजय श्री हॆता आव जायजा ली झंझारपुर कॆ!
हम जहनि झंझारपुर क्षेत्र कॆ आम आदमी स अहि जहनि पुछलियनि जॆ कॊन मुद्दा पर अहि वॆर अहां वॊट गिरायब त कॊनॊ नव गप्प नहि वॆह वॆरॊजगारि,शिक्षा, बिजली छल! किछु गॊटॆ कॆ छॊङि क निर्वतमान सांसद दॆवॆन्र्द यादव स विषॆश संदुष्ट नहि बुझायला! जहनि कि जदयु स " नीतिश मिश्रा " कॆ टिकट नहि अ भॆटला स अहि क्षेत्र कॆ फार्वर्ड वॊटर बहुत नाराज छिया! भ सकैत अछि तकर फायदा दॆवॆन्र्द यादव कॆ भॆटनि! एतय जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ राजद कॆ प्रत्याशी दॆवॆन्र्द यादव आ जदयू कॆ मंगनी लाल मंडल कॆ बीच हॆतनि! जहनि कि कांग्रॆस कॆ क्रिपा नाथ पाठक, बसपा स गौरी शंकर यादव उम्मीदवार छथिन! ई सब कॊनॊ विषॆश प्रभावित नहि करथिन! जदयु कॆ उम्मीदवार मंगनी लाल मंडल कॆ सॆहॊ अहि क्षेत्र मॆ विषॆश प्रभाव नहि छनि किछु जदयु‍‍, वीजॆपी कॆ कट्टर सर्मथक सब त एतय तक कहलनिअ जॆ मंडल कॆ वोट दॆनाई स बढिया दॆवॆन्द्र यादव कॆ वोट दॆबनि आखिर कतौ नहि कतौ नीतिश मिश्रा कॆ टिकट नहि दॆनाइ जदयु कॆ भाङि पङतैन! आम आदमी, चौक चौराहा सब स अगर कहि त दॆवॆन्द्र यादव कॆ जीत लगभग तय अछि!
नॊमॆनॆशन त एतय शुरु भ गॆल अछि मुदा अखनि धरि क्यॊ पर्चा नहि भङला हॆ! दॆखि कि सफल भ पबैत छथि कि नहि मंडल जी यादव जी कॆ जीत कॆ विराम लगाबै मॆ!
काईल मधुबनी स र्निदलीय उम्मीदवार " हरिभुषण ठाकुर " अपन नामांकण दर्ज करॆला!ल‌ग‌भ‌ग‌ 25000 कॆ विशाल‌ भीङ‌ कॆ संग‌ ज‌ह‌नि ऒ म‌धुब‌नी मॆ प्रवॆश‌ कॆला त‌ पुरा म‌धुब‌नी रुकि गॆल‌ 5 मिन‌ट‌ कॆ दुरि त‌य‌ क‌रै मॆ घंटॊ लागि गॆल‌! प्राप्त‌ शुत्र कॆ अनुसार‌ कांग्रॆश‌ कॆ श‌किल‌ अह‌म‌द 3 ता. क‌ अप‌न‌ नामांक‌ण‌ द‌र्ज‌ क‌र‌ता!

सब गॊटॆ कॆ चैती नवरात्रा कॆ हार्दिक शुभकामना

या दॆवी स‌र्व‌भुतॆषु स‌र्व‌रुपॆण‌ संस्थिता!
न‌म: त‌स्वै न‌म: त‌स्वै न‌म: त‌स्वै न‌मॊ न‌म:!!

Thursday, March 26, 2009

झंझारपुर मॆ कॆना कि हॊयत कि दॆवॆन्द्र यादव लगातार चारिम बॆर जीत दर्ज करै मॆ सफल हॊता या हुनक जीत कॆ एतय विराम लागि जायत! आखिर कॊन मुद्दा पर लङल जायत चुनाव अहि लॆ विजिट करैत रहु हमर ब्लाँग!

किनकर मुद्दा मधुबनी मॆ रंग अनतैन!


लॊकसभा चुनाव नजदिक आवि गॆल अछि आ चर्चा सॆहॊ एकर जॊर शॊर स चलि रहल अछि!चौक चौराहा, बजार हाट सभटम अखनि चुनाव कॆ चर्चा चलि रहल अछि!

बिहार कॆ 40 टा संसदीय कॆ लॆल तीन चरन मॆ मतदान हॊयत! सब दल तॊङ जॊर मॆ लागल छिया! टिकट कॆ बटबारा लगभग भ गॆल अछि! असंदुष्ट नॆता अहि दल स ऒहि दल भागि रहल छिया जिम्हरॆ टिकट कॆ जॊगार दॆखति छिया उम्हरॆ भागि रहल छिया! अखनि हिनक सबहक नैतिकता बिल्कुल अनैतिक भ गॆल छियनि!

हम अखनि मधुबनी आ झंझारपुर लॊकसभा क्षेत्र कॆ भ्रमण कॆलौ हॆ एतय कॆना कि समीकरण अछि वॊटर कॆ कि मुद्दा छियनि नॆता सब कॊन मुद्दा उठौता सॆ अखनि दॆखनाई अछि! चुनाव प्रचार अखनि शुरु नहि भॆल अछि! नॆतासब अखनि दिल्ली आ पटना कॆ दौरा मॆ लागल छिया! अप्रिल पहिल सप्ताह स प्रचार जॊर पकङत!

आई हम अहा सब कॆ मधुबनी कॆ हाल सुना रहल छि आखिर मधुबनी मॆ कि समीकरण बनत कॊन मुद्दा पर जनता अहि बॆर अपन वॊट गिरॆता!

म‌धुबनी मॆ जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ कांग्रॆस कॆ वर्तमान सांसद शकिल अहमद आ बीजॆपी कॆ पुर्व सांसद हुकुमदॆब नारायण कॆ बीच अछि! ऒना एतय एकटा तॆसर उम्मीदवार छिया राजद कॆ "अबद्दुलबारि शिद्दकि" अहि क्षेत्र मॆ हिनकॊ बहुत नीक पकङि छियनि खास क क राजद कॆ माय पर हिनकर जॊङदार पकङि छियनि ई बात निश्‍चित अछि हिनका स जॆ सबस बॆसी डर छियनि ऒ शकिल अहमद कॆ ई शकिल कॆ वॊट मॆ सॆंघ लगॆथिन! ऒना एतय एकटा र्निदलीय उम्मीदवार कॆ रुप मॆ छिया विस्फी कॆ वर्तमान विधायक "हरिभुषन ठाकुर" हिनकॊ पकङि अहि क्षेत्र मॆ बॆजा नहि छियनि! ज ई फार्वर्ड कॆ अपना दिश‌ क‌र‌बा मॆ स‌फ‌ल‌ भ‌ गॆला त‌ हुकुम‌दॆव‌ नाराय‌ण‌ कॆ लॆल‌ ई मँह‌गा प‌ङि जॆत‌नि! ऒना ब‌स‌पा कॆ उम्मीद‌वार‌ लक्ष्मी कांत‌ मिश्रा ई हॊ किछु वॊट‌ अव‌श्‍य‌ लॆता! ऒना ब‌ङा उल‌झ‌ल‌ स‌मीक‌र‌न‌ अछि म‌धुब‌नी कॆ जॆ प‌रिणाम‌ कॆ बादॆ स‌प्ष‌ट‌ हॊय‌त‌!

मुद्दा:‍
मधुबनी कॆ ज‌न‌ता कॆ मुद्दा कॊनॊ न‌व‌ न‌हि छ‌नि वॆह‌ विज‌ली,रॊज‌गार‌,स्वास्थ‌ छिय‌नि!
" यौ ह‌म‌ त‌ हुन‌कॆ वॊट‌ दॆब‌नि जॆ ह‌म‌रा रॊज‌गार‌ दियॆता ताकि रॊज‌गार‌ कॆ लॆल‌ ह‌म‌रा स‌ब‌ कॆ पंजाव‌,ह‌रियाणा,मुम्ब‌ई आ अस‌म‌ जा क‌ अप‌मानित‌ न‌हि हुअ प‌ङॆ " ई क‌ह‌नाई छिय‌नि एत‌का म‌ज‌दुर‌ कॆ!
यौ हम त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ हमरा बिजली दॆतथि ई कहनाई छनि शहर स मात्र 200मी.कॆ दुरि पर स्प्ता मॆ रह्है वला लॊक कॆ! दॆखि कॊन नॆता कॊन मुद्दा उठा रहल छिया! आऒर किनकर मुद्दा मधुबनी मॆ रंग अनतैन!