"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, July 4, 2013

पद्मश्री महासुंदरी देवी केर निधन

मधुबनी 04 जुलाई (वार्ता) बिहारक मधुबनी पेटिंग केर देश विदेश मे लोकप्रिय बनावई वाली पद्मश्री महासुंदरी देवीक हुनक पैतृक गांव मे आई निधन भ गेलैनी . ओ 92 वर्षक छली. महासुंदरी देवीक पारिवारक सूत्र केर अनुसार ओ पिछला किछ महिना सँ बीमार चल रहल छलथि आ आई भोर साढ़े नौ बजे हुनक निधन भ गेलैनी. हुनक अंतिम संस्कार कालि कायल जायत. महासुंदरी देवी अपन अंतिम दिन मे मधुबनी जिला केर  राजनगर थाना क्षेत्र  स्थित अपन पैतृक गांव रांटी में रही रहल छलथि। हुनका पद्मश्रीक अलावा शिल्प गुरु, तुलसी सम्मान आ  राष्ट्रीय..राजकीय पुरस्कार समेत अनेको सम्मान भेटल छल। हुनका द्वारा निर्मित मिथिला पेटिंगक मांग देशक अलावा विदेश मे सेहो खूब छल। मिथिला पेटिंगक सिलसिला मे सुंदरी देवी अनेको देशक दौरा सेहो कय चुकल छलथि।

No comments: