"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, December 29, 2012

नवपल्लव अपन पहिल वार्षिक महोत्सव नवश्रुति मनेलक


नवपल्लव आई अपन प्रथम वार्षिक महोत्सव “नवश्रुति” दिल्ली के गाँधी शांति प्रतिष्ठान में मनेलक. अहि अवसर पर नवपल्लव “आयाची छात्रविती योजना” के सेहो शुरुवात केलक. दिल्ली एनसीआर के विभिन्न सरकारी स्कूल के बच्चा सबक बीच लेख प्रतियोगिता करायल गेल. आ दूटा सर्वश्रेष्ट छात्र के नवपल्लव के आयाची छात्रविती योजना के तहत एकसाल तक ५०० रुपया मासिक प्रदान कायल जायत. तीन सत्र के अहि कार्यक्रमक पहिल सत्र विभिन्न स्कुलक छात्रक आलेख प्रतियोगिता स भेल जकर अध्यक्षता नवपल्लव के वरिष्ट सदस्य श्री अनिल झा आ मंच सञ्चालन श्री कृषन कुमार झा केलैनी.
दोसर चरणक कार्यक्रमक शरूवात दीप प्रज्ज्वलित कय क कायल गेल. उक्त अवसर पर मंचक अध्यक्षता बाबा कानपुरी जी केलैनी. नवपल्लव के उपाध्यक्ष श्री गोपाल जी गोपाल नवपल्लव के उद्देश्य के बारे में संक्षिप्त परिचय देलखिन. आ अन्य गणमान्य अतिथि में वरिष्ट साहित्यकार श्री गंजेश गुंजन, मैथिली के महान नाटककार श्री महेंनद्र मलंगिया, श्री मिथलेश सिंह, सुप्रीम कोर्ट वार एशोसिअसन के पूर्व सचिव श्री अशोक अरोरा, एम के प्रसाद, श्री संजय झा आदि वक्ता अपन विचार रखलैनी. आ अहि सत्रक मंच सञ्चालन श्री सत्येन्द्र जी केलैनी. सब अतिथि सब के नवपल्लव के दिश स स्मृति चिन्ह सेहो प्रदान कायल गेल.
आ तेसर चरणक सांस्कृतिक कार्यक्रमक शरूवात श्री आशुतोष जी विद्यापति गीत मोरा रे अंगनवा चानन केर गछिया स केलैनी त श्री सुनील झा पवन अपन मैथिली ग़ज़ल स दर्शक के मंत्र मुग्ध कय देलखिन. आ नवोदिता के सुन्दर नृत्य के दर्शक खूब सराहलखिन.
श्री गंजेश गुंजन जी लेख प्रतियोगिता में चुनल गेल दू टा छात्र के स्मृति चिन्ह प्रदान केलखिन. आ अन्य प्रतिभागी सब के सेहो नवपल्लव के सदस्य सब स्मृति चिन्ह भेट केलखिन.
कार्यक्रम में उपस्थित अन्य गणमान्य व्यक्ति में श्री वसंत सिंह , श्री कुंदन कुमार झा , भवेश नंदन , नीरज पाठक , श्री दीनबंधु जी , श्री अमिताभ भूषण , श्री जयराम विपल्लव, रचना आदि उपस्थित छलैथ. 

No comments: