"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, May 23, 2012

मिथिलाप्रांतक निर्माण आ ओकर उत्थानक लेल जीवनपर्यन्त संघर्षशील डॉक्टर लक्ष्मण झा

महात्मा गाँधी क सिद्धायंतक अनुगामी, स्वतंत्रता -संग्रामक योध्दा , राष्ट्रभारतीक प्रति अपार स्नेहशील , मातृभाषा मैथिलीक अनन्य उपासक , मिथिलाप्रांतक निर्माण आ ओकर उत्थानक  लेल जीवनपर्यन्त संघर्षशील डॉक्टर लक्ष्मण झा ( ५ सितम्बर १९१६) एक प्रखर उच्च्कोटिक विद्वान् छला.  मैथिलीक अतिरिक्त हुनका अंग्रेजी , हिन्ढी, संस्कृत भाषा में सामान रूपसँ अधिकार छलनी. १९४९ में " मिथिला एंड मगध  " विषय पर लन्दन विश्वविद्यालयसँ P.H.D क उपाधि प्राप्त क कैम्ब्रिज आ ऑक्सफोर्ड   विश्वविद्यालयमें अध्यापन कार्यक लेल निमंत्रणकें छोड़ी ओ दशक सेवा करबाक हेतु वापस अयलाह.  किछु दिनक बाद बिहार सरकारक पटना स्थित कशी प्रसाद जयशवाल स्गिद्ग संस्थानमे उपनिदेशक पद पर कार्य केलैनी. १९५२ में सोशलिस्ट पार्टिक टिकेट पर लोगसभाक चुनावमे उम्मीदवार बनला.
१९५०-५१ सँ लय जीवनक अंतिम समय धरी डॉक्टर लक्षमण झा सारस्वत साधना में निरंतर लागल रहला. हुनक मिथिला आ मैथिलीक संबंध में १५ गोट पोथी मैथिली, अंग्रेजी आ हिन्ढी में प्रकाशित छनि. एकर अतिरिक्त अंग्रेजी में ११ , मैथिली में ४ आ हिन्ढी में १ टा प्रकाशित ग्रन्थ अछि. १९७७-७८ तक इ L.N.M.U के कुलपतिक पदकें गौरवान्वित कयलनी.
अपन मातृभूमि मिथिला ओ मातृभाषा मैथिलीक उत्थानक लेल जीवनभरि कार्य  आ चिंतनमें लागल मिथिलाक बिभूति डॉक्टर लक्ष्मण झा अपना गाम रसियारी में २३ जनवरी २००० क अपन अनंत यात्रा पर विदा भ गेला. 

4 comments:

Dr. Dhanakar Thakur said...

हमरा जनैत मिथिला बिभूति डॉ. लक्ष्मण झा १९५४-५५ क बाद कोनो काज मिथिला राज्य निर्माण लेल नहीं केलन्ही भनही ई हुनक मोनमे रहल हो
रसियारिमे २७-२८.१०. १९९५क हमर भेल एकमात्र भेंट (जाहिमे अशोक अबिचल आ अजित कुमार आजाद हमरा संग छलथि) एही विषयक अनेक प्रश्नक सटीक uttar नहीं देलाह (जे की रांची एक्सप्रेस में प्रकाशित अछि)
एही बात क आकलन ईमंदारीस करक चाही जे हुनक मांग में की गलती छलनी जे हुनका सन विद्वान् के जनता संग नहीं देल्कैन्ही

Pravin Choudhary said...

Maithili Janata ta kewal jaativaaditaa ke shikaar rahal achhi aa Bihar ke sang kendra ke shasan ke adhin apan vote ke almost bechait aayal achhi. Maithil nettritwakartaa seho Bihar aa Kendra lel laranihaar bani sirf dalaali karait aayal chhathi - ehi me ek exception veer putra Lalit Babu chhalaah jinkaa me Mithila Nirmaan ke utsaah aa himmat dunu chhalanhi... lekin antatah hunko o dalaal pravrutti neta bomb sa uraa ke Mithila ke nirmaan par sada lel grahan laga delak

Dr. Laxman Jha vaastavik Hero chhalaah - har prakaar ke sadgunn rahalani - lekin sant vichaardhaaraa ke bhelaa ke kaaran o manav jeevan ke swachh banaabay lel besi kaarya kayalaah nahi ki Mithila rajya lel kono tarahak sakriya raajneeti kay sakalaah. Ek asal socialist hoybaa ke kaaran tyaagi chhalaah aa raajneeti ke jakhan kewal veshyavrutti samaan dekh lelkhin ta punah chhudrataa sa bahut dur apan jeevan ke asal aadhyaatmik uddeshya taraf apan chauthaapan ke nitaant asgare maanavtaa ke marm par aa Mithila ke lel aavashyak anusandhaan karite chail basalaah. O je chhori gel chhathi o bahut dur tak ke baat achhi aa Swatantra Mithila Gantantra ke parikalpana kenihaar o asal Mithila Putra apan naam swarnaakshar me likhaa ke chail delaah. Yadi swayatt Mithila gantantra ke kahiyo aawaaz uthat ta Dr. Laxman Jha smaran kail jetaah.

Harih Harah!

डॉ॰ शशिधर कुमर "विदेह" said...

विवाद जे हो, पर नीक जानकारी ।

धन्यवाद सोनूजी ।

pankaj jha(PK) said...

sonu ji ke dhanyabaad ke aai tarahe kam sa kam maithil putra sab ke vishay me jaankari saravajanik ta bha rahal aacichh...neek lagal....