"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, May 22, 2012

विशेष दर्जा आ केंद्रीय विवि बनल एनडीए के हथकंडा

बिहार के विशेष दर्जा आ मोतिहारी में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलई के मांग के एनडीए अपन राजनीतिक हथकंडा बनेलक अछि । विशेष दर्जा के मुद्दे पर त सत्ताधारी गठबंधन के घटक जदयू आ भाजपा के बीच अगुवाई के अघोषित जंग छिड़ गेल अछि। अखनी तक जदयू के अहि मांग में हां में हां मिलावई  वाला भाजपा खुले तौर पर एकर अगुवाई के एलान बेगूसराय के राज्य कार्यसमिति के बैठक में केलक। ओही कड़ी में सोमदिन पार्टी  राज्य के सब संगठन जिला मुख्यालय पर एक दिवसीय धरना दय क केंद्र पर दबाव बनावई के कोशिश केलक अछि। 


फीका रहा आगाज


भाजपा के विशेष दर्जा अभियान के आगाज पटना में फीका देखायल। संसद सत्र चलई के कारण प्रदेश अध्यक्ष समेत पार्टी सांसद नदारद छला । पटना के कारगिल चौक पर धरना के कमान पटना जिला के भाजपा विधायक अरुण सिन्हा, नितिन नवीन, ऊषा विद्यार्थी के अलावा महानगर आ ग्रामीण इकाई के नेता-कार्यकर्ता संभालने छाला। जहनी की सासाराम में मंगल पांडे, बेतिया में लालबाबू प्रसाद, छपरा में संजय मयूख, बेगूसराय में सुधीर शर्मा, लखीसराय में प्रेमरंजन पटेल, अररिया में संजीव चौरसिया समेत पार्टी विधायक-विधान पार्षद आ प्रदेश पदाधिकारि धरना के नेतृत्व केलैनी। पटना के धरना के अगुवाई क रहल अरुण सिन्हा कहला कि विशेष दर्जा के मांग जनता के आवाज अछि। केंद्र सरकार ओकरा अनसुना कर रहल अछि। हम एहेन आंदोलन खड़ा करब जाही स केंद्र के मजबूर भ विशेष दर्जा देबय पड़ते। 


सांसदों ने बनाया दबाव


नई दिल्ली में एनडीए सांसद के प्रतिनिधिमंडल प्रधानमंत्री डॉक्टर मनमोहन सिंह स मुलाकात कय मोतिहारीये में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलई के मांग दोहरेला। सांसद केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल पर नकारात्मक रवैया के आरोप लगावैत कहला कि बिहार के नीतीश सरकार समावेशी विकास आ राज्य के जनभावना के अनुरूप मोतिहारी में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलअ  चाहैत छैथ। प्रतिनिधिमंडल में सांसद राधामोहन सिंह, शाहनवाज हुसैन, डॉक्टर सीपी ठाकुर, भोला सिंह, निखिल कुमार चौधरी, कौशलेंद्र कुमार, जयनारायण निषाद, विश्वमोहन कुमार आदि शामिल छला।

1 comment:

Dr. Dhanakar Thakur said...

बिहार भाजपा के अपन भविष्य लेल अलग भेनाई आवश्यक नीतीश स जे २०१४क बाद तेसर मोर्चा क प्रधानमंत्री (व कांग्रेस समर्थन स) बनी चाहैत छथि
नीतिश्क बडबोलापनक काट सेहो मिथिला राज्य छैक जे बीजेपी आ कांग्रेस दूनू के बूझक चाही
मिथिला विशेष राज्यक दर्जा पाबी सकैत अछियो- सीमान्त भेलाक कारण आ केद्रीय विश्वसिद्यालय दरभंगा व पुर्नेया में खोलक चाही