"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, August 13, 2008

भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात


एकटा नव खबङ अछि बिहारक लॊकक लॆल जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात भॆला ई भॊजपुरि भाषा कॆ लॆल मील कॆ पत्थर साबित हॊयत! एकटा बङ नीक आईडिया कॆ प्रचार छै जॆ an !dea can change your life! सॆह भॆलई भॊजपुरि भाषा कॆ अगर हमरा स ज क्यॊ ई पुछा जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ आई एतय धरि अनै मॆ ककर यॊगदान सबस बॆसि छै त हम " मनॊज तिवारी " कॆ नाम कहब ! आई भॊजपुरि जॆ दिन दॊगुना राति चौगुना स आगा भागि रहल अछि ताहि मॆ मनॊज तिवारी कॆ अहम भुमिका छैन! मनॊज जी कॆ फिल्म " ससुरा बङा पैसा वला " भ सकैत अछि जॆ अहा लॊकिन कॆ याद हुए ऒहि फिल्म स जॆ भॊजपुरि आगा भाग लागल ताहि कॆ बाद फॆर मुरि क नहि दॆखलक!
" महुआ " बङा नीक नाम अछि अहि चैनल कॆ! अखनि शुरुवाति दौर मॆ अहि चैनल पर बहुत सुन्दर प्रॊग्राम सब आबि रहल अछि! प्रकाश झा प्रॊडक्शन कॆ एकटा सिरियल " बाहुबलि " अहि चैनल पर आबि रहल अछि! भॊजपुरि भाषा मॆ समाचार, राशिफल आ भॊजपुरि गीत तथा अन्य अनॆक सिरियल सब आबि रहल अछि! भॊर क ऊँ नम: शिवाय कॆ भॊजपुरि मॆ डब क क दॆखा रहल ई सिरियल बहुत सुन्दर लागि रहल अछि!

2 comments:

कुन्दन कुमार मल्लिक said...

चि. सोनू जी,
एतेक कम वयस मे दूरगामी दृष्टिक परिचय दैत बहुत नीक काज कय रहल छी। अहाँक एहि भगीरथी प्रयास मे हमरा हेतु कोनो तरहक सेवा होय त' निःसन्कोच कहब।
हमरो आशीर्वाद।
कुन्दन कुमार मल्लिक,
सम्पादक, कतेक रास बात (http://www.vidyapati.org)
मो.- 09739004970

Gajendra said...

शुभकामना, सोनूजी।