"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, August 13, 2008

भारत कॆ स्वर्णमय शुरुवात‌

नमस्कार सब स पहिलॆ अहा लॊकिन स हम माफी मांगैत छि जॆ बहुत दिनक बाद हम आई अहा लॊकिन कॆ बीच अपन किछ विचार ल क आयल छि!
बीतल सप्ताह भारत कॆ लॆल स्वर्णमय सप्ताह रहल! सबस पहिलॆ हम सब गॊटॆ कॆ हार्दिक बधाई दईत छि! आ धन्यवाद तैत छियनि भारत कॆ लाल " श्री अभिनव बिन्द्रा " जी कॆ जॆ हमरा लॊकिन कॆ सपना कॆ साकार कॆलनि!108 सालक इतिहास मॆ पहिल बॆर हमरा लॊकिन कॆ व्यक्तिगत स्पर्था मॆ स्वर्ण पदक भॆटल! एतॆक लम्बा इतंजार हमरा लॊकिन कॆ कर पङल! आ आखिरकार 2008 कॆ बीजिंग ऒलंपिक मॆ हमरा सब कॆ स्वर्ण पदक भॆटल! ऒना ई ऒलंपिक हमरा सब कॆ लॆल एकटा आऒर खास सॆहॊ अछि जॆ पहिल बॆर हमर दॆश हाँकि मॆ भाग नहि ल सकल ! ई हमरा लॊकिन कॆ लॆल बहुत दुखक गप्प अछि ! जॆ खॆल कॆ जन्मदाता हमर धरती अछि वॆह खॆल एतय स विलुप्त जका भ गॆल अछि! ऒना अहि पर चर्चा बात मॆ कखनॊ करब!
आई पाँचम दिन अछि ऒलंपिक कॆ आ हमरा लॊकिन कॆ झॊली मॆ एकटा स्वर्ण पदक आबि गॆल अछि! बिशॆष आशा हमरा लॊकिन अपन अहि टीम स नहि करै छि! तखनि दॆखल जाऊ जॆ 2008 मॆ किएक टा पदक हमर दॆश मॆ आबैत अछि!

1 comment:

Gajendra said...

शुभकामना, सोनूजी।