"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, February 5, 2013

सितम्बर २०१४ में नालंदा विवि में अध्यन शुरू होयत

रविदिन सांझ पटना पहुचालक बाद नोबेल अर्थशास्त्री प्रो अमर्त्य सेन सोमदिन भोर स सांझ तक व्यस्त रहला. भोरक 10.00 बजे स सांझ 6.15 बजे तक ओ नालंदा विवि क गवर्निग बोर्डक बैठक में छला, फेर पत्रकारक बैठकक बारे में जानकारी दैत ओ सांझ 7.30 बजे सुनीता लाल आ शैबाल गुप्ता द्वारा संपादित पुस्तक ‘रिसरेक्शन ऑफ द स्टेट : बिहार सागा’क विमोचन करैक लेल आद्री पहुंचला. आई भोर ओ नालंदा विवि परिसरक जायजा लेबक योजना आयोगक उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया आ बोर्ड सदस्यक साथ राजगीर गेला.
पटना: नालंदा विश्वविद्यालय में 2014 के सितंबर महिना स इतिहास अध्ययन आ पर्यावरण आ पारिस्थिकी (इकोलॉजी) अध्ययनक स्कूल शुरू भ जायत. शिक्षकक नियुक्तिक लेल अंतरराष्ट्रीय एडवाइजरी कमिटीक गठन कय देल गेला. फैकल्टी नियुक्तिक लेल जल्दिये विज्ञापन निकालल जायत. नियुक्तिक लेल तीन चरण में सामूहिक आ व्यक्तिगत रूप स साक्षात्कार होयत. विवि क भवन डिजाइन क लेल देश-विदेशक आठ कंपनी अपन रुचि देखेलक अछि, मई तक अहिमें स कोनो एकटाक चयन कय लेल जायत आ अक्तूबर में निर्माणक काम शुरू भ जायत. सोमदिन गवर्निग बोर्डक बैठकक बाद नालंदा विवि क कुलाधिपति प्रो अमर्त्य सेन अहिक जानकारी देलैनी.
बैठक में सांसद एनके सिंहक अध्यक्षता में इंडोवमेंट कमेटीक गठन कायल गेल. इ कमेटी विश्व स्तर पर गैर सरकारी संस्थान स नालंदा विवि क लेल फंड जुटावईक काम करत. अहिके अलावा, इंटरनेशनल एडवाइजरी कमेटीक सेहो गठन कायल गेल, जकर अध्यक्ष सिंगापुरक पूर्व मंत्री जॉर्ज यो के बनायल गेलैनी . अहिमें इंडोनेशियाक पूर्व विदेश मंत्री डॉ हसन के सेहो शामिल कायल गेला. बैठक में कहल गेल कि जापान सरकार भवन आ आसपासक क्षेत्र में आधारभूत संरचना विकास में मदद करत. प्रो सेन कहला कि केंद्रक सुस्तीक चलते विवि निर्माण कार्य शुरू होई में किछ देरी भेला, लेकिन तय समय पर विवि में पढ़ाईक कार्य शुरू कय देल जायत. गौरतलब अछि कि विवि भवन निर्माणक लेल जापान आ सिंगापुर पहिल चरण में 10 करोड़ डॉलरक फंड उपलब्ध करोलक अछि. ई दुनु देश बाद में 50-50 करोड़ डॉलरक दू किस्त और देत. अहि तरह कुल मिला क अहि देश स निर्माणक लेल 110 करोड़ डॉलर भेटत. अखन 443 एकड़ के प्रस्तावित परिसरक चहारदीवारीक काम भेला.
सांसद एनके सिंह कहला कि अनुमानित खर्चक राशिक लेल प्रस्ताव जल्दिये दिल्ली में वित्त मंत्रलय के पास भेजल जायत. विवि क कुलपति प्रो गोपा सबरवाल कहला कि नालंदा विश्वविद्यालय में बुद्धिस्ट स्टडीज, फिलासफी एंड कंपरेटिव रेलीजन स्कूल, लैंगुएज एंड लिटरेचर स्टडीज स्कूल, इंटरनेशनल रिलेशंस एंड पीस स्टडीज स्कूल, बिजनेस मैनेजमेंट (पब्लिक पॉलिसी एंड डेवलपमेंट स्टडीज) स्कूल आ इन्फार्मेशन टेक्नोलॉजी स्कूल शुरू कायल जायत. एशिया क सांस्कृतिक आ आर्थिक योगदान पर रिसर्च विवि क मुख्य फोकस होयत.

बैठक में लेल गेल अहम फैसला


शिक्षकक नियुक्तिक लेल बनल एडवाइजरी कमेटी,
सितंबर 2014 से हिस्टोरीकल स्टडीज आ इन्वायरमेंटल इकोलॉजीक पढ़ाई होयत
अंतरराष्ट्रीय संस्थान स धन एकत्र कायल जायत,
अंतरराष्ट्रीय स्तरक बनत भवनराजगीर में आई भेल. संयुक्त मीटिंग
विवि क मॉनीटरिंग कमेटीक अध्यक्ष आ योजना आयोगक उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया कहला कि विवि भवन निर्माण आ पढ़ाईक लेल हम विदेशी फंड पर निर्भर नहीं रहब. अगर विदेश स सहायता भेटत अछि, त ई नीक बात अछि. कमेटीक बैठक में विवि निर्माण स जुड़ल कार्यक अद्यतन स्थितिक जायजा लेल जायत. अहिके बाद आगा के निर्णय लेल जायत.

मंच पर जीबि उठल 'पातक मनुक्ख

कलकता,(रिपोर्ट : भाष्कर झा) मैथिलीक उत्कृष्ट नाट्य संस्था कोकिल मंच केर 23म वार्षिकोत्सवक अवसर पर मंच द्वारा महानगर स्थित महाजाति सदनमे 3 फ़रवरी 2013 कें सायं 4:30 बजे समस्यामूलक नाटक 'पातक मनुक्ख' केर सफ़ल मंचन भेल. पं. गोबिन्द झा द्वारा लिखल कथाकें नाट्यरूप देने छथि प्रसिद्ध नाट्यकार अरविन्द अक्कू. समाजक ज्वलंत समस्या पर केन्द्रित एहि नाटक केर उद्दॆश्य सामाजिक सुधारोन्मुखी तथा जन चेतना कें जगाबय बला अछि. 'पातक मनुक्ख' एक तरहें मिथिला समाजमे व्याप्त धन-लोलुप दबंग आ साधारण मनुक्खक विषम परिस्थितिसं अनुचित लाभ उठाबय बला तथाकथित समाजक दलाल केर कुप्रवृति पर साहित्यिक, सामाजिक प्रहार आ कटाक्ष अछि. हमर समाजमे एहि कुप्रवृतिसं ग्रसित लोक एखनो धरि समाजगत ढांचा कें विध्वंश करय पर लागल अछि. मानवीय व सामाजिक मूल्यक हनन, संवेदनशून्य लोक कें सजीव चित्रण कयल गेल अछि एहि नाटकमे.

मंचित नाटककें केन्द्र बिन्दुमे एक एहन अबलाक मार्मिक कहानी अछि जिनक पति ग्रामीण दबंगक चालि चलनसं प्रताड़ित भ’ भागि जाइछ. हुनक दियाद भाय एवं तथाकथित शुभचिन्तक गामक दबंग लोक कें संगे गरीबीक मारल अबला लालगंज बाली काकी केर जीवित पति बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनाक' श्राद्ध-कर्मक नाम पर सब जमीन अपना नाम करबाक कुचक्र रचैत अछि. मुदा हरेक समाज मे नीक लोक होयत अछि. नीक लोकक प्रतिनिधिक रूप मे समाज सेवक प्रकाश आ समाज सेविका बहिन दाइ किछु सहॄदय ग्रामीणक सहयोगसं ओहि अबला कें पतित लोकसं रक्षा करैत अछि. भरल समाजक सोझामे गामक जमीन्दार फ़ूदन ठाकुर श्राधक कार्यक्रम करबाक लेल बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनेबाक आदेश देइत अछि त' दोसर दिस जमीन अपन नाम करबाक लेल संतोषी मिसिर कें स्टाम्प पेपर थमा देइत अछि लाल काकी केर अंगूठाक निशानी लेल. जोर जबरदस्ती सं लालगंज काकीक अंगूठाक नेशान लयबाक कुचेष्टा होइत अछि. मुदा समय पर प्रकाश, बहिन दाइ आ किछु नीक ग्रामीणक सहयोग सं एहि कुचाइलक भंडाफ़ॊड़ भ’ जाइत अछि.

अभिनयक दृष्टिसं गंभीरतापूर्वक विश्लेषण कयला पर लालगंज बाली काकीक भूमिका मे किरण झाक अभिनय जीबंत छल. किरणजी जाहि तरहे जीवनक मार्मिकतासं अपन भूमिकाक निर्वहन कयलनि ओ बड्ड प्रशंसित भेल. प्रारंभ सं अन्त धरि हुनक आंखिमे नोरक प्रवाह दर्शकक आंखिमे देखल जा सकैत छल. हुनक संवाद अदायगी अभिनीत चरित्र कें जीवंत बनेने छल.

तथाकथित धनाढय व्यक्ति केर लगुआ-भगुआ संतोषी मिसिरक भूमिका मे संजय ठाकुर केर अभिनय सराहनीय छल. बाजय केर ढंग, मंच पर हुनक चलबाक ढंग, आंखिक संचालन वाच्य-अंतरण आदि संतोषी मिसिरक चरित्र कें सजीब बना देने छल. करगर आवाज आ मोंछ पर ताव देबय बला अंदाज एहन जे दर्शक कें मोनमे हुनका प्रति घृणा उत्पन्न कय देने अछि, एहन बुझना गेल.

समाज सेवक आ सुधारक प्रकाश केर भूमिका रंजीत कुमार झा पूर्णतया उपयुक्त लागल. रंजीत जी अपन भूमिका सं नीक जकां निमाहलनि. हुनक अभिनयक अहम पक्ष छल हुनक संवाद. एक-एक संवाद मे किछु ने किछु सकारात्मक संदेश छल. एहि नाटकमे अपन अभिनयक द्वारा नाटकक मुख्य संदेश दर्शकक माध्यमें समाज धरि पहुचाबयमे सफ़ल भेलाह. कोलकाता स्थित रंगमंच पर नवतुरिया रंगकर्मी सबमे रंजीतजी एकटा उत्साही, सफ़ल, प्रभावी रंगकर्मीक रूपमे उभरि क' अयलाह अछि. हुनक सहकर्मी आ समाजसेविकाक भूमिका मे गीता चौधरी सेहो बड्ड नीक अभिनय कयलनि अछि. मुदा किछु बेसी बयस होमय केर कारण हुनक अभिनयमे एकटा सशक्त समाज सेविकाक किरदार परिलक्षित होमयमे किछु खटकल.

रंगकर्मी सुधाचन्द्र झा गामक धनलोलुप व्यक्ति फ़ूदन ठाकुरक भूमिकामे छलाह. नाटकक खल पात्रक भूमिका संग इमानदारी बरतलाह. हुनक अभिनय प्रशंसनीय छल. पंडित जीक भूमिकामें आनन्द किशोर ठाकुर छलथि जे चलय व बैसय केर क्रममे दू तीन बेर मंच पर खसि पड़लाह आ एहि तरहे बीच-बीचमे दर्शक कें खूब हसबैत रहलाह. ग्रामीणक भूमिकामे राजीव मिश्र, प्रकाश मिश्र, देबेन्द्र झा आदि केर नीक काज रहल. ऑफ़ स्टेज सहयोगमे शीतल झाक अहम योगदान छलनि. कुल मिला क' नाटकक सब पात्रक अभिनय दर्शक कें भरि नाटक बान्हिकए राखयमे सफ़ल भेल.

अनुभवी नाट्य निर्देशक गंगा झाक संचालन आ निर्देशनक बड्ड विशिष्ट छल. मानसिक द्वंद्व कें प्रदर्शित करबाक लेल किछु नीक प्रयोग केने छलथि. परिणामस्वरूप नाटक बेसी स बेसी प्रभावी बनैत चलि गेल. मंच पर किछु एहनो प्रयोग छल जकरा देखला सं सिनेमामे प्रयुक्त तकनीकक इयाद दियौलक. गंगा बाबूक सफ़ल निर्देशनमे संपन्न आ मंचित भेल ई सफ़ल नाटक अपन उद्देश्य में सेहो सफ़ल भेल, एहन बुझना जा सकैछ.

नाट्य मंचन सं पूर्व आयोजित उदघाटन कार्यक्रममे मंचस्थ पाहुन व शिक्षाविद भोगेन्द्र झा आ कोकिल मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र केर नीक उदगार सुनबाक भेटल. अतिथि लोकनिक द्वारा विद्यापति पर माल्यार्पणक पश्चात मंचक सचिव नबोनारायण मिश्र समस्त मैथिल दर्शककें अभिनंदन करैत कहलाह जे मंच जे कहैत अछि से एकर कार्यमे परिलक्षित होइत अछि. पूर्वमे मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्रक ओहि आश्वासन पर फ़ेर चर्चा करैत कहलाह जे आश्वासन केर अनुसार 25 वर्ष केर उपलक्ष्यमे एक सप्ताह्व्यापी नाट्यप्रस्तुति होयत. आ ओ ऒहि दिनक प्रतीक्षा कय रहल छथि.

एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि आ प्रख्यात मैथिल शिक्षाविद आ समाजसेवी भो
गेन्द्र झा अपना आप कें समस्त मैथिल-मैथिली गतिविधिसं जोड़ैत कहलनि जे ओ कोकिल मंचक सदस्य छथि. मंचक पूर्व गतिविधि पर प्रकाश रखैत कहलाह जे 23 वर्ष एकटा पैघ समय होइछ. कोकिल मंच कें अपन उद्देशय मे आगू बढबा पर धन्यवाद देइत कहलाह जे मंचक 25 वर्ख भेला पर एकटा महोत्सवक आयोजन होयत. संगहि मनक क्षोभ व्यक्त करैत कहलनि जे सांस्कृतिक राजधानी कोलकातामे बहुत रास संस्था अछि. मुदा ई सब संस्था टूकड़ा-टुकड़ा मे बटल अछि जेकि मिथिलाक लेल शुभ नहि. आपसी मतभेदक अखाड़ा बनि रहल अछि ई सब संस्था. मिथिला समाज मे “टंगखिचुआ” अपसंस्कृति केर भर्त्सना करैत कहलाह जे मिथिलामे आपसी एकता पर जोर देबाक आवश्यकता अछि. हरेक क्षेत्रमे कार्यरत मैथिल सब कें ‘हाइलाइट' करबाक आवश्यकता अछि. अन्तमे संस्था सबसं अनुरोध करैत कहलाह जे हम सब अद्भुत कार्य करी जाय सं मिथिलाक नाम होअय. समाज आ जीवनक दर्पणक रूप मे जानल जायबला विधा नाटक कें प्रोत्साहन भेटबाक चाही.

मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र नाटकक पैटर्न परिवर्तन केर समर्थन करैत बजलाह जे वर्तमान समय मे नाटक पुरना-धुरना तकनीकक सहयोग सं भ' रहल अछि. आब आन रंगमंच जेना मैथिली रंगमंच कें आधुनिकीकरण होबाक चाही. संगहि आश्वासन देलनि जे भविष्यमे अत्याधुनिक तकनीक केर उपलब्धतामे यथासंभव सहयोग प्रदान करताह. मंच संचालन नाट्य निर्देशक गंगा झा कएलनि.
उद्घाटन समारोहक बाद टाटानगर सं आयल मैथिलीक चर्चित गायिका अंजू कात्यायन द्वारा किछु मैथिलीक गीत प्रस्तुत कयल गेल. अंजू जीक गीत पर दर्शक झुमैत रहल. हाथक थपड़ी अंजू जीक उत्साह बर्धन करैत रहल. महानगरमे एकटा आर मैथिली कार्यक्रमक आयोजनक बादो नाटकक आनन्द उठाबय लेल उपस्थित दर्शकक अप्रत्यासित उपस्थिती देखबा योग्य छल. अतेक पैघ प्रेक्षागृह केर निचला सीट के' कहय, उपरका तल्ला पर सेहो दर्शकक उमड़ैत भीड़ अपन स्थान धेने छल जे ई साबित कय रहल अछि कि नाटकक लोकप्रियता मे कमी नहि, वृद्धि भ' रहल अछि.
मंचित नाटककें केन्द्र बिन्दुमे एक एहन अबलाक मार्मिक कहानी अछि जिनक पति ग्रामीण दबंगक चालि चलनसं प्रताड़ित भ’ भागि जाइछ. हुनक दियाद भाय एवं तथाकथित शुभचिन्तक गामक दबंग लोक कें संगे गरीबीक मारल अबला लालगंज बाली काकी केर जीवित पति बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनाक' श्राद्ध-कर्मक नाम पर सब जमीन अपना नाम करबाक कुचक्र रचैत अछि. मुदा हरेक समाज मे नीक लोक होयत अछि. नीक लोकक प्रतिनिधिक रूप मे समाज सेवक प्रकाश आ समाज सेविका बहिन दाइ किछु सहॄदय ग्रामीणक सहयोगसं ओहि अबला कें पतित लोकसं रक्षा करैत अछि. भरल समाजक सोझामे गामक जमीन्दार फ़ूदन ठाकुर श्राधक कार्यक्रम करबाक लेल बतहू कें 'पातक मनुक्ख' बनेबाक आदेश देइत अछि त' दोसर दिस जमीन अपन नाम करबाक लेल संतोषी मिसिर कें स्टाम्प पेपर थमा देइत अछि लाल काकी केर अंगूठाक निशानी लेल. जोर जबरदस्ती सं लालगंज काकीक अंगूठाक नेशान लयबाक कुचेष्टा होइत अछि. मुदा समय पर प्रकाश, बहिन दाइ आ किछु नीक ग्रामीणक सहयोग सं एहि कुचाइलक भंडाफ़ॊड़ भ’ जाइत अछि.
अभिनयक दृष्टिसं गंभीरतापूर्वक विश्लेषण कयला पर लालगंज बाली काकीक भूमिका मे किरण झाक अभिनय जीबंत छल. किरणजी जाहि तरहे जीवनक मार्मिकतासं अपन भूमिकाक निर्वहन कयलनि ओ बड्ड प्रशंसित भेल. प्रारंभ सं अन्त धरि हुनक आंखिमे नोरक प्रवाह दर्शकक आंखिमे देखल जा सकैत छल. हुनक संवाद अदायगी अभिनीत चरित्र कें जीवंत बनेने छल.
तथाकथित धनाढय व्यक्ति केर लगुआ-भगुआ संतोषी मिसिरक भूमिका मे संजय ठाकुर केर अभिनय सराहनीय छल. बाजय केर ढंग, मंच पर हुनक चलबाक ढंग, आंखिक संचालन वाच्य-अंतरण आदि संतोषी मिसिरक चरित्र कें सजीब बना देने छल. करगर आवाज आ मोंछ पर ताव देबय बला अंदाज एहन जे दर्शक कें मोनमे हुनका प्रति घृणा उत्पन्न कय देने अछि, एहन बुझना गेल.
समाज सेवक आ सुधारक प्रकाश केर भूमिका रंजीत कुमार झा पूर्णतया उपयुक्त लागल. रंजीत जी अपन भूमिका सं नीक जकां निमाहलनि. हुनक अभिनयक अहम पक्ष छल हुनक संवाद. एक-एक संवाद मे किछु ने किछु सकारात्मक संदेश छल. एहि नाटकमे अपन अभिनयक द्वारा नाटकक मुख्य संदेश दर्शकक माध्यमें समाज धरि पहुचाबयमे सफ़ल भेलाह. कोलकाता स्थित रंगमंच पर नवतुरिया रंगकर्मी सबमे रंजीतजी एकटा उत्साही, सफ़ल, प्रभावी रंगकर्मीक रूपमे उभरि क' अयलाह अछि. हुनक सहकर्मी आ समाजसेविकाक भूमिका मे गीता चौधरी सेहो बड्ड नीक अभिनय कयलनि अछि. मुदा किछु बेसी बयस होमय केर कारण हुनक अभिनयमे एकटा सशक्त समाज सेविकाक किरदार परिलक्षित होमयमे किछु खटकल.
रंगकर्मी सुधाचन्द्र झा गामक धनलोलुप व्यक्ति फ़ूदन ठाकुरक भूमिकामे छलाह. नाटकक खल पात्रक भूमिका संग इमानदारी बरतलाह. हुनक अभिनय प्रशंसनीय छल. पंडित जीक भूमिकामें आनन्द किशोर ठाकुर छलथि जे चलय व बैसय केर क्रममे दू तीन बेर मंच पर खसि पड़लाह आ एहि तरहे बीच-बीचमे दर्शक कें खूब हसबैत रहलाह. ग्रामीणक भूमिकामे राजीव मिश्र, प्रकाश मिश्र, देबेन्द्र झा आदि केर नीक काज रहल. ऑफ़ स्टेज सहयोगमे शीतल झाक अहम योगदान छलनि. कुल मिला क' नाटकक सब पात्रक अभिनय दर्शक कें भरि नाटक बान्हिकए राखयमे सफ़ल भेल.
अनुभवी नाट्य निर्देशक गंगा झाक संचालन आ निर्देशनक बड्ड विशिष्ट छल. मानसिक द्वंद्व कें प्रदर्शित करबाक लेल किछु नीक प्रयोग केने छलथि. परिणामस्वरूप नाटक बेसी स बेसी प्रभावी बनैत चलि गेल. मंच पर किछु एहनो प्रयोग छल जकरा देखला सं सिनेमामे प्रयुक्त तकनीकक इयाद दियौलक. गंगा बाबूक सफ़ल निर्देशनमे संपन्न आ मंचित भेल ई सफ़ल नाटक अपन उद्देश्य में सेहो सफ़ल भेल, एहन बुझना जा सकैछ.
नाट्य मंचन सं पूर्व आयोजित उदघाटन कार्यक्रममे मंचस्थ पाहुन व शिक्षाविद भोगेन्द्र झा आ कोकिल मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र केर नीक उदगार सुनबाक भेटल. अतिथि लोकनिक द्वारा विद्यापति पर माल्यार्पणक पश्चात मंचक सचिव नबोनारायण मिश्र समस्त मैथिल दर्शककें अभिनंदन करैत कहलाह जे मंच जे कहैत अछि से एकर कार्यमे परिलक्षित होइत अछि. पूर्वमे मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्रक ओहि आश्वासन पर फ़ेर चर्चा करैत कहलाह जे आश्वासन केर अनुसार 25 वर्ष केर उपलक्ष्यमे एक सप्ताह्व्यापी नाट्यप्रस्तुति होयत. आ ओ ऒहि दिनक प्रतीक्षा कय रहल छथि.
एहि कार्यक्रमक मुख्य अतिथि आ प्रख्यात मैथिल शिक्षाविद आ समाजसेवी भोगेन्द्र झा अपना आप कें समस्त मैथिल-मैथिली गतिविधिसं जोड़ैत कहलनि जे ओ कोकिल मंचक सदस्य छथि. मंचक पूर्व गतिविधि पर प्रकाश रखैत कहलाह जे 23 वर्ष एकटा पैघ समय होइछ. कोकिल मंच कें अपन उद्देशय मे आगू बढबा पर धन्यवाद देइत कहलाह जे मंचक 25 वर्ख भेला पर एकटा महोत्सवक आयोजन होयत. संगहि मनक क्षोभ व्यक्त करैत कहलनि जे सांस्कृतिक राजधानी कोलकातामे बहुत रास संस्था अछि. मुदा ई सब संस्था टूकड़ा-टुकड़ा मे बटल अछि जेकि मिथिलाक लेल शुभ नहि. आपसी मतभेदक अखाड़ा बनि रहल अछि ई सब संस्था. मिथिला समाज मे “टंगखिचुआ” अपसंस्कृति केर भर्त्सना करैत कहलाह जे मिथिलामे आपसी एकता पर जोर देबाक आवश्यकता अछि. हरेक क्षेत्रमे कार्यरत मैथिल सब कें ‘हाइलाइट' करबाक आवश्यकता अछि. अन्तमे संस्था सबसं अनुरोध करैत कहलाह जे हम सब अद्भुत कार्य करी जाय सं मिथिलाक नाम होअय. समाज आ जीवनक दर्पणक रूप मे जानल जायबला विधा नाटक कें प्रोत्साहन भेटबाक चाही.
मंचक अध्यक्ष जीबेन्द्र मिश्र नाटकक पैटर्न परिवर्तन केर समर्थन करैत बजलाह जे वर्तमान समय मे नाटक पुरना-धुरना तकनीकक सहयोग सं भ' रहल अछि. आब आन रंगमंच जेना मैथिली रंगमंच कें आधुनिकीकरण होबाक चाही. संगहि आश्वासन देलनि जे भविष्यमे अत्याधुनिक तकनीक केर उपलब्धतामे यथासंभव सहयोग प्रदान करताह. मंच संचालन नाट्य निर्देशक गंगा झा कएलनि.
उद्घाटन समारोहक बाद टाटानगर सं आयल मैथिलीक चर्चित गायिका अंजू कात्यायन द्वारा किछु मैथिलीक गीत प्रस्तुत कयल गेल. अंजू जीक गीत पर दर्शक झुमैत रहल. हाथक थपड़ी अंजू जीक उत्साह बर्धन करैत रहल. महानगरमे एकटा आर मैथिली कार्यक्रमक आयोजनक बादो नाटकक आनन्द उठाबय लेल उपस्थित दर्शकक अप्रत्यासित उपस्थिती देखबा योग्य छल. अतेक पैघ प्रेक्षागृह केर निचला सीट के' कहय, उपरका तल्ला पर सेहो दर्शकक उमड़ैत भीड़ अपन स्थान धेने छल जे ई साबित कय रहल अछि कि नाटकक लोकप्रियता मे कमी नहि, वृद्धि भ' रहल अछि.

साभार : मिथिमीडिया

Saturday, February 2, 2013

डा. सरिता बुद्धू मिथिला पर लिखती किताब

नमस्कार.. नमस्कारक अभिवादनक संग बरबस हुनका मुख स निकल पड़ल वाह! अद्भुत अछि ई कला। गाछ पर मिथिला पेंटिंग्स देखने नहीं छलऊ। आई ई देख क काफी आनंदक अनुभव क रहल  छी। उक्त बात मारीशसक पूर्व उपप्रधानमंत्री डा. हरीश बुद्धूक पत्नी डा. सरिता बुद्धू बीतल वृहस्पति दिन रांटी पहुंच मिथिला पेंटिंग के अवलोकनक दौरान अपन भावना के व्यक्त करैत कहलैथ। वृहस्पति दिन 12.25 बजे ओ जिला मुख्यालय स करीब 3 किलोमीटरक दूरी पर रांटी गाम में स्थित ग्रामीण विकास परिसर कार्यालय गेल छली। डा. सरिता बुद्धू मिथिला कलाक अनेक पेंटिंग्स के स्थानीय कलाकार सब स जानकारी सेहो लेली। ओ तकरीबन आधा घंटा तक पेपर, कपड़ा आ देवाल पर बनायल गेल पेंटिंग्स के मुआयना काफी रुचि के संग करैत मिथिला पेंटिंग में रंग मछली, मखानाक चित्रक बारे में गहन जानकारी लेली। अहि दौरान पत्रकार स बातचीत करैत ओ कहली कि मीठी बोली, कला, महाकवि विद्यापति, कालीदास, मंडन मिश्र के अलावा प्रेम-स्नेहक प्राचीन संस्कृतिक लेल विश्व प्रसिद्ध मिथिलांचलक मैथिली भाषा, कला, संस्कृति आ मारीशसक कला संस्कृतिक समानता पर एकटा पुस्तक लिखई क हुनक योजना अछि। अहिक लेल मिथिला पेंटिंग़क काफी कलेक्शन केलाईथ। वर्ष 1983 के एतय के अपन यात्रा क याद करैत कहली कि मारीशस में पेपर, कपड़ाक अलावा समुद्री मछली, सीप आदि पर मिथिला कला काफी पसंद कायल जा रहल अछि। एतय के कलाकार द्वारा मारीशस में मिथिला पेंटिंगक जानकारी देल जा रहल अछि। ओ कहली कि 25 वर्ष स भोजपुरी क्षेत्रक दौरा कय रहल छि। ओतय के संस्कृति, भाषा के ल क एक पुस्तक लिखने छी। आब मिथिलांचल, मिथिला पेंटिंग, मैथिली भाषा कय लय क पुस्तक लिखई के योजना में छी।

Thursday, January 24, 2013

बिहार मे सेहो खुलत निजी विश्वविद्याल, विभाग बना रहल प्रस्‍ताव

पटना। बिहार मे विश्वविद्यालय क कमी कए दूर करबा लेल सरकार निजी विश्वविद्यालय खोलबाक अनुमति देबा पर विचार क रहल अछि। एहि लेल शिक्षा विभाग एकटा प्रस्ताव तैयार क रहल अछि। अधिकारीक कहब अछि जे प्रस्‍ताव तैयार भेलाक बाद जल्‍द स जल्‍द ओकरा कैबिनेट लग स्वीकृति क लेल पठाउल जाएत। मानल जा रहल अछि जे 18 फरवरी स शुरू भ रहल बजट सत्र मे विधानमंडल मे संबंधित विधेयक पेश होएत। एकर अन्तर्गत दोसर राज्‍य मे संचालित निजी विश्वविद्यालय सेहो अपन शाखा बिहार मे खोलि सकत।
सूत्र क कहब अछि जे यदि निजी विश्वविद्यालय कए बिहार मे मंजूरी भेट गेल त ओ प्रदेश क 10 सरकारी विश्वविद्यालय जेकां काज करत। ओकर प्रमाण पत्र आ पाठ्यक्रम कए मान्यता देल जाएत.। यद्यपि, विधेयक मे निजी विश्वविद्यालय पर अंकुश लगा कए रखबा लेल सेहो प्रावधान कैल जा रहल अछि।एखनधरि तीन-चार साल क भीतर राज्य सरकार कए निजी विश्वविद्यालय खोलबा लेल करीब आधा दर्जन प्रस्ताव भेटल अछि। इ विश्वविद्यालय अगर खुलैत अछि त ओ आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय स संबद्ध होएत। आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय क स्थापना एहि उद्देश्य क संग कैल गेल अछि।अधिकारीक कहब अछि जे निजी विश्वविद्यालय लेल किछु मानक तय होएत। पंजीकृत सोसाईटी/ट्रस्ट केवल शिक्षा विभाग कए आवेदन द सकैत अछि। आवेदन क संग शिक्षक, कोर्स, शोध कार्य, आधारभूत संरचना, खर्च आ वित्त क जानकारी देबाक होएत। आवेदन मे देल गेल जानकारी क भौतिक जांच सरकार क कमिटी करत। यूजीसी क मानक क अनुसार विद्यार्थी कए सुविधा देखल जाएत। जे कोर्स चलत ओकरा लेल संबंधित अथॉरिटी स अनुमति लेब जरूरी होएत। पूर्णकालिक योग्य शिक्षक क नियुक्ति जरूरी होएत। जानकारक कहब अछि जे सरकार अगर इ अनुमति दैत अछि त उच्‍च शिक्षा क क्षेत्र में बिहार मे भारी निवेश क संभावना बनत, किया त आन राज्‍यक निजी विश्वविद्याल मे अधिकतर बिहार क छात्र पढैत छथि।
साभार : ईसमाद 

Saturday, December 29, 2012

नवपल्लव अपन पहिल वार्षिक महोत्सव नवश्रुति मनेलक


नवपल्लव आई अपन प्रथम वार्षिक महोत्सव “नवश्रुति” दिल्ली के गाँधी शांति प्रतिष्ठान में मनेलक. अहि अवसर पर नवपल्लव “आयाची छात्रविती योजना” के सेहो शुरुवात केलक. दिल्ली एनसीआर के विभिन्न सरकारी स्कूल के बच्चा सबक बीच लेख प्रतियोगिता करायल गेल. आ दूटा सर्वश्रेष्ट छात्र के नवपल्लव के आयाची छात्रविती योजना के तहत एकसाल तक ५०० रुपया मासिक प्रदान कायल जायत. तीन सत्र के अहि कार्यक्रमक पहिल सत्र विभिन्न स्कुलक छात्रक आलेख प्रतियोगिता स भेल जकर अध्यक्षता नवपल्लव के वरिष्ट सदस्य श्री अनिल झा आ मंच सञ्चालन श्री कृषन कुमार झा केलैनी.
दोसर चरणक कार्यक्रमक शरूवात दीप प्रज्ज्वलित कय क कायल गेल. उक्त अवसर पर मंचक अध्यक्षता बाबा कानपुरी जी केलैनी. नवपल्लव के उपाध्यक्ष श्री गोपाल जी गोपाल नवपल्लव के उद्देश्य के बारे में संक्षिप्त परिचय देलखिन. आ अन्य गणमान्य अतिथि में वरिष्ट साहित्यकार श्री गंजेश गुंजन, मैथिली के महान नाटककार श्री महेंनद्र मलंगिया, श्री मिथलेश सिंह, सुप्रीम कोर्ट वार एशोसिअसन के पूर्व सचिव श्री अशोक अरोरा, एम के प्रसाद, श्री संजय झा आदि वक्ता अपन विचार रखलैनी. आ अहि सत्रक मंच सञ्चालन श्री सत्येन्द्र जी केलैनी. सब अतिथि सब के नवपल्लव के दिश स स्मृति चिन्ह सेहो प्रदान कायल गेल.
आ तेसर चरणक सांस्कृतिक कार्यक्रमक शरूवात श्री आशुतोष जी विद्यापति गीत मोरा रे अंगनवा चानन केर गछिया स केलैनी त श्री सुनील झा पवन अपन मैथिली ग़ज़ल स दर्शक के मंत्र मुग्ध कय देलखिन. आ नवोदिता के सुन्दर नृत्य के दर्शक खूब सराहलखिन.
श्री गंजेश गुंजन जी लेख प्रतियोगिता में चुनल गेल दू टा छात्र के स्मृति चिन्ह प्रदान केलखिन. आ अन्य प्रतिभागी सब के सेहो नवपल्लव के सदस्य सब स्मृति चिन्ह भेट केलखिन.
कार्यक्रम में उपस्थित अन्य गणमान्य व्यक्ति में श्री वसंत सिंह , श्री कुंदन कुमार झा , भवेश नंदन , नीरज पाठक , श्री दीनबंधु जी , श्री अमिताभ भूषण , श्री जयराम विपल्लव, रचना आदि उपस्थित छलैथ. 

Monday, December 24, 2012

देशक युवा छेड़लक इंसाफक जंग


एक बेर जर्मन तानाशाह नाजी प्रताड़ना शिविरक दौरा कय रहल छल । हिटलरक आदेश पर अहि शिविर में यहूदि पर जुल्म ढाएल जा रहल छल , लेकिन मुआयना के वक्त एकटा बच्चाक कराह के सुन क हिटलर शिविर स बाहर चली गेल। शिविर स दूर जाईक लेल ओ रेलक अपन डिब्बा में गेल आ दरवाजा बंद करई आ खिड़कि क परदा गिरावईक आदेश देलक। तानाशाह हिटलर नाजी यातनाक शिकार लोगक चीख स हिल गेल छल आ मौतक मंजर स खुदके अलग महसूस करईक भ्रम में परदा क आभासी दीवारक सहारा लेलक। हिंदुस्तानक हुक्मरान सेहो अहि भ्रमक अहसास क रहल अछि कि पुलिस कारवाई स इंडिया गेट के खाली करेलाक बाद ई चीख बंद भय जायत।
दिल्ली समेत देशक अन्य शहर में युवा वर्ग के स्वत: स्फूर्द प्रदर्शनक एकटा गंभीर निहितार्थ अछि. हाल के दिन में अन्ना आन्दोलन के बाद इ दोसर मौका अछि जहनि देशक युवा स्थापित राजनीतिक दल पर विश्वास नहीं कय क खुद पहल कयला. दुनियाक इतिहास अहि बातक गवाह अछि की छात्रक आन्दोलन हमेशा सरकार पर भारी पड़ल अछि. अन्ना आन्दोलनक प्रति पक्ष – विपक्षक तिरस्कार भाव संभवतः युवा वर्ग के खुद पहल करैक लेल प्रेरित केलक.  इ सब मौजूदा व्यवस्था, सरकार आ स्थापित राजनीतिक जमात के प्रति अविश्वास के सेहो दर्शावइत अछि. आ इ मौजूदा लोकतान्त्रिक व्यवस्थाक लेल खतराक घंटी अछि. राजधानी दिल्ली में भेल नृशंस बलात्कार कांडक बाद लोकसभा में प्रतिपक्ष के नेता सुषमा स्वराज बलात्कारी के लेल फंसीक सजाक मांग केने रहाईथ अहिक बावजूद दिल्लीक छात्र-छात्रा अपन रोषपूर्ण प्रदर्शन में शामिल होईक लेल सुषमा स्वराज या कोनो अन्य नेता के नहीं बजेलैनी. एतय तक की कोनो राजनीति दल स जुड़ल कोनो युवा या छात्र संगठन सेहो अहि आन्दोलन में नेतृत्वकारी भूमिका में नहीं छल. और शायद भारत के इतिहास में इ पहिल एहेन आन्दोलन छल जाही में लड़का स बेसी संख्या में लड़की सब अहि आन्दोलन के नेतृत्व कय रहल छलाईथ.
युवा के ई प्रदर्शन दरअसल देशक सत्ता में रहल विभिन्न सरकारक अनगिनित नाकामीक खिलाफ उपजल गुस्साक मिलल जुलल प्रतिबम्ब छल. साईठक दशक में युवा अपन समस्याक निराकरण वास्ते सरकार लग जाईत छला ओही समय बहुतो नेता युवाक प्रेरणाक स्त्रोत सेहो छला. सत्तर के दशक में युवा अपन समस्या के लय क गुजरात आ बिहार में खुद सड़क पर उतरी क आन्दोलन केने छल. ओही समय राजनीति में गिरावट के दौर शुरू भ गेल छल. ध्यान रहे की ओही आन्दोलनक नेतृत्व जयप्रकाश नारायण सन गैर राजनीतिक हस्ती केने छालईथ नहीं की कोनो दलीय नेता. अस्सीक दशक में त छात्र- युवा आन्दोलन के नेता के असम में अपन राजनीति दल बनावईक जरुरत बुझेलैनी. किएक त मौजूदा राजनीति में कनेको विश्वास नहीं छल. हालांकि ई अलग बात अछि जे असम गण परिषद् या जेपी आन्दोलन स बनल जनता पार्टीक हाल सेहो बाद में ओहिना भ गेल.  
आजुक आन्दोलनकारी युवा राजनीतिक दल स अखन बिलकुल अलग छाईथ बल्कि गैर राजनीतिक छियाईथ. ओ सीधा वैकल्पिक मीडिया यानि फेसबुक , ट्विटर , ब्लॉग के सहारे आपस में संवाद स्थापित करैत छियाईथ आ इंडिया गेट , जंतर मंतर , रामलीला मैदान या कोनो अन्य जगह एकत्रित भय अपन बात सरकार लग राखी रहल छाईथ. अहि युवा पर कोनो राजनीतिक स्वार्थक आरोप नहीं लागायल जा सकैत अछि. हुनक आन्दोलन के सफलताक बाद संभवतः ओ आगा सेहो सक्रीय रहता. आन्दोलनक अहि क्षेत्र में ई नव विकासक सब पक्ष के समझी लेबाक चाही. हुनक मांग सेहो बिलकुल गैर राजनीतिक छियनी. छात्र-छात्रा पर ई आरोप लगा कय ख़ारिज नहीं कायल जा सकैत अछि की ओ चुनाव जीते चाहैत छियाथ.
दिल्ली में भेल सामूहिक बलात्कार कांड स ई बात त साफ़ अछि जे आई राजधानी समेत देशक कोनो ठाम लड़की आ महिला सुरक्षित नहीं छियाईथ. पुलिस लोगक रक्षक स बेसी भक्षक भय गेला.पुलिस के निर्दोष पर लाठी चलावई आ रिश्वत वसूली स फुर्सत नहीं अछि. अंग्रेजक जमाना एक लाठीधारी पुलिस या चौकीदार स बड़का स बड़का गुंडा के में मन में भय छल आजादी के किछु समय बाद तक येह स्थिति छल मुदा वर्तमान समय में गुंडा आवारा त नहीं लेकिन नीक लोगक मन में पुलिस स भय अछि. देश में जेना जेना राजनीतिक स्तर गिरल अछि ताहि ग्राफ में पुलिस प्रसाशनक स्तर सेहो गिरल अछि.
देशक विभिन्न सरकारी क्षेत्र में नीचा स लय क ऊपर तक पसरल भ्रष्टाचारक खिलाफ करवाईक लेल जहैनी अन्ना हजारे सन समाजसेवी जन लोकपालक मांग करैत छियाईथ त पूरा राजनीति जमात हुनका खिलाफ एकजुट भ गेल. आ एकटा एहेन सरकारी जनलोकपाल विधेयक बनेलक जाहि में धन बल वाला भ्रष्ट लोग आसानी स बच निकलई.
की आजुक राजनीति जमात इंडिया गेट पर जुटल आम युवा के आवाज के समझईक कोशिश करत?
राजनीति या कोनो अन्य संगठन के आवाज के आसानी स नज़रअंदाज कायल जा सकैत अछि मुदा आम युवा के आवाज के नजरअंदाज आसन बात नहीं अछि. अहि आवाज के अनसुना केनाई आ एकरा दबावई के लेल जे काज दिल्ली सरकार आ दिल्ली पुलिस केलक एकर गंभीर परिणाम भुगतई पड़तै खास कय सत्ताधारी कांग्रेस सरकार के. 

Tuesday, December 18, 2012

पिलखबार में विजय दिवस पर सैनिक परिजन के सम्मानित कायल गेल

मधुबनी जिलाक पिलखबार गांव में बीतल रविदिन अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषदक द्वारा विजय दिवसक अवसर पर भारतीय सेना में वीर गति के प्राप्त सैनिक के परिजन के सम्मानित कायल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता योगी पासवान आ मंच संचालन कर्नल एसबी लाल द्वारा कायल गेल। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि सूबेदार रामअशीष पांडे, एसएसबी 35 वीं वाहिनीक असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव गिरि आदि अहि अवसर पर कहलैनी कि 1971 ई. में भारत आ पाकिस्तानक बीच युद्ध में भारतीय सेना पाकिस्तानी सेना पर विजय प्राप्त केने छल। 16 दिसंबर 1971 ई. क पाकिस्तानी सेना भारतीय सेनाक समक्ष आत्मसमर्पण केने छल। अहि युद्धक दौरान भारतीय सेनाक तीन हजार छह सौ 30 सैनिक शहीद भेल छला आ 9 हजार 56 सैनिक घायल भेल छला। शेष दो सौ 13 सैनिक लापता घोषित भेल छल। युद्धक बाद भारत सरकार द्वारा भारतीय सैनिक एवं हुनक विधवा के अनेको पदक स नवाजल गेल छल। 16 दिसंबर के विजय दिवसक रूप में सारा राष्ट्र मनावैत अछि। कार्यक्रमक शुरुआत स्वागत गान स भेल। स्वागत गान पिलखबार मध्य विद्यालयक छात्रा द्वारा गायल गेल। ओतय साहित्याचार्य रघुनाथ झा अभिनंदन पत्र पढ़ला आ आगत अतिथि सब के सौंपला। अहि अवसर पर सूबेदार रामाश्रय पांडे द्वारा झंडोत्तोलन कायल गेल। संगही अतिथियों द्वारा 1971 ई. में भारतीय सेनाक तत्कालीन सेनाध्यक्ष सैम मानिक शॉ एवं मुंबई में आतंकवादी हमला में वीर गति के प्राप्त मेजर संदीप उन्नीकृष्णनक तैल चित्र पर माल्यार्पण कायल गेल। अहि कार्यक्रम में स्मारिकाक विमोचन सेहो कायल गेल। अहि अवसर पर जीवानंद मिश्रा 'जीवन', एसएसबी के विनोद सेन, प्रभाकर झा, भगवान जी झा, गोवानंद झा उर्फ सोनू, काली झा सहित सैनिक सभक विधवा पूर्व सैनिक सहित अन्य गणमान्य लोग उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन जीवानंद मिश्र 'जीवन' केलैनी।
अहि अवसर पर अखिल भारतीय पूर्व सैनिक सेवा परिषद द्वारा सैनिक के परिजन के शॉल द क सम्मानित कायल गेल। अहि में दानापुर, पटना आ जिला स अनेको सैनिक के परिजन उपस्थित छला। शहीद उमेश कुमार झा क पत्नी सुनीता देवी, मनोज कुमार झा क पत्नी उषा देवी, हरिवंश सिंह क पत्नी सविता देवी, त्रिवेणी पांडे क पत्नी मालती देवी, उमाकांत राय क पत्नी मीना देवी, इन्द्रजीत सिंह क पत्नी उर्मिला देवी आ सिपाही बी.के. ठाकुर क पुत्री डॉली कुमारी के सूबेदार रामाश्रय पांडे, असिस्टेंट कमांडेंट प्रवीण कुमार योगी पासवान, नायब सूबेदार सियाराम सिंह, महंथ चिरंजीव आदि सम्मानित केलैनी।