"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Tuesday, February 5, 2013

सितम्बर २०१४ में नालंदा विवि में अध्यन शुरू होयत

रविदिन सांझ पटना पहुचालक बाद नोबेल अर्थशास्त्री प्रो अमर्त्य सेन सोमदिन भोर स सांझ तक व्यस्त रहला. भोरक 10.00 बजे स सांझ 6.15 बजे तक ओ नालंदा विवि क गवर्निग बोर्डक बैठक में छला, फेर पत्रकारक बैठकक बारे में जानकारी दैत ओ सांझ 7.30 बजे सुनीता लाल आ शैबाल गुप्ता द्वारा संपादित पुस्तक रिसरेक्शन ऑफ द स्टेट : बिहार सागाक विमोचन करैक लेल आद्री पहुंचला. आई भोर ओ नालंदा विवि परिसरक जायजा लेबक योजना आयोगक उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया आ बोर्ड सदस्यक साथ राजगीर गेला.
पटना: नालंदा विश्वविद्यालय में 2014 के सितंबर महिना स इतिहास अध्ययन आ पर्यावरण आ पारिस्थिकी (इकोलॉजी) अध्ययनक स्कूल शुरू भ जायत. शिक्षकक नियुक्तिक लेल अंतरराष्ट्रीय एडवाइजरी कमिटीक गठन कय देल गेला. फैकल्टी नियुक्तिक लेल जल्दिये विज्ञापन निकालल जायत. नियुक्तिक लेल तीन चरण में सामूहिक आ व्यक्तिगत रूप स साक्षात्कार होयत. विवि क भवन डिजाइन क लेल देश-विदेशक आठ कंपनी अपन रुचि देखेलक अछि, मई तक अहिमें स कोनो एकटाक चयन कय लेल जायत आ अक्तूबर में निर्माणक काम शुरू भ जायत. सोमदिन गवर्निग बोर्डक बैठकक बाद नालंदा विवि क कुलाधिपति प्रो अमर्त्य सेन अहिक जानकारी देलैनी.
बैठक में सांसद एनके सिंहक अध्यक्षता में इंडोवमेंट कमेटीक गठन कायल गेल. इ कमेटी विश्व स्तर पर गैर सरकारी संस्थान स नालंदा विवि क लेल फंड जुटावईक काम करत. अहिके अलावा, इंटरनेशनल एडवाइजरी कमेटीक सेहो गठन कायल गेल, जकर अध्यक्ष सिंगापुरक पूर्व मंत्री जॉर्ज यो के बनायल गेलैनी . अहिमें इंडोनेशियाक पूर्व विदेश मंत्री डॉ हसन के सेहो शामिल कायल गेला. बैठक में कहल गेल कि जापान सरकार भवन आ आसपासक क्षेत्र में आधारभूत संरचना विकास में मदद करत. प्रो सेन कहला कि केंद्रक सुस्तीक चलते विवि निर्माण कार्य शुरू होई में किछ देरी भेला, लेकिन तय समय पर विवि में पढ़ाईक कार्य शुरू कय देल जायत. गौरतलब अछि कि विवि भवन निर्माणक लेल जापान आ सिंगापुर पहिल चरण में 10 करोड़ डॉलरक फंड उपलब्ध करोलक अछि. ई दुनु देश बाद में 50-50 करोड़ डॉलरक दू किस्त और देत. अहि तरह कुल मिला क अहि देश स निर्माणक लेल 110 करोड़ डॉलर भेटत. अखन 443 एकड़ के प्रस्तावित परिसरक चहारदीवारीक काम भेला.
सांसद एनके सिंह कहला कि अनुमानित खर्चक राशिक लेल प्रस्ताव जल्दिये दिल्ली में वित्त मंत्रलय के पास भेजल जायत. विवि क कुलपति प्रो गोपा सबरवाल कहला कि नालंदा विश्वविद्यालय में बुद्धिस्ट स्टडीज, फिलासफी एंड कंपरेटिव रेलीजन स्कूल, लैंगुएज एंड लिटरेचर स्टडीज स्कूल, इंटरनेशनल रिलेशंस एंड पीस स्टडीज स्कूल, बिजनेस मैनेजमेंट (पब्लिक पॉलिसी एंड डेवलपमेंट स्टडीज) स्कूल आ इन्फार्मेशन टेक्नोलॉजी स्कूल शुरू कायल जायत. एशिया क सांस्कृतिक आ आर्थिक योगदान पर रिसर्च विवि क मुख्य फोकस होयत.

बैठक में लेल गेल अहम फैसला


शिक्षकक नियुक्तिक लेल बनल एडवाइजरी कमेटी,
सितंबर 2014 से हिस्टोरीकल स्टडीज आ इन्वायरमेंटल इकोलॉजीक पढ़ाई होयत
अंतरराष्ट्रीय संस्थान स धन एकत्र कायल जायत,
अंतरराष्ट्रीय स्तरक बनत भवनराजगीर में आई भेल. संयुक्त मीटिंग
विवि क मॉनीटरिंग कमेटीक अध्यक्ष आ योजना आयोगक उपाध्यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया कहला कि विवि भवन निर्माण आ पढ़ाईक लेल हम विदेशी फंड पर निर्भर नहीं रहब. अगर विदेश स सहायता भेटत अछि, त ई नीक बात अछि. कमेटीक बैठक में विवि निर्माण स जुड़ल कार्यक अद्यतन स्थितिक जायजा लेल जायत. अहिके बाद आगा के निर्णय लेल जायत.

No comments: