"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, January 9, 2012

माधवेश्वरनाथ महादेव मन्दिरकेर जीर्णोद्धार सम्बन्ध सम्मेलन के रिपोर्ट:

८ जनबरी - २०१२ ई. मैथिली भाषाके भारतीय संविधानके ८वीं अनुसूचीमें स्थान देबक ८वीं वर्षगाँठ के शुभ उपलक्ष्यमें सौराठ सभागाछीमें दहेज मुक्त मिथिला एवं सौराठ सभा विकास समितिके संयुक्त तत्त्वावधानमें एक सम्मेलन कैल गेल जेकर अध्यक्षता मधुबनी ड्योढिके बाबु श्री कुलधारी सिंह जी कयलनि, उद्‌घोषण एवं संचालन सौराठ सभा विकास समितिके सचिव डा. शेखर चन्द्र मिश्र कयलन्हि आ प्रमुख अतिथि द्वय बिहार विधानसभा अध्यक्ष श्री ताराकान्त झाजी के स्थानीय प्रतिनिधि श्री निलाम्बर झा एवं बिस्फी विधानसभा के माननीय विधायक श्री फैय्याज अहमद के संग विशिष्ट अतिथि श्रीमती करुणा झा - वरिष्ठ समाजसेविका एवं दहेज मुक्त मिथिलाके उपाध्यक्षा कयलनि। सभामें गणमान्य व्यक्तित्व एवं जीर्णोद्धारके प्रखर पैरोकार वर्गमें प्रमुख प्रोफेसर गिरिजा किशोर झा (बिहार युनिवर्सिटी, मुजफ्फरपुर), प्रोफेसर सर्वनारायण मिश्र (सौराठ), अधिवक्ता सोहनजी (मधुबनी कोर्ट), श्री सुनील कुमार सुनोज (लखनौर) एवं प्रवीण नारायण चौधरी (विराटनगर, नेपाल) एवं स्थानीय विद्वान्‌ श्री लक्ष्मीश्वर ठाकुर जे विद्यापतिजीके कुल-परिवारकेर छथि हुनक सहभागिता सेहो उल्लेखणीय रहल। सम्मेलनमें अत्यन्त मर्मस्पर्शी विचार सभ आयल।

१. श्री गिरिजा किशोर झा: कार सेवा सऽ हर असंभव कार्य होइत छैक, समग्र मिथिलांचलके लोक में इ आह्वान होइक जे कार-सेवकके रूपमें एहि अत्यन्त प्राचिन मन्दिर जे एक अविस्मरणीय धरोहरके रूपमें अछि एकर जीर्णोद्धार करैथ। एहि कार्य सँ मिथिलाके गौरवके रक्षा होयत।

२. श्री सुनील झा सुनोज: समस्त इलाकामें चर्चा सरेआम चलय लगलैक अछि आ वस्ती-वस्तीके लोक एहि लेल आतुर देखा रहल छथि। युवा-शक्ति अभिभावक के मार्गनिर्देशनानुसार बहैक लेल तैयार बैसल छथि। व्हिसील बजैत देरी कार्य होयत।

३. श्री लक्ष्मीश्वर ठाकुर: एहिठामके वस्तु्स्थिति इ अछि जे समस्त व्यवस्थापन माधवेश्वरनाथ ट्रस्टके अन्तर्गत होइछ - आ विपन्नता एहेन जे मन्दिरके पुजेगरीके सेहो पूरा नहि भऽ रहल छन्हि। विकास हेतु इच्छाशक्तिके आवश्यकता छैक। यदि पार्क के रूपमें विकास कय देल जाइक तऽ प्रतिदिन मधुबनी शहरके लोक के संग अन्य-अन्य स्थानके लोक के आगमन हराहरी २०,००० के आसपास अवश्य हेतैक। एहिसँ नहि सिर्फ स्थान के विकास हेतैक, बल्कि इलाका के सेहो विकास हेतैक। एको रुपैया टिकट राखल जेतैक तऽ २०००० टाका के आमदनी नित्य दिन संभव हेतैक। लेकिन कर्ता-धर्ताके उदासीनता दुखद छैक। एहि पर सबके ध्यानाकर्षण होयबाक चाही। मधुबनी में ४ गो प्रमुख पर्यटनके केन्द्र छैक, जेकरा बेर-बेर राज्य पक्ष सेहो मानलकैक अछि, लेकिन स्थानीय लोक के उदासीनता आ व्यवस्थापक पक्षके लापरवाही एहि दुखद परिस्थितिके सृजक छैक जेकर प्रतिकार आवश्यक छैक। अमेरिकाके लोक चिन्ता करैत अछि, लेकिन स्थानीय लोक उदासीन आ लापरवाह अछि।

४. श्री निलाम्बर मिश्र: विडंबना जे हम सभ एहि कहबीके पूरा करैत छी: ‘नरे-झरे भरल छी - आ पाइन में तीतैत छी।’ बुद्धिजीवी जखनहि परजीवी बनलाह तऽ बूड़िजीवी भऽ गेलाह। आइ विडंबना एहेन छैक जे पैतृक वस्तु के विलगावमें सभके लगन जागल छन्हि। वास्तविकता यैह छैक जे अपन मूल संस्कार के संग बिछुड़न इ समस्त परिणाम के उपजा रहल छैक। साते-भवतु-सुप्रीता सऽ लोक अपन बच्चाके शिक्षा-संस्कार शुरु करैत छल, आब परंपरा बदलि गेल छैक। हम सभ अपन धिया-पुतामें मूल संस्कारके बीजारोपण के जगह उलटा संस्कार भरि रहल छियैक। एहि विल्पित संस्कारके सहेजल जाय। प्रथम संस्कार के लोप - संध्या-वन्दन के प्रक्रिया खत्म केनै भेल अछि। १३०० ई. सऽ पूबाड़ि-पछवाड़ि टोल सौराठमें कोन गामके लोक कतय डेरा देने छथिन से सूचना स्वतः लोक के बुझय में रहैत रहल - सभाके व्यवस्थापन एतेक मजबूत होइत छलैक। लेकिन आइ - स्थिति दुखद आ भर्त्सनायोग्य छैक। चौगामाके लोक मूल-दोषी छथि। दरबज्जापर तास खेलेनाइ पसिन्न छन्हि, नहि कि एहि धरोहर के संरक्षण लेल उपाय आ मेहनत करनाइ। पंडित ताराकान्त झा के निजी प्रतिनिधीके रूपमें एहि विन्दुपर बहुत रास चर्चा बिहार सरकारके मुखिया संग सेहो कैल गेल। किछुवे दिनमें जे मुख्यमंत्रीके जनता दरबार मधुबनीमें लगतैन ताहिके लेल योजना अन्तर्गत १०० वर्ष सऽ पुरान जतेक मन्दिर अछि तेकर संरक्षण होयबाक बात छैक, सौराठके माधवेश्वरनाथ मन्दिर - सोमनाथ मन्दिर सेहो एहि सूचीमें छैक। मधुबनीमें राम सर्किट, सीता सर्किट के योजना अछि। वाचस्पति डीह के पर्यटन स्थलके रूपमें विकास करय लेल निर्णय भऽ चुकल अछि। पंडित ताराकान्त झा जे सौराठ गाम के कुटुम्ब सेहो छथि - हुनक मानब छन्हि जे सौराठके लोक जँ पुरुख भऽ जाइथ तऽ एसगर वैह सभ आवश्यक कार्य करबा दैथि। :) मिथिला पेन्टिंग लेल जे संस्थान बनाबऽ के बात छैक ओ सौराठमें संस्कृत महाविद्यालय जे आइ मरणासन्न हालमें छैक ओहिमें समायोजित कैल जाय, इ प्रयास हम सभ कय रहल छी। मुख्यमंत्री स्वयं सभाके अवलोकन करताह। बस हम सभ यदि तत्पर बनी तऽ कार्य सभटा संभव हेतैक। चौगामाके लोक सँ हार्दिक अपील जे संसार के विकास देखि अपन विकास लेल अवश्य सोचैथ आ कार्य करैथ।

५. श्री कुञ्जबिहारी मिश्र - सभके आग्रहपर महादेव के प्रसन्न करय लेल अपन विशिष्ट सुरमें नचारी - आजु नाथ एक व्रत गाबि सभ के हृदयके भक्ति भाव सऽ भरलन्हि। एहि मन्दिर निर्माण हेतु अपन समस्त कार्यक्रम में एक दहेज मुक्त मिथिलाके कैसेट निर्माण करबा बाँटैत सौराठ सभाके पुनरुत्थान लेल घोषणा सेहो कयलन्हि। किछुवे दिन पूर्व जे करुणा झा जी द्वारा एक टाइटिल गीत बनल ताहि के समावेश करैत एहि शुभ कार्य के पूरा कैल जायत।

६. श्री चक्रवर्ती बाबा: केवल बाबा के अपनहि कृपा सऽ सभ संभव होयत। हमरा लोकनिक संगठन नहि अछि, इ कतहु गड़बड़ा गेल अछि। सभ कार्यके सफलतापूर्वक निष्पादन लेल एक सक्रिय एवं सुयोग्य कमिटी हेबाक चाही।

७. श्रीमती करुणा झा: एहि दुर्दशा के कारक तत्त्वके परीक्षण आवश्यक। जाहि वर्गके लेल सभा लगैत छैक तिनका एहि धारामें जोड़ब आवश्यक। आजुक युगमें भविष्य लेल - अपन रोजी-रोटीक लेल सभ बेहाल रहैछ, ओ मैथिली होइक वा गायत्री मन्त्र वा सौराठ सभा - यदि एकर भूमिका लोक के सुन्दर भविष्य लेल हेतैक तखन अवश्य लोक एहि सँ जुड़त। अतः हम सभ एहि तरफ प्रयास करी जे हर वर्गके लोक के एहि संस्थान में जोड़ी आ नीक संभावनाके विकास करी। केवल एक जातिके लेल संस्थानके पुनरोत्थान संभव नहि हेतैक। एहिमें सबके जोड़ब आ सभके लेल एक भविष्यनिधिके जोगाड़ देखायब मात्र एकर पुनरोत्थानके प्रबल कारक बनतैक। हम सभ जाबत मिथिला के शक्तिरूपा भारती-मैत्रेयी-गार्गीके सम्मान करब नहि सिखब, कोनो कार्य अधूरा रहतैक। एहि सभाके विकासमें सेहो महिलाके योगदान परमावश्यक छैक। एहि सम्मेलन में असगर महिला सहभागी बनयमें दुःख के अनुभूति, एहि क्षेत्रसँ कोनो महिला के सहभागी नहि बनब लेकिन मुखिया-सरपंच-समिति चुनावमें महिलाके उतारब बेईमान मानसिकताके द्योतक। समाजके विकासके हर क्षेत्रमें महिलाके सहभागिता जरुरी। माधवेश्वरनाथ महादेव मन्दिरके जीर्णोद्धार लेल तन, मन आ धन तीनू सँ प्रतिबद्ध भऽ के काज करब। जखन-जखन हमर जरुरी पड़त, बस एक बेर फोन कय देब, हम हाजिर रहब। इतिहासमें बिना लड़ने कोनो उपलब्धि प्राप्त नहि भेलैक अछि, अतः एहि सभाके विकास लेल एक जागृति जरुरी। वर बिकायवाला प्रथाके बन्द होयब जरुरी। लोक में जे भ्रान्ति छैक जे सौराठसँ केवल लांगड़-लूल्ह के विवाह होइत छैक, एकरा दूर करब जरुरी। बर बेचय के परंपराके परित्याग जरुरी। दहेज मुक्त मिथिला निर्माण के आवश्यकता सभ बुझैथ।

८. प्रो. सर्वनारायण मिश्र: नारी शक्तिके आह्वान - शंखनाद - सभके निन्द्रा तोड़य लेल अत्यन्त महत्त्वपूर्ण कार्य भेल आ आब विश्वास अछि जे एहेन क्रान्तिकारी बेटीके बदौलत परिवर्तन एबे टा करत। मन्दिर के जीर्णोद्धार लेल पूर्व विश्वस्त छी। एक जातिके संस्था कहियो सफल नहि रहलैक अछि। एहि में सभके योगदान जरुरी। विद्वान्‌ विधायक फय्याज मधुबनीके शान - विद्यापतिके मान के समस्त भारतमें शिक्षा क्षेत्रके विकास करैत कयलन्हि - आ प्रवीणजी नेपाल सँ आबि-आबि एहि संस्थाके विकास एवं पुनरोत्थान हेतु जे सराहनीय भूमिका निर्वाह कय रहल छथि एहि सँ स्थानीय जनमानसके संग समस्त मैथिल जे विश्वके विभिन्न भागमें छथि हुनका सभके लेल प्रेरणा के संचरण करयवाला होयत। इतिहास अहिना बनैत छैक। आइ हम सभ जे उद्देश्य लेल एहिठाम बैसल छी जेकर अध्यक्षता स्वयं एहि संस्थाके उद्यापक बाबु कुलधारी सिंह जी कय रहल छथि, हिनक नेतृत्वमें आब एहि काज के हुवय सऽ केओ नहि रोकि सकैत छैक। तदोपरान्त हमरा सभके संरक्षण देनिहार एहि माटिक प्रखर पुत्र फय्याज एवं बिहार विधानसभाध्यक्ष माननीय ताराकान्त झा जीके योगदान जे हमरा सभके मित्र निलाम्बरजीकेँ मार्फत भेटैत रहत तखन एहि कार्यके हम पूरा भेल देखि रहल छी।

९. प्रवीण ना. चौधरी: समस्त विश्वके लोक एहि तरफ टकटकी लगाके इन्तजार कय रहल अछि - बस आब एहि कार्य के पूरा करय लेल जे कदम आगू बढल ताहिके व्यवस्थापन एक सशक्त समिति द्वारा पारदर्शिताके संग करबाक जरुरी अछि। कोष निर्माण के आवश्यकताके आत्मसात्‌ करैत समस्त अभिभावकके आदेशानुसार रु.२५,००१/- के व्यक्तिगत अनुदान देबाक घोषणा। संगहि एहि पुनीत कार्य के पूरा करय लेल गाम-गाम याचनाके लेल तैयार। विगतमें कैल गेल प्रयास के संक्षिप्त जानकारी करबैत सभक तत्परतापूर्वक सहयोग लेल तैयार रहय के जानकारी। कुर्सों ड्योढिके पूर्व कीर्तिके प्रेरणा सँ स्वयं ओत-प्रोत रहैत आगू सेहो एहि लेल समस्त ड्योढिके सहयोग निरंतर राखय के प्रतिबद्धता। गाम-गाम सऽ १-१ रुपैया के जन-जनके सहयोग सऽ करोड़ों रुपया के इन्तजाम होयब कठिन नहि, काज करनिहार समितिके कमी। असगर शेखर बाबु सऽ सभ किछु संभव नहि, एहि लेल एक दल आ दलीय भावना के संग काज करय के परम जरुरी। स्वयं सदिखन तैयार रहके प्रतिबद्धता। सरकारी कोष पर कहियो कोनो लोभ नहि, निजी समष्टिगत्‌ सहयोग अत्यन्त महत्त्वपूर्ण। विधायक महोदय सँ निजी रूपमें संरक्षण कय देबाक निवेदन। निलाम्बर बाबु एवं मा. वि.स. अध्यक्ष के दहिन दृष्टि राखय लेल प्रार्थना। कुलधारी बाबु एवं सर्वनारायण बाबु के संग गिरिजा किशोर बाबुकेँ बाबा बैद्यनाथ के अनुकम्पा सऽ आइ एतेक आगू अयबाक स्पष्टोक्ति। आगामी समयमें सभा के आयोजन दसो दिन समारोह के रूपमें स्थानीय महाविद्यालय-विद्यालय स्तरके विद्यार्थीके सहभागिता करबैत विभिन्न सांस्कृतिक कार्यक्रम करैत विद्वत्‌ सभाके आयोजन करैत दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आरो विभिन्न जागृतिमूलक कार्य समूचा संसारमें मैथिलके जगाबय लेल होइत रहत तेकर भरोसा।

१०. मा. विधायक बिस्फी वि.स. क्षेत्र: डा. फैय्याज अहमद: स्वयं पर्यटन विकास समिति - बिहार सरकार के सदस्य होयबाक कारणे आ एहि माटि-पानि आ क्षेत्रके विधायक के रूपमें विकास लेल पूर्ण प्रतिबद्ध... अफसोस जे निजी कोष पर रोक के कारण अनुदान देबय सऽ असमर्थ रहलाह... लेकिन निजी तौर पर अपन यथासंभव आ बहुत उल्लेखणीय योगदान देबय लेल प्रतिबद्ध। प्रवीणजी के घोषणा अनुकरणीय आ एहि लेल हमर सर्वथा संरक्षण के वायदा - आर्थिक, शारीरिक आ आध्यात्मिक हर तरहें तैयार रहब। बहुत जल्दी जे मुख्यमंत्रीके द्वारा अवलोकन के कार्यक्रम अछि ताहि घड़ी हम आ निलाम्बर बाबु संयुक्त रूपे ज्ञापन पत्र सौंपैत समस्त परिस्थिति सऽ अवगत करायब आ अवश्य एहि जगह पर अपन कोष सँ चारू तरफ देवाल लगबावैत एकर आवश्यक संरक्षण करब। सभा सेहो लागैय एहि लेल समुचित प्रयास करब। हम एहि ठाम के पुत्र छी आ हरदम एहि धरतीके सेवामें लागल रहब।

११. बाबु कुलधारी सिंह, सभाध्यक्ष: एहि सभाके आयोजन आ सभ वक्ताके बात सुनि काफी उत्साहित, स्वयं शारीरिक रूप सऽ ततेक समर्थ नहियो रहितो एहि पुण्य कार्य लेल विधायक जी के मान राखय लेल - प्रवीणजी आ शेखर बाबुके उत्साहके रक्षाके लेल अपन अध्यक्षताके बरकरार राखब। एहि लेल जे समिति निर्माण होयत से पूर्ण पारदर्शी आ समर्पित लोक के समेटैत हर कार्य के सफलतापूर्वक निष्पादित करत ताहिके लेल पूरा तत्पर रहब। धन्यवाद।

१२. अधिवक्ता सोहनजी: सभके धन्यवाद ज्ञापन एवं प्रवीणजीके आह्वानके मानार्थ एक कर्मठ दल के गठन करय लेल सम्मेलन उपरान्त पुनः आधा घन्टाके समय माँग करैत हर कार्य होयत एवं सभके सहयोग रहत।

१३. सम्मेलन कालमें विधानसभाध्यक्ष डा. ताराकान्त झा जी केर फोन आयब आ समस्त सहभागीके शुभकामना देनाय, सभके उत्साहवर्धन। एक प्रस्तावना पत्र पठेबाक अनुग्रह।

सभा-उपरान्त एक समिति निर्माण जाहिमें मुख्यतः अध्यक्ष: बाबु कुलधारी सिंह उपाध्यक्ष - स्थानीय सौराठ सँ एक अभिभावक वर्ग, सचिव: प्रवीण ना. चौधरी, सह-सचिव: निलाम्बर मिश्र संयोजक: शेखर चन्द्र मिश्र, एवं अन्य समेत.
साभार:- प्रवीन नारायण चौधरी

कोशी महासेतु के नाम मिथिला के विभूति के नाम पर राखल जाई:- हुकुमदेव नारायण यादव

मधुबनी के सांसद हुक्मदेव नारायण यादव केन्द्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री के पत्र लिख क कोसी महासेतु के नामकरण के सुझाव देलैनी हे। मंत्री के लिखल पत्र में सांसद कहला हे कि जानकारी भेटल अछि कि इस्ट वेस्ट कारीडोर पर निर्मित कोसी महासेतु के उद्घाटन के तिथि आगामी 6 फरवरी क प्रस्तावित अछि। अगर अहि महासेतु के नामकरण मिथिला के कोनो पूजनीय व्यक्ति के नाम पर रखल जाई त बेहतर होयत। इ हमर व्यक्तिगत सुझाव अछि। सांसद पांच टा नाम के सुझाव मंत्रालय के देलिनी हे। सुझाओल गेल मिथिला के विभूति के नाम में प्राचीन जनक याज्ञवल्क्य , कारु खिरहर, मंडन भारती, महान स्वतंत्रता सेनानी स्व. देव नारायण गुरमैता आ मिथिला क दु टा राजनैतिक व सामाजिक धारा के वाहक स्व.भूपेन्द्र नारायण मंडल आ कांग्रेस नेता स्व. ललित नारायण मिश्र शामिल छैथ। सांसद ने कहला कि पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी अहि पुल के शिलान्यास केने रहैथ। अहि काम स ओ अहि धरती पर अमर रहता। इ पुल सांस्कृतिक, धार्मिक, सामाजिक, राजनैतिक आ राष्ट्रीय एकता के प्रतीक बनल रहत। सांसद हुकुमदेव नारायण यादव मंत्री स आग्रह केलैथ हे कि उक्त नाम मंत्रालय के जे नाम पसंद आबैन राखल जा सकैत अछि।

साभार:- दैनिक जागरण

मिथिला के भेल एकीकरण कोशी महासेतु बनी का तैयार

सुपौल:- कोसी नदी पर कोसी महासेतु के निर्माण कार्य पूरा भ गेल। मिथिलांचल और सीमांचल के दूरी अहि पुल के निर्माण स सिमटी गेला। ईस्ट-वेस्ट कारीडोर पर अहि महासेतु के चालू भेलाक बाद दरभंगा मधुबनी स सुपौल के दूरी घंटा भरी में तय भए कायल जा सकैत अछि। अहि पुल क चालू भए गेलक बात सुपौल के लोग सब के राजधानी के दुरी सेहो कम भए जेतैन। जहैनी की अखिनी सुपौल वाशी के राजधानी पटना , मधुबनी आ दरभंगा जाइ के वास्ते लगभग तीन सौ किमी के दूरी तय कर परैत छैन। अहि महासेतु के चालू भ गेलक बाद कोसी के अहि दुर्गम मार्ग के मिनट भरी में पार कैल जा सकैत अछि। यद्यपि निर्माण में लगाल कंपनी गैमन इंडिया के डीपीएम अमित कुमार कहैत छित की जनवरी तक काम पूरा भ जायत आ महासेतु के विभाग के हेंडओवर के देल जायत। आ जनवरी में उद्घाटन के संभावना बताओल जा रहल अछि। पिछला किछ दिन पाहिले केन्द्रीय गृह सचिव द्वारा महासेतु के हवाई सर्वेक्षण के लोग उद्घाटन के तैयारी स जोरी रहल छैथ।

यद्यपि आमलोग आब उद्घाटन के इंतजार नहीं क रहल छैथ आ राजधानी के दूरी सेहो आब अहि रास्ता सा तय करय लागला हे। मिथिलांचल के लोग कहां मानने वाले कभी नाव से उस पार जाकर सड़क का उपयोग करते हैं तो कभी पुल के ऊपर से ही।

छह जून 2003 क तत्कालीन प्रधानमंत्री अटल बिहारी बाजपेयी निर्मली में अहि महासेतु की नींव रखने छाला। लम्बा अंतराल तक निर्माण कार्य आ कोशी द्वारा बारंबार व्यवधान उत्पन्न कराइ के कारण आम लोग के आशा क्षीण हुआ लागल छल। लेकिन आब मिथिलावासियों के सपना सच होता प्रतीत भय रहल अछि। ७२ सालक लम्बा इंतजार के बाद एक बेर फेर मिथिला जे दू भाग में बाटी गेल छल जुरत। अहि पुल के निर्माण के ले क मिथिलांचल वाशी में काफी उत्साह छैन।

नवपल्लव लगातार दोसर सफल प्रोग्राम के संचालन केलक

अपन स्थापना केमात्र तीन महिना में नवपल्लव " Inspiring Talent Motivating Success " वितल रविदीन लगातार दोसर सफलतम कार्यक्रम के आयोजन दिल्ली के गाँधी शांति प्रतिष्ठान के सभागार में केलक. संस्था के पंजीकृत भेलाक बात इ पहिल कार्यक्रम छल . " Taxation " पर केंद्रित अहि प्रोग्राम में लगभग ५० गोटे अपन सहभागिता देलैनी. कार्यक्रम में श्री अमर कान्त झा(sr. Accountant ), श्री सत्येन्द्र झा (C.A ),Accounts, Income Tax, Salary पार्ट आदि पर व्याखान देलैनी उपस्थित छात्र काफी गंभीरता स हिनका सब के सुनलैनी . कार्यक्रम में आयल विशेष व्यक्ति में सुप्रीम कोर्ट वार एसोसिएसन के पूर्व अध्यक्ष श्री अशोक अरोरा , श्री राजेश झा , अम्बिका नन्द झा , संजीव झा , माधवेंत्र झा आदि उपस्थित छला.
अहि प्रोग्राम के सफल बनवाई के पूरा श्रेय नवपल्लव के श्री संतोष झा , श्री गोपाल जी गोपाल , श्री अमरकांत झा आ श्री भवन ठाकुर आदि के छैन.

Saturday, January 7, 2012

आरके कॉलेज स मोबाइल टीचिंग शुरू

लनामिवि के आरके कॉलेज मधुबनी में शुक्रदिन स मोबाइल टीचिंग के शुरूआत भ गेल। उक्त टीचिंग के उद्घाटन लनामिवि के कुलपति डॉ. एसपी सिंह केलैनी। हुनक संग प्रतिकुलपति डॉ. ध्रुव कुमार, कुलसचिव डॉ. विजय प्रसाद सिंह, उपकुलसचिव डॉ. केके चौधरी, एमएलसी डॉ. विनोद कुमार चौधरी, विज्ञान संकायाध्यक्ष डॉ. जयकर झा, वाणिज्य संकायाध्यक्ष डॉ. एसएम झा आ सामाजिक विज्ञान संकायाध्यक्ष डॉ. राजकिशोर झा, वाणिज्य आ व्यवसाय प्रशासन के प्राध्यापक डॉ. एलपी सिंह, भूगोल विभाग के प्राध्यापक डॉ. केकेएल दास आ अरुण कुमार झा मौजूद छलखिन।

साभार :- दैनिक जागरण

Friday, January 6, 2012

संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होयत

दरभंगा:- सीनेट की मुहर लगला के बाद संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होई के रास्ता साफ साफ़ भ गेल। नव पाठ्यक्रम में एमएड, कंप्यूटर विज्ञान, कर्मकांड, वास्तुशास्त्र, कुंडली निर्माण, आयुर्वेद, बीबीए, एमबीए, बीबीएड, मानवाधिकार आ योग विज्ञान में पीजी, फंक्शनल संस्कृत व अंग्रेजी, मौसम विज्ञान, पंचांग निर्माण, आध्यात्मिक व्याख्यान, गांधी चिंतन, डीटीपी, संस्कृत आ विधि, पीजीडीसीए में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स, बेसिक टीचर्स ट्रेनिंग, वैकल्पिक चिकित्सा, न्यास योग व स्ट्रेस मैनेजमेंट, ग्रंथालय विज्ञान शामिल केल जायत। ओतय दूरस्थ शिक्षा में मिथिलाक्षर, मानवाधिकार, बुद्धिस्ट स्टडी, फंक्शनल संस्कृत आ अंग्रेजी, ग्रंथ विज्ञान में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स के संगही बीएड आ एमएड के पढ़ाई सेहो होयत। अहि के साथ बौद्ध, जैन, आगम तंत्र, मीमांसा, प्राचीन इतिहास आ संस्कृति, पंजी, पालि, प्राकृत आदि विषय के स्वतंत्र विभाग स्थापित केल जायत।

-------------------------

छलक रहल छल मिथिला के संस्कृति

सीनेट के बैठक के दौरान मिथिला के संस्कृति के छलक दिख रहल छल। बैठक में विवि प्रशासन के ओर स तमाम सदस्य के मिथिला के परंपरा के अनुरूप पाग-चादर स अभिनंदित कायल गेलैनी, ओतय बैठक स्थल के भव्य सजावट कायल गेल छल। प्रवेश द्वार पर प्रधानाचार्य डॉ. महानंद झा आ डॉ. दिनेश झा सब अतिथि के अगवानी क रहल छला। मुख्य प्रवेश द्वार स सीनेट हॉल तक महर्षि याज्ञवल्क्य, विकास पुरुष ललित नारायण मिश्र, प्रसिद्ध ध्रुपद गायक रामचतुर मल्लिक, मिथिला पेंटिंग में ख्यात सीता देवी सहित विभिन्न मिथिलाक विभूति के चित्र लगाओल गेल छल।

साभार :- दैनिक जागरण

मधुबनी में लागत जनता दरबार त एकहत्था में हाईस्कूल बनत

मधुबनी:- मुख्यमंत्री नीतीश कुमार की आगामी 16 जनवरी स चार दिवसीय सेवा यात्रा के जोरदार प्रशासनिक आ राजनीतिक तैयारि शुरू भ गेल अछि। एक ओर पूरा प्रशासन मुख्यमंत्री के सेवा यात्रा के सफल बनावाई में जुटल अछि त ओतय दोसर दिस पूरा जद यू अहि सेवा यात्रा के ऐतिहासिक बनावै में दिन राति लागल अछि। प्राप्त जानकारी के मुताबिक मुख्यमंत्री के प्रस्तावित सेवा यात्रा 16 जनवरी स शुरू होयत। हुनक कार्यक्रम के अंतिम रूप देल जा रहल अछि। लेकिन जानकारी अछि कि ओ 18 जनवरी क जिला मुख्यालय में जनता दरबार आ 19 जनवरी क जयनगर में जनसभा के संबोधित करता। डीआरडीए भवन के आकर्षक ढंग स रंगाई-पोताई कैल जा रहल अछि । एतय ओ अधिकारि सबहक संग बैठक क योजना सब के समीक्षा करता। खुटौना स प्राप्त जानकारी के मुताबिक मुख्यमंत्री खुटौना प्रखंड के एकहत्था गांव सेहो जेता। अहि के मद्देनजर सालो स जर्जर बेलदारी-एकम्मा भाया एकहत्था सड़क के निर्माण युद्धस्तर पर चली रहल अछि। वृहस्पति दिन विधान पार्षद विनोद कुमार सिंह,जिलाधिकारी संजीव हंस, एसपी सौरभ कुमार, डीडीसी ओपी राय,फुलपरास एसडीओ अरूण कुमार सिंह स्थानीय जनप्रतिनिधियों के साथ गांव स्थित कब्रिस्तान के घेराबंदी, मध्य विद्यालय तक के संपर्क पथ, तालाब की तरफ स सुरक्षा दीवार, बृक्षारोपण आदि विषय पर विचार-विमर्श केला। आरडब्ल्यू डी 2 के सहायक अभियंता जीतेन्द्र कुमार सिंह, सीओ आदित्य कुमार दास आ बीडीओ शिवचंद्र कुमार के उक्त कार्य ससमय पूरा करै के निर्देश देल गेल। स्थानीय मदरसा रहमानिया में हैलीपैड के निर्माण के अंतिम रूप देल गेल। झंझारपुर स प्राप्त जानकारी के मुताबिक जिलाधिकारी संजीव हंस आ एसपी सौरभ कुमार तमुरिया स्थित एक हेचरी के निरीक्षण सेहो कलैंन। भ सकैत अछि कि अपन यात्रा के दौरान मुख्यमंत्री हेचरी देखै लेल तमुरिया सेहो जेता। तमुरिया रमौली उच्च विद्यालय में सेहो हैलीपैड बनवाई के बात कहल जा रहल अछि। डीएम व एसपी मखाना प्रोसेसिंग सेन्टर आ राईस मिल आदि के निरीक्षण केलैनी।

एकहत्था में हाईस्कूल बनत : डीएम

जिलाधिकारी संजीव हंस कहलैनी कि एकहत्था में सारी सुविधा स युक्त हाईस्कूल के निर्माण होयत । अहि के ल क जिलाधिकारी संजीव हंस विधान पार्षद विनोद कुमार सिंह, जदयू के पूर्व जिलाध्यक्ष सत्येन्द्र कामत, पार्टी के नेता वशिष्ठ मंडल, रजीक अहमद के संग ईदगाह स सटल गुलजार बाग मैदान के निरीक्षण कलैंन। ओ सीओ के हाईस्कूल निर्माण हेतु मैदान के उत्तर दिस स चार एकड़ भूमि के सीमांकन के आदेश देलैन। डीएम के अहि घोषणा स आस-पास के गांव में प्रसन्न्ता देखल जा रहल अछि।
साभार :- दैनिक जागरण