"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Wednesday, March 14, 2012

पिलखवाङ मॆ दुधिया रौशनी मॆ हॊयत फाईनल मैच‌

मिथिलांचल कॆ प्रसिद्ध‌ पिलखवार गांव में महावीर क्रिकेट क्लब के तत्वावधान में चलि रहल‌ दसम‌ टेनिस बॉल क्रिकेट टूर्नामेंट कॆ फाइनल आगामी रविदिन‌ 18 मार्च क होयत। पिछला 10 साल लगातार एमसीसी ईगल गॆंग द्वारा अहि टूर्नामॆंट कॆ आयॊजन भ रहल अछि। आयोजन समिति के सदस्य अजय कुमार झा स भॆटल‌ जानकारी के मुताबिक अहि वॆर कॆ फाइनल मैच कृत्रिम प्रकाश के बीच 18 मार्च क संध्या सात बजे स खेलल‌ जायत आ फाईनल मैच कॆ तैयारी काफी जॊर शॊर स चलि रहल अछि। ऒ कहलनि कि समापन समारोह में मुख्य अतिथि स्थानिय विधायक राम लषण राम रमण रहता। आ अहि मौका पर अन्य गणमान्य व्यक्ति सॆहॊ मौजूद रहता।

No comments: