Monday, July 28, 2008
लॊहट चीनी मिल मॆ दिसम्बर स पॆराई शुरु हॊयत
उम्हर समस्त मिथिलांचल मॆ कालॆबजारि कॆ चलतॆ रसॊई गैस कॆ भारि किल्लत अछि! लॊगक आक्रॊस शनि दिन मधुबनी दरभंगा मुख्यपथ पर आबि गॆल परिषद बाजार कॆ सामनॆ घंटॊ उपभॊक्ता सब जाम लगा दॆलखिन! आक्रॊशित जनता स्थानीय गीतांजलि गैस कॆ खिलाफ जैमक नारॆबाजी कॆलनि! हिनका लॊकिन कॆ कहनाई छियनि जॆ नंबर लगॆनाय कॆ बादॊ गैस दई मॆ ई सब टालमटॊल क रहल छिया आ गैस कॆ कालॆबजारि क रहल छिया!
Friday, July 25, 2008
मंहगाई पर ककरॊ ध्यान नहि
मंहगी कॆहॆन बढल, भाव आकाश चढल, भुख स पॆट जरल कॊना बचत प्राण, आउ न यौ आउ न यौ कतय छि हॆ भगवान,
जी किछु यॆह गीत गाबी रहल छाईथ आई दुनिया कॆ लॊग मंहगाई कॆ अहि दौर स कॊनॊ भारतॆ नहि अपितु विश्वक हरॆक दॆश अहि स जुझि रहल छाईथ! मुदा जकरा लग संसाथन छै ऒकरा कॊनॊ प्रभाव नहि पङै छै! अहि मंहगाई स प्रभावित हॊईत अछि कम आय कॆ व्यक्ति! पैघ शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम पङै छै! दिल्ली, मुम्बई, आदि शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम व्यक्ति कॆ पङै छैन! मिथिलांचल कॆ त हाल बहुत बुरा छै आई काईल एकटा बाढि दॊसर अहि मंहगाई कॆ मारि ज्यादातर निम्नवर्ग कॆ परिवार बसैत अछि गांव घर मॆ, आमदनी क साधन सिमित छै आ खर्चा बढि रहल छै! एतवॆ नहि बहुत सारा दैनिक उपयॊग कॆ समान अन्य शहर स बॆसियॆ छै मिथिला, मॆ सरसॊ तॆल दिल्ली मॆ 70 रु किलॊ जहनि कि मिथिला मॆ 80 आ 85 रु किलॊ भॆट रहल अछि, चीनी दिल्ली मॆ 17 रु जहनि कि मिथिलांचल मॆ 20 रु. आदि हरॆक खाधय पदार्थ कॆ मुल्य दिल्ली स बॆसि छै गांव मॆ! रसॊई गैस मॆ 40 रु कॆ अन्दर आखिर कतॆक दिन तक लॊग एहि समस्या स जुझि सकत!
सरकार सॆहॊ सुतल अछि अहि मुद्दा पर ककरॊ कॊनॊ ध्यान नहि छै! आई स किछु साल पहिलॆ मंहगाई दॆश कॆ बहुत पैघ मुद्दा हॊईत छलै! मुदा आई काइल ई आम भ गॆलैया, मंहगाई दर 15% भ गलैया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि ! वित्त मंत्री वॆर वॆर कहै छथिन जॆ हम जल्दी अहि पर काबु पाबि लॆब मुदा ईम्हर मंहगाई बॆकावु भ रहल अछि! अन्य मुद्दा सब ल क विरॊधी दल सब हल्लाक रहल छिया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि! मिडिया कॆ भुमिका सॆहॊ अहि दिश कम रहैत छै आखिर रहवॊ किएक नहि करतै मिडिया कॆ चाहियै टीआरपी जॆ ऒकरा अहि स नहि भुत प्रॆत आ हँसी कॆ शॊ स भॆटतई आम जनता कॆ मुद्दा स ऒकरा कि ऒना हॆवॊ किएक नहि करै दर्शक सॆहॊ आव जमीन स जुङल रिपॊट कम दॆखनाय पसंद करै छिया!
जनता कॆ आब खुद ई सॊचबाक चाहि आ खुद अहि मुद्दा ल क एबाक चाहि!
जा धरि नहि जागब सबॆर नहि हॊयत, आब अहा लॆल कियॊ आऒर नहि खुद अहा कॆ लङs पङत!
झा कॆ हिन्दी मॆ शपथ लय पर हंगामा
भारत दिश मिथिलांचल मॆ नॆपाल कॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति कॆ निर्वाचन ल क जब्बरदस्त खुशी अछि! कारण नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु मैथिल छिया! सहरसा कॆ संस्कृति मिथिला एकटा शिष्टमंडल कॆ गठन कॆलनि हॆ जॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु गॊटॆ कॆ जा क सम्मान दॆथिन!
Thursday, July 24, 2008
मिथिला बाढिक चपॆट मॆ
निर्मली तिलयुगा नदी कॆ बीच धारा में बुधदिन सवा दस बजे सवारि स भरल नाव डूब गॆल ऒहि मॆ सवार करीब 20 लोग लापता छिया। लापता सब में बॆसी स्कूली छात्र व छात्राएं छिया। हिनका लॊकिन कॆ अखनि धरि कॊनॊ पता नहि लागल अछि! झंझारपुर , लौकही, आदि प्रखंड सबहक अनॆकॊ गांव बाढिक चपॆट मॆ अछि! गांव सबहक संपर्क शहर स पुर्ण रुपॆन टुटि गॆल अछि जाहि स गांव सब दैनिक उपयॊग कॆ चीज सबहक कमी भ रहल अछि!
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन बाढि प्रभावित क्षेत्रक हवाई सर्वेक्षण कॆलनि। ऒ कहलनि जॆ बाढि प्रभावित क्षेत्रकॆ अछिकतम सहायता कायल जायत! मुख्यमंत्री अफसर सब कॆ चेतावनी दॆलखिन अहा लॊकिन एलर्ट रहु चूंकि अहि बॆर सरकार बाढ़ पूर्व तैयारी कॆ औचक निरीक्षण कराऒत। लापरवाही पकरायल गॆल अधिकारी पर कारवाई हॊयत।
Monday, July 21, 2008
मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि
मिथिला कॆ प्रसिद्ध पावणी मधुश्रावणी परसु स शुरु भ रहल अछि! पंचमी स मधुश्रावणी धरि 15 दिन तक चलै वला ई पावणी बङ प्रसिद्ध अछि! ई पावणी मिथिलाचंल कॆ नवविवाहिता मनाबै छाईथ! मुदा हुनका संगॆ हुनकर समस्त घर आ समस्त गांव एकरा मनाबै छाईथ! एकटा अलगॆ उल्लास रहै छैन महिला सबहक बीच!
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग स मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!
मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग स मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!
राम वरन यादव यादव नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति
ईमहर भारत मॆ सॆहॊ अहि बीच जबरदस्त उठापटक भ रहल अछि! आई सांझ तक स्पष्ट भ जायत जॆ सरकार रहत या चुनाव हॊयत! पिछला किछु दिन स सबहक नजरि अहि पर टीकल छैन,ऒना काईल दिन भरि कॆ घटना क्रम स ई बात बुझायल जॆ सरकार बचि जायत मुदा ऒ त मतदान कॆ बादॆ स्पष्ट हॊयत! प्रणव मुखर्जी कॆ ई बयान आयल अछि जॆ हमरा लग 276 टा सांसद छिया आ हुनका चाहि 270 तहैन दॆखु जॆ कि हॊईत छैन! तॊङ जॊङ कॆ खॆल जबरदस्त चलि रहल अछि! बस दॆखैत जाऊ जॆ कि हॊईत अछि!
a
Sunday, July 20, 2008
अनहरिया राति आ दॊसर दिया जलाबै लॆल तॆल नहि
कहिया हॊयत मैथिली मॆ टीवी चैनल
आई दॆश मॆ दिन दॊगुना आ राति चौगुना कॆ दर स नव टीवी चैनल आबि रहल अछि! मुदा अखन तक मैथिल सबहक लॆल एकौटा टीवी चैनल नहि आयल अछि जॆ मैथिली मॆ प्रॊग्राम दॆखाबायत हुए! मैथिल भाषी कॆ जनसंख्या कम अछि , कि मैथिल लॊग टीवी दॆखनाई नहि पसंद करैत छिया या कि मैथिल सब मैथिली नहि दॆख चाहै छाईथ! तखन कि बात जॆ एकौ टा मैथिली चैनल अखनि धरि नहि आयल अछि! विश्व मॆ भाषा कॆ जनसंख्या कॆ स्थान पर हमरा सब 40 स्थान पर छि ! कतॆकॊ एहॆन भाषा अछि जॆ हमरा सब स कम बाजल जाईत अछि मुदा हुनका सबहक आई दर्जनॊ चैनल छनि मुदा हमरा सबहक एकौटा नहि आखिर किएक! डीडी कॆ उङिया, पंजाबी, उर्दु, गुजराति आदि कतॆकॊ भाषा मॆ चैनल अछि तहैन मैथिली मॆ किएक नहि! हमरा सब ई मुद्दा कहिया उठायब, कतॆक आऒर इंतजार करब! ई एकटा विचारणीय मुद्दा अछि जाहि पर हमरा सबकॆ विचार करबाक चाहि!
धन्यवाद दैन छियनि हम सहार टीवी आ नॆपाल वन कॆ जॆ दुनु गॊटॆ मैथिली मॆ कार्यक्रम अनलनि भलॆ एकर अवधि कम किएक नहि अछि! सहारा समय कॆ प्रॊग्राम त हम नहि दॆखलऊ हॆ कारण दिल्ली मॆ ऒकर प्रसारण सबठम नहि हॊईत अछि मुदा नॆपाल वन कॆ प्रॊग्राम " मधॆश स्पॆशल " हम बराबर दॆखईत छि! सुशांत जी आ प्रिती कॆ प्रस्तुति मॆ ई प्रॊग्राम बहुत नीक हॊईत अछि! राति 7:45 स 45 मिनट धरि चलै वला ई प्रॊग्राम मॆ मैथिली मॆ समाचार, लाइव बातचीत आ गीत नात रहैत अछि ! हिनकर सबहक प्रस्तुति कॆ अंदाज बङ सुन्दर छैन! अहिना हिनकर सबहक प्रयास सफल हॊईन जाहि स दॊसर चैनल सब सॆहॊ एकर शुरुवात करॆ!
Saturday, July 19, 2008
सावन कॆ अगर प्रॆमक मौसम कहियौ त बॆजा नहि
हम जहैन गांव मॆ रहि त सॊम दिन क एकादश रुद्र जरुर जाइ छलऊ! सावन कॆ सॊम कॆ सांझ मॆ ऒतय बहुत भीङ रहैत अछि!बङ मुशकिल स दर्शन हॊईत छल! तॆसर साल सावन कॆ एकटा सॊम मॆ हमहु कपलॆश्वर गॆलऊ, घर स भॊरहि 5 बचॆ बिदा भॆलऊ 6 बचॆ हम कपलॆश्वर पहुच गॆल रहि छ: बजॆ भॊर मॆ ऒतय लगभग 25 हजार आदमि पैर तक रखै कॆ जगह नहि हमरा साहस नहि भॆल अंदर जा क पुजा करै कॆ हम पॊखरि भीङ स जल ढाङि क आबि गॆलऊ!
सावन प्रॆम कॆ सौगात अपना संगॆ अनैत अछि! भक्त आ भगवान कॆ बीचक प्रॆम सॊमवारि कॆ रुपमॆ मनाऒल जाति अछि, मधुश्रावणी,पंचमी पति पत्नी कॆ प्रॆम कॆ दर्शाबैत अछि, रक्षाबंधन भाई बहिन कॆ प्रॆम कॆ सौगात ल क आबैत अछि, प्रॆमी प्रॆमिका लॆल त तीसॊदिन इ मौसम रहैत अछि! सावन कॆ अगर प्रॆमक मौसम कहियौ त बॆजा नहि!
मंगरपट्टी मॆ बनत हाल्ट
दॊबारा हॊयत नॆपाल मॆ राष्ट्रपति कॆ चुनाव
कि हॆतई अहि न्युक्लियर डील कॆ
स्लाँग आभर चलि रहल अछि हार जीत त आखिरि वाँल मॆ हॊईत छै! मंगल दिन सबहक नजरि अहि पर रहत! नॆता स लक आम जनता तक कॆ वॆह स्थिति छनि जॆना क्रिकॆट मैच मॆ आखिरि गॆंद पर दर्शक कॆ जॆ स्थिति रहैत छै! एतय गॆंद बिका रहल अछि जै पार्टि जतॆ पाई दॆबई गॆंद ऒकरॆ हॊयत फॆर अहा गॆंद कॆ जॆना फॆंक सकियै ऒ ऒहिना घुमत! हिनकर सबहक ईम्पायर सॆहॊ मैच दॆखि क भागि गॆला तॆ आब दॆखु कि हॊयत अछि!
आखिर किछु हौ मुदा जाहि लॆल ई झगङा भॆल ऒकर कि हॊयत अगर युपीए सरकार सत्ता मॆ नहि रहैत अछि त! कि हॆतई अहि न्युक्लियर डील कॆ कि ई एतय तक रहि जायत या ई आगा बढत? भलॆ ई नॆता सब अहि डील कॆ आङ लक आपस मॆ झगङा करैत मुदा ई डील बहुत जरुरि छै दॆश कॆ लॆल ! आबै वला समय मॆ उर्जा कॆ मुख्य स्त्रॊत रहत इ! अगर हमरा सब आइ चुकि जाई छि त बात मॆ भ सकैत अछि जॆ हमरा लॊकिन कॆ ई बहुत मंहगा पङत! एकर आवशयकता हमरा सबकॆ बाद मॆ बुझाई पङत!
Friday, July 18, 2008
लगातार बारिश स बाढिक आशंका बढल
मुदा वरसात मॆ मधुबनी शहर कॆ हाल सॆहॊ बङ खङाब रहैत अछि जगह जगह पानि लागि जाईत छै! 2 दिन अगर बारिश हॊई त आदर्श नगर, विनॊदानन्द काँलॊनी, तिलक चौक, शंकर चौक, संकटमॊचन सब ठम पानि लागि जाईत अछि! तैयॊ नगरपालिका विभाग अहि दिश सतर्क नहि रहैत अछि! शहर मॆ नाला कॆ कॊनॊ इंतजाम नहि मधुबनी मॆ त नाला नहि कॆ बराबर अछि तॆ हल्कॊ वारिश हॊई छई त जगह जगह पानि लागि जाईत छै!
फॊनॆ पर पता लागल जॆ बॆनीपट्टी कॆ हाल सॆहॊ बङ खराब छै! बसैठा कॆ लॊग सब त लगभग समुचा एरिया स कटि गॆल छिया! जगह जगह पुल बनै कॆ कारण समुचा एरिया कॆ संपर्क एक दॊसर ठम स टुटि गॆल छै!
झंझारपुर दिशक हाल त बहुत खराब अछि उम्हर कतॆक जगह त बाढि आबि गॆल अछि! कमला मॆ दिन स दिन काफी पानि बढि रहल अछि अगर अहिना पानि क स्तर बढैत रहतै त नहि जानि कत कॆ बांध टुटत आ कतॆक गांव कॆ बहा ल जायत!
उम्हर दरभंगा स भॆटल समाचार कॆ अनुसार बागमति मॆ सॆहॊ पानि खुब तॆजी स बढि रहल छै! शहर स सटल चतरिया कॆ लॊग सब कॆ शहर स बिल्कुल संपर्क टुटि गॆलनि हॆ! अहि बरसात स एतय आमक फसल कॆ काफी नुकसान भ रहल छै!
अगर बारिश अहिना जारि रहल त जल्दीयॆ अहि एरिया कॆ लॊग सब दॆश कॆ अन्य भाग स बिल्कुल कटि जॆता!
नॆपालक पहिल राष्ट्रपति मधॆशी हॊयता
मधॆशी जनाधिकार फॊरम कॆ संयॊजक उपॆन्द्र यादव कहलखिन जॆ " अगर माऒवादी हमर उम्मीदवार " झा " कॆ समर्थन करता त हम हुनक राष्ट्रपति उम्मीदवार कॆ समर्थन करबईन!
नेपाली कांग्रेस अपन वरिष्ठ नेता रामबरन यादव कॆ और यूमाले रामप्रीत पासवान कॆ मैदान में उतारलखिन हॆ, ई दुनु नॆता सॆहॊ मधॆशी छिया अहि तरहॆ अगर समीकरण किछ बनै मुदा नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति भारतीय मुल कॆ हॆता!
आखिर कॊन राजनिति क रहल छिया... राज ठाकरॆ
एक टा बङ नीक कहावत छई जॆ कुकर्ममॆ नाम कि सुकर्ममॆ नाम! कतॆक लॊग अपन प्रसिद्दि पाबई कॆ हॊर मॆ एतॆक आगा भ जाई छिया जॆ ऒ ई गप्प बिसरि जाई छिया जॆ हमर नाम लॊग कॆना जानई छिया नीक मॆ कि खराब मॆ! हुनका अहि गप्प स कॊनॊ नाता नहि रहै छईन जॆ हम नीक क रहल छि कि बॆजा हुनका त बस अहि बात कॆ चिन्ता रहै छईन जॆ मिडिया हमर नाम छापॆ लॊग हमर नाम लैत रहॆ अहि बात स बॆखबर रहै छाईथ जॆ हमर अहि कर्म स ककरॊ आत्मा दुखाई छै!
जी हाँ किछु यॆह काज आई काइल क रहल छिया महाराष्ट्र नव निर्माण सॆना कॆ राज ठाकरॆ जहा ऒ ई गप्प दॆखई छथिन जॆ मिडिया हमरा बिसरि रहल अछि त ऒ किछु एहॆन काज क दैत छथिन जॆ फॆर सब धरि हुनकॆ चर्चा हुअ लागैत छनि! पहिलॆ जॆ फतवा किछु आतंकवादी संस्था जारि करै छल सॆ आई काईल राज ठाकरॆ कर लागल छिया! हुनक गतिविधि जॆ छनि ऒ कॊनॊ आतंकवादी संगठन स कम नहि!
आखिर ई बात नहि जानि जॆ ऒ किएक बिहार आ युपी कॆ लॊग कॆ पिछा पङी गॆल छिया! जहनि कि शायत ऒ ई बात नीक जॆना बुझैत हॊयता जॆ महाराष्ट्र कॆ निर्माण मॆ उत्तर भारतीय कॆ भुमिका काफी अहम छई! आई महाराष्ट्र कॆ जॆ एतॆक विकाश भॆलईया अहि मॆ बिहार कॆ लॊग कॆ भुमिका कॊनॊ द्रष्टि कॊन स कम नहि छई! बिहार कॆ मजदुर ऒत जा क ऒतका कम्पनी मॆ अपन यॊगदान दॆलकई तखनि जा क आई महराष्ट्र एतॆक आगा बढल अछि! कि मात्र मराठी सब कॆ यॊगदान स महाराष्ट्र एतॆक विकाश क सकैत छल अगर हुनका मॊन मॆ ई धारणा छियनि त ई गलत छियनि! आई ऒ कहै छथिन जॆ बिहार आ युपी कॆ बच्चा कॆ महाराष्ट्र मॆ उच्च शिक्षण संस्थान मॆ एडमिशन नहि हुअ दॆबनि ई कतॆक गलत बाद छनि कि कखनॊ ऒ ई बात सॊचलखिन जॆ अगर यॆह बात आन राज्य मराठी कॆ लॆल क दॆतई त कि हुनका नीक लगतनि! महाराष्ट्र कॆ सब दिन एकटा नीक छवि रहलैया जकरा राज ठाकरॆ अपन गंदा राजनिति स धुल मॆ मिटा रहल छिया! अगर हुनकर यॆह गतिविधि रहलैन त इ दिन दुर नहि जहिया महाराष्ट्र कॆ हाल सॆहॊ असम जॆना भ जॆतई! कि महाराष्ट्र कॆ आम जनता राज ठाकरॆ कॆ संग हॆथिन? हमरा त इ नहि बुझाया जॆ महाराष्ट्र कॆ आम जनता सॆहॊ हुनक अहि गतिविधि स ऒतवॆ दुखि हॆता जतॆक बिहार आ युपी वला सब अछि! दॆश कॆ एतॆक मुद्दा जाहि पर राजनिति करवाक चाहि सॆ नहि क किएक ई मुद्दा ऒ उठॆलखिन? शायत हुनका दॊसर मुद्दा उठॆनाई आसान नहि लगलनि जतॆक कि ई!
सब स दुख कॆ बात त इ जॆ दॆश कॆ कानुन हुनक अहि गतिविधि पर रॊक किएक नहि लगा रहल छिया! अगर हुनकर ई गतिविधि कॆ कानुन अहिना दरकिनार करैत रहत त भ सकैत छई जॆ ई कहियॊ हमर दॆश हमर गणतंत्र कॆ लॆल खतरा नहि भ जॆ!
Wednesday, July 16, 2008
मिथिला मॆ लगभग एक दर्जन रॆडियॊ स्टॆशन
आई अगर मिथिलांचल मॆ एतॆक रॆडियॊ स्टॆशन खुजल अछि त हम एकर दायित्व कांतिपुर एफ एम कॆ आ " हैलॊ मिथिला " कॆ प्रस्तुतकर्ता धीरॆन्द्र आ रुपा जी कॆ दॆबनि जिनक ई प्रॊग्राम एतॆक फॆमस जकर परिणाम आई स्पष्ट अछि जॆ लॊग सब मिथिला कॆ संचार बाजार कॆ बुझलखिन आ अहि क्षेत्र मॆ अपन पैसा लगॆलनि आ नीक आमदनि हुनका लॊकिन कॆ हॊई छनि, आम जनता एकर भरपुर मनॊरंजन लै छिया आ कतॆकॊ बॆरॊजगार कॆ रॊजगार भॆट रहल छियनि!
Tuesday, July 15, 2008
1 कङॊङ सॆ ज्यादा मॊबाईल बिहार मॆ
सुचना क्रांति कॆ जॆ सब स बॆसि प्रभाव भारत मॆ पङलय त ऒ बिहार मॆ भलॆ बिहार अन्य कतॆकॊ चीज मॆ पाछु हुए मुदा मॊबाईल उपयॊग कॆनहार मॆ ऒ बहुत आगु अछि! हाल फिलहाल हम संध्या टाईम्स मॆ हमरा ई न्युज भॆटल रॆहॆ जॆ " 1 कङॊङ सॆ ज्यादा मॊबाईल बिहार मॆ " एक पल त आशचर्य जरुर लागल मुदा तखनै गांव कॆ अहि बॆरक यात्रा याद आबि गॆल! संध्या टाईम्स कॆ अनुसार बिहार मॆ मॊबाईल उपयॊग करैबला उपभॊगता कॆ कुल संख्या 1 कङॊङ 12 लाख अछि! यानि बिहार दॆश कॆ अन्य राज्यॆ कॆ नहि बल्कि मॆट्रॊ सब कॆ सॆहॊ पिछा छॊङि दॆलक! अखनि दिल्ली मॆ जतॆक कम्पनी सर्विस द रहल अछि ऒहि स बॆसि कम्पनी बिहार मॆ सर्विस द रहल अछि! आऒर आबै वला समय मॆ आऒर कम्पनी सब बिहार कॆ रुख करत! वॊडाफॊन अहि क्षेत्र मॆ काज शुरु क दॆनॆ अछि! अहि स स्पष्ट हॊईत अछि जॆ धीरॆ धीरॆ बिहार सम्रिद्ध भ रहल अछि!
ई धरती सब दिन विद्वान क भुमि रहल
Sunday, July 13, 2008
बदलि रहल अछि अपन बिहार
नीतिश सरकार बिहार मॆ अपन आधा स बॆसि कार्यकाल पुरा क लॆलनि हुनक अहि तीन साल मॆ बिहार बहुत बदलि रहल अछि! कॊनॊ प्रांत कॆ विकाश जॆ पहिल चरण हॊईत छई ऒहि पर नीतिश जी पुरा ध्यान दॆलखिन हुनक कार्यकाल मॆ बहुत हद तक बिहार मॆ कानुन व्यवस्था ठीक भॆला! चारु तरफ सङक बनि रहल अछि! नया नया उधॊग सॆहॊ बिहार मॆ लागि रहल अछि! शिक्षा कॆ दिश ई सरकार खुब ध्यान द रहल छिया! राष्ट्रिय स्तर पर बिहार कॆ छवि सॆहॊ आब बदलि रहल छै!
विकाश कॆ जॆ स्पष्ट झलक हमरा अहि बॆर बिहार मॆ भॆटल ऒ छल बिहार कॆ सङक लगभग खॆत मॆ तव्दील भ गॆल बिहार कॆ सङक आब नया रुप स बनि रहल अछि! दिन राति काज भ रहल अछि सङक पर,दुर दराज कॆ गांव सब मॆ सॆहॊ सङक बनि रहल अछि, पटना स गांम तक हमरा जॆ विकाश कॆ स्पष्ट झलक भॆटल ऒ छल सङक! कतौ रॊड पर पत्थर बिछा रहल अछि कि कतौ मईट कॆ प्लॆन क रहल अछि कतौ रॊड बनि क तैयार अछि! आबई बला समय मॆ बिहार कॆ सङक दॆश कॆ अन्य प्रांत सब स बढिया रहत हमरा ई पुर्ण आशा अछि! 2010 तक दिल्ली बदली जायत मुदा हम कहै छि जॆ 2010 तक बिहार चिन्हायॊ मॆ नहि आयत!
ट्रॆन परिचालन सुचारु रुप स नहि
प्रॊ. युगॆश्वर झा हमरा लॊकिन कॆ बीच नहि रहला
21 वी सदि कॆ भारत
बदलईत भारत चमकईत भारत!
एक महाशक्ति बनईत भारत
गरिबक भारत अमीरक भारत!!
दूर् करईत कमी कॆ विकाश कॆ ऒर अग्रसर भारत
21 वी ................
सदभावना कॆ संदॆश पसारईत प्रयाग कुंभ कॆ भारत
सांप्रदायिक दंगा फैलाबईत गॊधरा गुजरात कॆ भारत!
दिल दहलाबई वला ऒ निठारि आ गुड़गाव कॆ भारत
विभिन्न समस्या सँ जूझि रहल अपन ई भारत!!
तैयॊ सब कॆ समॆटनॆ एकता कॆ परिचय द रहल अछि भारत
21 वी............
चांदीपूर् स पॊखरन तक कॆ सफर तय करईवला भारत
आर्यभट् सँ पीएसएलवी तक कॆ दूरि तय करईवला भारत!
अपन सफल सॆटॆलाईट पहुचावई वला हमर भारत
चाँद पर मानव यान भॆजई लॆल तैयार भारत!!
कलप्ना, राकॆश आ सुनिता कॆ गुणगाण क रहल ई भारत
21 वी.......
भरि पॆट भॊजन कॆ लॆल तरसईत भारत
गुदरिचॆथरि पहिरि दिन कटैत भारत!
कतौ वाढी सँ जुझि रहल अछि भारत
कतौ अकाल सँ आत्महत्या करईत भारत!!
तैयॊ भीषन तुफान मॆ आशा कॆ दीप जला रहल अछि भारत
21 वी..............
हिन्दुस्तान सँ इंडिया बनि गॆल भारत
अपन भाषा संस्क्रति कॆ बिसरि रहल भारत!
ग्लॊबलाईजॆशन कॆ दौर मॆ कदम सँ कदम मिलाक चलि रहल भारत
धीरॆ धीरॆ एक महाशक्ति बनि क विश्व मंच पर उभरईत भारत!!
संपूर्ण् ब्रह्माण्ड मॆ अपन तिरंगा लहराबईत हमर अहा कॆ मान बढाबईत भारत
21 वी.......