"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, April 1, 2013

संजय के नजरि सँ महाभारत देखता राजनाथ सिंह


भाजपा आकर्षक दलित चेहरा डॉ संजय पासवान काफी समयक बाद एक बेर फेर संगठन में अहम जवाबदेहिक संग देखाई देता। भाजपा अध्यक्ष राजनाथ सिंह के नवटीम में डॉ पासवान के एकटा महत्वपूर्ण नव जवाबदेही भेटलैनी हें। दरभंगाक रहनिहार डॉ पासवान के भाजपा अनुसूचित मोर्चाक राष्ट्रिय अध्यक्ष मनोनित कायल गेला हे।
अहि सँ पूर्व संजय पासवान अटल बिहारी वाजपेयी के कार्यकाल में केन्द्रीय मंत्री सेहो रही चुकल छैथ। नवादा के पूर्व सांसद डॉ पासवान शिक्षाविद सेहो छैथ।
चुनावी वर्ष में अनुसूचित जाती प्रकोष्ठक अध्यक्ष के रूप में हिनकर सफ़र आसन नहीं नज़र आबि रहल अछि। भाजपाक परंपरागत वोट बैंक सँ अलग बुझई जाई वाला वर्ग के भाजपा दिश आकर्षित करवाक लेल डॉ पासवान के बहुत रास मुशिकल झेलय पड़तेन।खास कय बिहार ,यूपी सनक हिन्दीभाषी क्षेत्र में जतय अनुसूचित जातिक वोट बैंक पर क्षेत्रिय दलक पकड़ काफी मजबूत अछि ओतय दलित वोट बैंक के भाजपा दिश खिचनाइ अपना आप में एकटा चुनौती पूर्ण कार्य अछि। हालंकि शेक्षणिक , बौद्धिक जगत में दलित चेहराक तौर पर डॉ पासवान के स्वीकार्यता निर्विवादित अछि मुदा व्यक्ति आभा मंडल आकर्षित अनुसूचित जातिक लोग भाजपा दिश कतेक आओत से कहब कठिन अछि। ओना टीमक घोषणाक तुरंत बाद अपन पहिल प्रतिक्रिया दैत डॉ पासवान कहला की पार्टी टीम के हम अपना दिश निराश नहीं करब जे जवाबदेही हमरा भेटला ओकर पूर्ण रूपेण निर्वहन संगे संग पार्टीक अपेक्षा के मद में परिणत करैक हमर पूरा प्रयास रहत। उम्मीद अछि अनुसूचित जातिक लोग आवै वाला समय में साबित कय देता की हुनकर आकर्षण व्यक्तिक प्रति नहीं विचार देशक प्रति अछि भाजपा कतौ सँ कोनो समाज कोनो वर्ग समुदाय लेल अछूत नहीं अछि। चुनावी संग्राम में बात सावित जायत की अनुसूचित जातिक लोग भाजपाक प्रति समर्पण आकर्षण राखैत छैथ।

डॉ संजय पासवान के आलावा आओर मैथिल चेहरा के भाजपाक नव कार्यकारणी टीम में शामिल कायल गेला जाही में सांसद पार्टीक पूर्व बिहार प्रदेश अध्यक्ष डॉ सीपी ठाकुर मध्य प्रदेश भाजपा के पूर्व अध्यक्ष राज्यसभा सांसद श्री प्रभात झा के उपाध्यक्ष बनाओल गेलैनी हे ओतही अहि बेर के राष्ट्रिय कार्यकारणी में बिहारक दबदबा सेहो रहल राजीव प्रताप रूढी धर्मेन्द्र प्रधान के महासचिव बनाओल गेला बागी छवि रखै वाला श्री रामेश्वर चौरसिया रेणु साहा के राष्ट्रिय सचिव के जिम्मेदारी देल गेला।
अहि सँ एकबात स्पष्ट अछि जे नरेन्द्र मोदी खेमा में सेहो बिहारक दबदबा कायम अछि।

मैथिली दैनिक अखवार मिथिला आवाज में प्रकाशित लेख 

दिल्ली के बीजेपी कार्यालय सँ अमिताभ भूषण के संग हम

2 comments:

nitu said...


For free download of Maithili Films, Maithili Movies

Anonymous said...


nice information, for Maithili movies do visit this site. MAITHILI MOVIES