"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Monday, November 17, 2008

विधापति पर्व समारॊह कॆ आयॊजन कायल गॆल

जन जाग्रति मंच पालम कॆ तत्वाधान (दादा दॆव मॆला ग्रांउड) मॆ एक दिवसीय विधापति पर्व समारॊह कॆ आयॊजन कायल गॆल! जाहि मॆ मुख्य अतिथि कॆ रुप मॆ मैथिली पुत्र " प्रदिप झा " अपन सहभागिता दॆनॆ राहैत! आऒर अतिथि सब मॆ मैथिली भॊजपुरि अकादमी कॆ चीफ अनिल मिश्रा, शिक्षाविद संद कुमार चौधरि, विधान पार्षद संजय झा आऒर अनॆकॊ अतिथि सब अपन सहभागिता दॆनॆ रहाईथ! प्रदिप झा दिप जला क कार्यर्कम कॆ उद्घाटन कॆलनि! श्री झा अपन लीखल गीत जगदम्ब अहि अवलम्ब हमर गीत सुना क दर्शक कॆ मंत्र मुग्‍ध कए दॆलखिन! श्री चौधरि अपन संवॊधन मॆ मैथिल सब स आग्रह कॆलखिन जॆ हमरा लॊकिन कतौ रहि मुदा अपन भाषा आ अपन संस्क्रति कॆ नहि बिसरियई! श्री चौधरि संस्था कॆ मा‍ग जॆ अहि एरिया मॆ एकटा मिथिला संगीत विधालय हॆवाक चाहि ताहि बात कॆ रखैत श्री चौधरि कहलखिन जॆ जल्दीयॆ दारका मॆ एकटा संगीत विश्‍वविधालय कॆ निर्माण करायल जायत!
दिल्ली मॆ मिथिलावाशी कॆ भुमिका कतॆक अहम भ कॆलई या एकर एकटा नजारा काईल विधापति समारॊह मॆ दॆखल गॆल! ऒहि एरिया कॆ जतॆक उम्मीदवार छाईथ सब अपन बहुमुल्य समय मॆ स समय निकाली क एतय पहुचल रहाईथ! जाहि कारण सांस्क्रति प्रॊग्राम मॆ बीच बीच मॆ ब्यवधान सॆहॊ भॆलई!
लगभग 5000 कॆ संख्या मॆ पहुचल दर्शक सब मिथिला कॆ लॊकप्रिय गायक आ गायिका कॆ सुनि खुब आनंद उठॊला! हॆमकान्त झा, सुरॆश पंकज, अंजु झा, कुंज बिहारि, कुमारि पुजा, सुमन जी, अमॊद कुमार झा, विकाश आऒर अनॆक गायक गायिका सब छला! स्थानीय बच्चा सब कॆ विधापति गीत सुनि दर्शक खुब प्रसन्न भॆला!
समारॊह मॆ मिथिला पॆंटिंग कॆ स्टाल आ मिथिला स जुरल अचार , मसाला, सुप , कॊनिया, खराम, पाग, जॆनऊ, आदि अनॆकॊ चीज ऒहि स्टाल मॆ छला! समारॊह मॆ भॊज कॆ सॆहॊ आयॊजन छल!

No comments: