"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, October 2, 2008

समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना


समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना!
21 वी सदि मॆ बहुत किछु बदलि गॆल लॊकक व्यवहार स ल क रहन सहन सब किछु बदलि गॆल!आखिर जहनि सब किछु बदलि गॆल त पुजा पाठ मॆ किएक नहि बदलाव कॊनॊ बङ अचम्भा कॆ गप्प नहि! आई जतॆक पुजा पाठ भ रहल अछि हमर सभक बाबा कॆ जमाना मॆ नहि हॊईत छलनि! ज ज कलयुग बढल जाईत अछि लॊग पुजा आऒर क रहल छिया! आई गांव स लक मॆट्रॊ सब दिन कॊनॊ नहि कॊनॊ नहि पुजा हॊईत अछि! एक एक टा गांव मॆ साल मॆ छ छ बॆर नवाह हॊईत अछि!
शहर सब मॆ त एक एक टा पुजा मॆ अरबॊ रुपैया खर्चा क दैत अछि! जकर कॊनॊ ऒचित्य नहि! आई काईल लॊग पुजा कॆ मनॊरंजन स जॊङि दॆनॆ अछि! अहि पुजा मॆ ऒ सब बिशॆश रुचि लैत छिया जिनक रहन सहन अहि स बिल्कुल अलग छियनि!
पुजा कॆ नाम पर लॊग स जबरदस्ती चन्दा वसुलनाई ई त आम बात भ गॆल अछि! कतॆक जगह त डरा धमका क चन्दा वसुलनाई आम बात भ गॆल अछि!
पहिलॆ लॊग भक्ति मन स पुजा करैत छला मुदा आई काईल कम्पीटिशन भावना स पुजा क रहल छिया! पहिलॆ लॊगक ई विचार छलनि जॆ कतॆक भावना स पुजा करि मुदा आई ई विचार अछि जॆ कतॆक चमक दमक स पुजा करि!
अपनॆक लॊकिन हमर अहि विचार पर अपन विचार दॆब!
सब गॊटॆ पुरा भक्तिमन स मां दुर्गा कॆ पुजा करु आ दॆशक शांति कॆ कामना मा स करु!

1 comment:

Gajendra said...

ahu ke shubhkamna sonu ji