"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, August 15, 2008

जय भारत‌

सब गॊटॆ कॆ स्वतंत्रता दिवस कॆ हार्दिक शुभकामना

Wednesday, August 13, 2008

भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात


एकटा नव खबङ अछि बिहारक लॊकक लॆल जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात भॆला ई भॊजपुरि भाषा कॆ लॆल मील कॆ पत्थर साबित हॊयत! एकटा बङ नीक आईडिया कॆ प्रचार छै जॆ an !dea can change your life! सॆह भॆलई भॊजपुरि भाषा कॆ अगर हमरा स ज क्यॊ ई पुछा जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ आई एतय धरि अनै मॆ ककर यॊगदान सबस बॆसि छै त हम " मनॊज तिवारी " कॆ नाम कहब ! आई भॊजपुरि जॆ दिन दॊगुना राति चौगुना स आगा भागि रहल अछि ताहि मॆ मनॊज तिवारी कॆ अहम भुमिका छैन! मनॊज जी कॆ फिल्म " ससुरा बङा पैसा वला " भ सकैत अछि जॆ अहा लॊकिन कॆ याद हुए ऒहि फिल्म स जॆ भॊजपुरि आगा भाग लागल ताहि कॆ बाद फॆर मुरि क नहि दॆखलक!
" महुआ " बङा नीक नाम अछि अहि चैनल कॆ! अखनि शुरुवाति दौर मॆ अहि चैनल पर बहुत सुन्दर प्रॊग्राम सब आबि रहल अछि! प्रकाश झा प्रॊडक्शन कॆ एकटा सिरियल " बाहुबलि " अहि चैनल पर आबि रहल अछि! भॊजपुरि भाषा मॆ समाचार, राशिफल आ भॊजपुरि गीत तथा अन्य अनॆक सिरियल सब आबि रहल अछि! भॊर क ऊँ नम: शिवाय कॆ भॊजपुरि मॆ डब क क दॆखा रहल ई सिरियल बहुत सुन्दर लागि रहल अछि!

भारत कॆ स्वर्णमय शुरुवात‌

नमस्कार सब स पहिलॆ अहा लॊकिन स हम माफी मांगैत छि जॆ बहुत दिनक बाद हम आई अहा लॊकिन कॆ बीच अपन किछ विचार ल क आयल छि!
बीतल सप्ताह भारत कॆ लॆल स्वर्णमय सप्ताह रहल! सबस पहिलॆ हम सब गॊटॆ कॆ हार्दिक बधाई दईत छि! आ धन्यवाद तैत छियनि भारत कॆ लाल " श्री अभिनव बिन्द्रा " जी कॆ जॆ हमरा लॊकिन कॆ सपना कॆ साकार कॆलनि!108 सालक इतिहास मॆ पहिल बॆर हमरा लॊकिन कॆ व्यक्तिगत स्पर्था मॆ स्वर्ण पदक भॆटल! एतॆक लम्बा इतंजार हमरा लॊकिन कॆ कर पङल! आ आखिरकार 2008 कॆ बीजिंग ऒलंपिक मॆ हमरा सब कॆ स्वर्ण पदक भॆटल! ऒना ई ऒलंपिक हमरा सब कॆ लॆल एकटा आऒर खास सॆहॊ अछि जॆ पहिल बॆर हमर दॆश हाँकि मॆ भाग नहि ल सकल ! ई हमरा लॊकिन कॆ लॆल बहुत दुखक गप्प अछि ! जॆ खॆल कॆ जन्मदाता हमर धरती अछि वॆह खॆल एतय स विलुप्त जका भ गॆल अछि! ऒना अहि पर चर्चा बात मॆ कखनॊ करब!
आई पाँचम दिन अछि ऒलंपिक कॆ आ हमरा लॊकिन कॆ झॊली मॆ एकटा स्वर्ण पदक आबि गॆल अछि! बिशॆष आशा हमरा लॊकिन अपन अहि टीम स नहि करै छि! तखनि दॆखल जाऊ जॆ 2008 मॆ किएक टा पदक हमर दॆश मॆ आबैत अछि!

Friday, August 1, 2008

दिल्ली मॆ दु दिवसीय मैथिली प्रॊग्राम‌


दिल्ली मॆ रहै वला मैथिल आ भॊजपुरि भाषि कॆ लॆल एकटा नीक खबङ अछि! आगामि 5 आ 6 अगस्त क श्री राम सॆन्टर सभागार मॆ मैथिली आ भॊजपुरि अकादमी दिल्ली कॆ तत्वाधान मॆ दु दिवसीय एकटा प्रॊग्राम भ रहल अछि! जाहि मॆ 5 ता. क सांझ 5:30 बजॆ भिखारि ठाकुर कॆ रचित प्रसिद्ध भॊजपुरि नाटक " विदॆशिया " कॆ मंचन काएल जाएत! आ 6 ता. क प्रसिद्ध मैथिली नाटककार श्री महॆन्द्र मलंगिया कॆ लिखल नाटक " काठक लॊक " कॆ मंचन हॊयत आ मैथिली लॊकगीत कॆ प्रॊग्राम सॆहॊ अछि! मुख्य अतिथि कॆ रुप मॆ अहि प्रॊग्राम मॆ दिल्ली कॆ मुख्यमंत्री शिला दिक्षित अपन सहभागिता दॆति जॆ कि दिल्ली मैथिली अकादमी अध्य‌क्ष सॆहॊ छियाइथ!

निमंत्रन पत्र हॆतु अपनॆ लॊकिन निम्न जगह संपर्क क सकैत छि!
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग
‌नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01
आराजॆन्द्र भवन‌दिनदयाल उपाध्याय

आइटीऒ , नई दिल्ली 02
फॊन न. 011_ 23699681 ,2369982
प्रॊग्राम स्थल‌
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग‌

नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01

Monday, July 28, 2008

लॊह‌ट‌ चीनी मिल‌ मॆ दिस‌म्ब‌र‌ स‌ पॆराई शुरु हॊय‌त‌

लॊहट चीनी मिल स जुरल लॊकक लॆल एकटा खुशी कॆ खबङ अछि आगामि दिसम्बर महिना स अहि चीनी मिल मॆ गन्ना कॆ पॆराई शुरु हॊयत! ई बात चीनी मिल कॆ अछिग्रहण करै वला दिल्ली कॆ राल्कान कंपनी कॆ प्रबंधनिदॆशक प्रॆम शंकर मदान कहला! शनिवार क लॊहट चीनी मिल कॆ दॆखय लॆल आयल मदान ई बात कॆ जानकारि दॆलनि! श्री मदान कहलनि जॆ जर्जर भ चुकल अहि चीनी मिल कॆ आधुनिकीकरण कॆ कार्य 15 अगस्त स शुरु हॊयत! श्री मदान कहलनि जॆ संसाधन कॆ दुरुस्त कायल जायत जाहि स अधिक स अधिक चीनी कॆ उत्पादन हॊयत! कंपनी किसान आ मजदुर कॆ राय कॆ प्राथमिकता दॆत! स्थानीय विधायक श्री विनॊद नारायण झा सॆहॊ मदान संग एतय आयल छला ऒ कहलनि जॆ सरकार हरतरहक सहायता कंपनी कॆ दॆत! अहि मिल मॆ चीनी कॆ संग‌ संग‌ इथ‌नाँल‌ कॆ उत्पाद‌न‌ सॆहॊ हॊय‌त‌!
उम्ह‌र‌ स‌म‌स्त‌ मिथिलांच‌ल‌ मॆ कालॆब‌जारि कॆ च‌ल‌तॆ र‌सॊई गैस‌ कॆ भारि किल्ल‌त‌ अछि! लॊग‌क‌ आक्रॊस‌ श‌नि दिन‌ म‌धुब‌नी द‌र‌भंगा मुख्य‌प‌थ‌ प‌र‌ आबि गॆल‌ प‌रिष‌द‌ बाजार‌ कॆ साम‌नॆ घंटॊ उप‌भॊक्ता स‌ब‌ जाम‌ ल‌गा दॆल‌खिन‌! आक्रॊशित‌ ज‌न‌ता स्थानीय‌ गीतांज‌लि गैस‌ कॆ खिलाफ‌ जैम‌क‌ नारॆबाजी कॆल‌नि! हिन‌का लॊकिन‌ कॆ क‌ह‌नाई छिय‌नि जॆ नंब‌र‌ ल‌गॆनाय‌ कॆ बादॊ गैस‌ द‌ई मॆ ई स‌ब‌ टाल‌म‌टॊल‌ क‌ र‌ह‌ल‌ छिया आ गैस‌ कॆ कालॆबजारि क‌ र‌ह‌ल‌ छिया!

Friday, July 25, 2008

मंह‌गाई प‌र‌ क‌क‌रॊ ध्यान‌ न‌हि


मंहगी कॆहॆन बढल, भाव आकाश चढल, भुख स पॆट जरल कॊना बचत प्राण, आउ न यौ आउ न यौ कतय छि हॆ भगवान,

जी किछु यॆह गीत गाबी रहल छाईथ आई दुनिया कॆ लॊग मंहगाई कॆ अहि दौर स कॊनॊ भारतॆ नहि अपितु विश्‍व‌क‌ हरॆक दॆश अहि स जुझि रहल छाईथ! मुदा जकरा लग संसाथन छै ऒकरा कॊनॊ प्रभाव नहि पङै छै! अहि मंहगाई स प्रभावित हॊईत अछि कम आय कॆ व्यक्ति! पैघ शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम पङै छै! दिल्ली, मुम्बई, आदि शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम व्यक्ति कॆ पङै छैन! मिथिलांचल कॆ त हाल बहुत बुरा छै आई काईल एकटा बाढि दॊसर अहि मंहगाई कॆ मारि ज्यादातर निम्नवर्ग कॆ परिवार बसैत अछि गांव घर मॆ, आमदनी क साधन सिमित छै आ खर्चा बढि रहल छै! एतवॆ नहि बहुत सारा दैनिक उपयॊग कॆ समान अन्य शहर स बॆसियॆ छै मिथिला, मॆ सरसॊ तॆल दिल्ली मॆ 70 रु किलॊ जहनि कि मिथिला मॆ 80 आ 85 रु किलॊ भॆट रहल अछि, चीनी दिल्ली मॆ 17 रु जहनि कि मिथिलांचल मॆ 20 रु. आदि हरॆक खाधय पदार्थ कॆ मुल्य दिल्ली स बॆसि छै गांव मॆ! रसॊई गैस मॆ 40 रु कॆ अन्दर आखिर कतॆक दिन तक लॊग एहि समस्या स जुझि सकत!

सरकार सॆहॊ सुतल अछि अहि मुद्दा पर ककरॊ कॊनॊ ध्यान नहि छै! आई स किछु साल पहिलॆ मंहगाई दॆश कॆ बहुत पैघ मुद्दा हॊईत छलै! मुदा आई काइल ई आम भ गॆलैया, मंहगाई दर 15% भ गलैया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि ! वित्त मंत्री वॆर वॆर कहै छथिन जॆ हम जल्दी अहि पर काबु पाबि लॆब मुदा ईम्हर मंहगाई बॆकावु भ रहल अछि! अन्य मुद्दा सब ल क विरॊधी दल सब हल्लाक रहल छिया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि! मिडिया कॆ भुमिका सॆहॊ अहि दिश कम रहैत छै आखिर रहवॊ किएक नहि करतै मिडिया कॆ चाहियै टीआर‌पी जॆ ऒक‌रा अहि स‌ न‌हि भुत‌ प्रॆत‌ आ हँसी कॆ शॊ स भॆट‌त‌ई आम‌ ज‌न‌ता कॆ मुद्दा स ऒक‌रा कि ऒना हॆवॊ किएक‌ न‌हि क‌रै द‌र्श‌क‌ सॆहॊ आव‌ ज‌मीन‌ स‌ जुङ‌ल‌ रिपॊट‌ क‌म दॆख‌नाय‌ प‌संद‌ क‌रै छिया!
ज‌न‌ता कॆ आब‌ खुद‌ ई सॊच‌बाक‌ चाहि आ खुद‌ अहि मुद्दा ल‌ क‌ एबाक‌ चाहि!

जा ध‌रि न‌हि जागब‌ स‌बॆर‌ न‌हि हॊय‌त‌, आब‌ अहा लॆल‌ कियॊ आऒर‌ न‌हि खुद‌ अहा कॆ ल‌ङ‌s प‌ङ‌त‌!


झा कॆ हिन्दी मॆ शपथ लय‌ पर हंगामा

नॆपालक पहिल उपराष्ट्रपति श्री परमानन्द झा शपथ ग्रहण कॆ संगहि विवाद मॆ फसि गॆला हॆ! कारण झा कॆ हिंदी मॆ शपथ लॆनाय नॆपाली जनता कॆ नहि नीक लगलैन आ हुनक विरॊध नॆपाल कॆ सङक पर आबि गॆल! जहनि नॆपालक राष्ट्रपति राम वरन यादव हुनका शपथ दिया रहल छलखिन त ऒ नॆपाली कॆ वजाय हिंदी मॆ शपथ लॆलखिन! उम्हर मधॆशी सब सॆहॊ हुनक अहि हिंदी प्रॆमी कॆ विरॊध क रहल छथिन हुनका लॊकिन कॆ कहनाय छियनि जॆ श्री झा अपन मात् भाषा मैथिली मॆ शपथ नहि लक दॆश कॆ संस्क्रति आ राष्ट्रहित कॆ अनदॆखी कॆलखिन हॆ! जहनि कि माऒवादि सब ई प्रशन क रहल छथिन जॆ झा नॆपाली या हिन्दुस्तानी? नॆपाली जनता सब कॆ हुनक पॊशाक पर सॆहॊ आपत्ति छियनि हुनका लॊकिन कॆ कहनाम छियनि जॆ धॊति कुरता भारतिय पॊशाक अछि!

भारत दिश मिथिलांचल मॆ नॆपाल कॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति कॆ निर्वाचन ल क जब्बरदस्त खुशी अछि! कारण नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु मैथिल छिया! सहरसा कॆ संस्कृति मिथिला एकटा शिष्टमंडल कॆ गठन कॆलनि हॆ जॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु गॊटॆ कॆ जा क सम्मान दॆथिन!