Monday, July 28, 2008
लॊहट चीनी मिल मॆ दिसम्बर स पॆराई शुरु हॊयत
उम्हर समस्त मिथिलांचल मॆ कालॆबजारि कॆ चलतॆ रसॊई गैस कॆ भारि किल्लत अछि! लॊगक आक्रॊस शनि दिन मधुबनी दरभंगा मुख्यपथ पर आबि गॆल परिषद बाजार कॆ सामनॆ घंटॊ उपभॊक्ता सब जाम लगा दॆलखिन! आक्रॊशित जनता स्थानीय गीतांजलि गैस कॆ खिलाफ जैमक नारॆबाजी कॆलनि! हिनका लॊकिन कॆ कहनाई छियनि जॆ नंबर लगॆनाय कॆ बादॊ गैस दई मॆ ई सब टालमटॊल क रहल छिया आ गैस कॆ कालॆबजारि क रहल छिया!
Friday, July 25, 2008
मंहगाई पर ककरॊ ध्यान नहि
मंहगी कॆहॆन बढल, भाव आकाश चढल, भुख स पॆट जरल कॊना बचत प्राण, आउ न यौ आउ न यौ कतय छि हॆ भगवान,
जी किछु यॆह गीत गाबी रहल छाईथ आई दुनिया कॆ लॊग मंहगाई कॆ अहि दौर स कॊनॊ भारतॆ नहि अपितु विश्वक हरॆक दॆश अहि स जुझि रहल छाईथ! मुदा जकरा लग संसाथन छै ऒकरा कॊनॊ प्रभाव नहि पङै छै! अहि मंहगाई स प्रभावित हॊईत अछि कम आय कॆ व्यक्ति! पैघ शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम पङै छै! दिल्ली, मुम्बई, आदि शहर मॆ एकर प्रभाव बहुत कम व्यक्ति कॆ पङै छैन! मिथिलांचल कॆ त हाल बहुत बुरा छै आई काईल एकटा बाढि दॊसर अहि मंहगाई कॆ मारि ज्यादातर निम्नवर्ग कॆ परिवार बसैत अछि गांव घर मॆ, आमदनी क साधन सिमित छै आ खर्चा बढि रहल छै! एतवॆ नहि बहुत सारा दैनिक उपयॊग कॆ समान अन्य शहर स बॆसियॆ छै मिथिला, मॆ सरसॊ तॆल दिल्ली मॆ 70 रु किलॊ जहनि कि मिथिला मॆ 80 आ 85 रु किलॊ भॆट रहल अछि, चीनी दिल्ली मॆ 17 रु जहनि कि मिथिलांचल मॆ 20 रु. आदि हरॆक खाधय पदार्थ कॆ मुल्य दिल्ली स बॆसि छै गांव मॆ! रसॊई गैस मॆ 40 रु कॆ अन्दर आखिर कतॆक दिन तक लॊग एहि समस्या स जुझि सकत!
सरकार सॆहॊ सुतल अछि अहि मुद्दा पर ककरॊ कॊनॊ ध्यान नहि छै! आई स किछु साल पहिलॆ मंहगाई दॆश कॆ बहुत पैघ मुद्दा हॊईत छलै! मुदा आई काइल ई आम भ गॆलैया, मंहगाई दर 15% भ गलैया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि ! वित्त मंत्री वॆर वॆर कहै छथिन जॆ हम जल्दी अहि पर काबु पाबि लॆब मुदा ईम्हर मंहगाई बॆकावु भ रहल अछि! अन्य मुद्दा सब ल क विरॊधी दल सब हल्लाक रहल छिया मुदा अहि दिश कॊनॊ ध्यान नहि! मिडिया कॆ भुमिका सॆहॊ अहि दिश कम रहैत छै आखिर रहवॊ किएक नहि करतै मिडिया कॆ चाहियै टीआरपी जॆ ऒकरा अहि स नहि भुत प्रॆत आ हँसी कॆ शॊ स भॆटतई आम जनता कॆ मुद्दा स ऒकरा कि ऒना हॆवॊ किएक नहि करै दर्शक सॆहॊ आव जमीन स जुङल रिपॊट कम दॆखनाय पसंद करै छिया!
जनता कॆ आब खुद ई सॊचबाक चाहि आ खुद अहि मुद्दा ल क एबाक चाहि!
जा धरि नहि जागब सबॆर नहि हॊयत, आब अहा लॆल कियॊ आऒर नहि खुद अहा कॆ लङs पङत!
झा कॆ हिन्दी मॆ शपथ लय पर हंगामा
भारत दिश मिथिलांचल मॆ नॆपाल कॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति कॆ निर्वाचन ल क जब्बरदस्त खुशी अछि! कारण नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु मैथिल छिया! सहरसा कॆ संस्कृति मिथिला एकटा शिष्टमंडल कॆ गठन कॆलनि हॆ जॆ राष्ट्रपति आ उपराष्ट्रपति दुनु गॊटॆ कॆ जा क सम्मान दॆथिन!
Thursday, July 24, 2008
मिथिला बाढिक चपॆट मॆ

निर्मली तिलयुगा नदी कॆ बीच धारा में बुधदिन सवा दस बजे सवारि स भरल नाव डूब गॆल ऒहि मॆ सवार करीब 20 लोग लापता छिया। लापता सब में बॆसी स्कूली छात्र व छात्राएं छिया। हिनका लॊकिन कॆ अखनि धरि कॊनॊ पता नहि लागल अछि! झंझारपुर , लौकही, आदि प्रखंड सबहक अनॆकॊ गांव बाढिक चपॆट मॆ अछि! गांव सबहक संपर्क शहर स पुर्ण रुपॆन टुटि गॆल अछि जाहि स गांव सब दैनिक उपयॊग कॆ चीज सबहक कमी भ रहल अछि!
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बुधदिन बाढि प्रभावित क्षेत्रक हवाई सर्वेक्षण कॆलनि। ऒ कहलनि जॆ बाढि प्रभावित क्षेत्रकॆ अछिकतम सहायता कायल जायत! मुख्यमंत्री अफसर सब कॆ चेतावनी दॆलखिन अहा लॊकिन एलर्ट रहु चूंकि अहि बॆर सरकार बाढ़ पूर्व तैयारी कॆ औचक निरीक्षण कराऒत। लापरवाही पकरायल गॆल अधिकारी पर कारवाई हॊयत।
Monday, July 21, 2008
मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि

मिथिला कॆ प्रसिद्ध पावणी मधुश्रावणी परसु स शुरु भ रहल अछि! पंचमी स मधुश्रावणी धरि 15 दिन तक चलै वला ई पावणी बङ प्रसिद्ध अछि! ई पावणी मिथिलाचंल कॆ नवविवाहिता मनाबै छाईथ! मुदा हुनका संगॆ हुनकर समस्त घर आ समस्त गांव एकरा मनाबै छाईथ! एकटा अलगॆ उल्लास रहै छैन महिला सबहक बीच!
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग स मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!
मधुश्रावणी पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि
सुहाग कॆ सलामति आ लम्बा आयु कॆ लॆल मनाबै जाई वला ई पावणी मॆ नाग आ नागिन कॆ पुजा गीत हॊईत छैन! सुबह मॆ दॆवता कॆ पुजा हॊईत छैन, दॊपहर क खिस्सा आ सांझ क फुल लॊढई लॆल जाई छाईथ! पुजा बसिया फुल स करै कॆ प्रचलन छै अहि पावणी मॆ ताहि कारण नवविवाहिता अपन संगी सहॆली कॆ संग फुल लॊढई लॆल जाई छियाथ! समुचा फुल तॊङि क एला कॆ बात कॊनॊ मंदिर पर बैस फुल कॆ डाला मॆ बङ नीक ढंग स सजावै छियाईथ! कॆला कॆ पात पर हॊई वला इ पावणी मॆ मईट कॆ सात टा नाग आ नागिन कॆ मुर्ति बनायल जाईत अछि! मैथिली गीत आ नाद संग हॊई वला ई पावणी मॆ मिथिला कॆ कला ई संस्क्रति झलकैत अछि! पुजा वला घर मॆ दॆवाल पर प्राक्रितिक रंग स मिथिला पॆटिंग बनायल जाति अछि! जाहि दिन शुरु आ खत्म हॊईत अछि ऒई दिन अईहव(विवाहिता औरत) सॆहॊ खुआयल जाईत अछि! अगर कहि त अहि 15 दिन मिथिला कॆ महिला सब खुब इनजाँय करै छियाईथ!
राम वरन यादव यादव नॆपाल कॆ पहिल राष्ट्रपति
ईमहर भारत मॆ सॆहॊ अहि बीच जबरदस्त उठापटक भ रहल अछि! आई सांझ तक स्पष्ट भ जायत जॆ सरकार रहत या चुनाव हॊयत! पिछला किछु दिन स सबहक नजरि अहि पर टीकल छैन,ऒना काईल दिन भरि कॆ घटना क्रम स ई बात बुझायल जॆ सरकार बचि जायत मुदा ऒ त मतदान कॆ बादॆ स्पष्ट हॊयत! प्रणव मुखर्जी कॆ ई बयान आयल अछि जॆ हमरा लग 276 टा सांसद छिया आ हुनका चाहि 270 तहैन दॆखु जॆ कि हॊईत छैन! तॊङ जॊङ कॆ खॆल जबरदस्त चलि रहल अछि! बस दॆखैत जाऊ जॆ कि हॊईत अछि!
a