Monday, October 15, 2012
प्रशांत हत्याकांडक जाँचक लेल दिल्ली में भेल कैंडल मार्च
Saturday, October 13, 2012
जल उठल मधुबनी स्थिति आउट ऑफ कंट्रोल
बिहारक मधुबनी जिला जतय कालि दिन के १२ बजे स आन्दोलनकारि जम क हंगामा केलक। मामला किछ अहि प्रकार अछि।
विगत १ महिना पहिले मधुबनी शहरक इंडियन पब्लिक स्कूलक १० वींक एक17 वर्षीय लड़का प्रशांत गायब भ गेल। हुनकर दादा मधुबनी थाना में एक सनहा दर्ज करोलैनी। ठीक ओहिक तीन दिन बाद मधुबनी क जिला शिक्षा पदाधिकारी जगतपति चौधरी अपन बेटी जे इंडि

यन
पब्लिक स्कूल क १० वींक छात्रा छली क अपहरणक मामला मधुबनी थाने
में दर्ज करोलैनी जकर इलज़ाम ओ प्रशांत पर लागोलैने। आओर ओहिक बाद
पुलिस प्रशांतक दादा ओ हुनकर भाई आ हुनक एकटा संगी के गिरफ्तार केलक। ठीक २८ दिनक बाद मधुबनी के बगलक गाँव ककना स एक टा सर कटल लाश
बरामद भेल जकर पह्चान प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक रूप में केलैनी मुदा मधुबनी पुलिस लाश नहीं देलक आ कहलक की इ लाश प्रशांतक नहीं अछि . आ अहि मामला में प्रशांतक परिजन
मधुबनी थाना में जगतपति चौधरी सहित अन्य चार लोग पर हत्याक मुकदमा दर्ज करव चाहला जकरा पुलिस इ कहिक इन्कार कय देलक कि जहैनी लाश प्रशांतक नहीं अछि त फरे हत्याक मुकदमा कोना। लेकिन प्रशांतक माँ आ
दादी इ कहैत रहली कि इ हमर बेटाक लाश अछि। फेर पुलिस हुनका टालैत कहलक की पोस्टमार्टमक बाद लाश हुनका देल जायत। पोस्टमार्टमक रिपोर्ट
में डॉक्टर इ कहला कि उक्त लाशक उम्र २५ वर्ष अछि जहैनी की प्रशांतक उम्र
१७ साल बतायल गेल।
मुदा जतय तक कानुनक गप्प अछि अगर ७२ घंटा तक लाशक कोनो दोसर दावेदार नही होई त पहिल दावेदार के लाश सौंप जाई लेकिन पुलिस एहेन नहीं केलक इ कहिक कि आब एकर d n a करावल जायत। लोगक कहब अछि की अहिक पाछा जगतपति चौधरीक गाँव के एक वरीय पुलिस अधिकारीक दवाव में आवि क पुलिस ऐना केलक अगर लाश प्रशांतक नहीं त केकर अछि। जगतपति क बेटी के पुलिस एखन धरी किएक नहीं तकलक , अगर लाश प्रशांतक नहीं अछि त प्रशांत कतय अछि ?अहि सवालक जबाब पुलिसक पास नहीं अछि जाही स पूरा जिलाक लोगक आक्रोश बढ़ल गेल आ जगतपति चौधरीक गिरफ्तारीक मांग भेल आ लाश भेटलाक एक सप्ताह बाद सेहो सम्बंधित लोग के नहीं देल गेल।
मजबूर भ क प्रशांतक माँ आ दादी अपन बेटाक लाश लेल अनशन पर बैसी रहली।
आ बात पूरा जिला तक पहुच गेल। आ पुलिस अनसन पर बैसल प्रशांतक मा आ दादी सहित दर्जन महिला पर लाठियां सेहो चलेलक जाही पर आन्दोलनकारि मधुबनी के कलक्ट्रेट, पुलिश थाना, एसडीओ कार्यालय सहित दर्जन भर गाड़ी में आग लगा देलक आ पुलिस के तरफ स जबाबी फायरिंग में दू टा आन्दोलनकारी के मौत सेहो भ गेल आ दर्जन स बेसी लोग गंभीर रूप स घायल छैथ।
आ धीरे धीरे आन्दोलन के असर पूरा जिला में फ़ैल रहल अछि। कैल पुलिस गोली स मौत भेल निशांत झा के लाश जहैनी आई हरलाखी पहुचल त लोग ओतहु खूब हंगामा क रहल छैथ प्राप्त सूचना क अनुसार हरलाखी बासोपट्टी के थाना में सेहो गाड़ी सब में आगि लगा देल गेला आ जयनगर बेनिपट्टी , झंझारपुर सहित पूरा जिलाक माहौल बहुत ख़राब अछि।
कैली आननं फानन में मधुबनी के डीएम आ एसपी के हटा देल गेल आ पूरा मधुबनी शहर में दोसर जिला सब स पुलिस के बजाओल गेल।

Friday, October 12, 2012
आब बिना डेविट आ क्रेडिट कार्ड के आनलाईन रेलवेक टिकट भेटत
रेल टिकटक ऑनलाइन बुकिंग के आसान बनावईक लेल आइआरसीटीसी जल्दिये नव स्कीम ‘रोलिंग डिपॉजिट स्कीम’ (आरडीएस) लांच करै वाला अछि . अहि स यात्री के ऑनलाइन प्रीपेड खाता स रेल टिकट भेट सकत, जाहिस यात्री के भुगतानक लेल बैंकक वेबसाइट पर लम्बा प्रक्रिया आ टिकट बुक करवईक दौरान ट्रान्जैक्शन फेल्ड जेहन समस्या स निजात भेट जेतैनी. आ अहिक लेल कोनो बैंक में एकाउंट भेनाई सेहो जरूरी नहीं रहत.अहि सुविधाक लाभ लेवक लेल रेल यात्री के आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर रजिस्ट्रेश करेनाई आवश्यक रहत . आरडीएस एकाउंट में कम-स-कम डेढ़ हजार रुपया जमा करय पड़त . ई राशि नेट बैंकिंग या क्रेडिट कार्डक द्वरा जमा जा सकैत अछि. अहिमें 250 रुपया रजिस्ट्रेशन फीस होयत, जे टिकट बुकिंगक लेल एकाउंट में क्रेडिट भ जायत. ई जमा खाताक जेना काज करत, जकरा टॉप-अप सेहो करावल जा सकैत अछि.
टिकट बुकिंगक लेल नेटबैंकिग आ क्रेडिट कार्डक ऑप्शन पहिलेक तरह रहत . जे लोग आरडीएस लेता, खाली हुनके इ सुविधा भेटत. टिकट बुक करावईक लेल आइआरसीटीसीक वेबसाइट पर जा क पहिले पैसेंजर संबंधी जानकारी दर्ज करै पड़त. तकर बाद नेट बैंकिंग आ क्रेडिट कार्डक जरिये पेमैंटक ऑप्शन भेटत.
Monday, October 8, 2012
बदलैत बिहारक एकटा हकीकत इहो अछि
पटना। बिहारक 15 गांव में अवैध दारू के 116 टा ठेका अछि। अहि ठाम शिक्षा पर अपन कमाईक तीन फीसदी आ दारू पर 25 फीसदी खर्च भ रहल अछि। ई बदलैत बिहारक तस्वीरक एक पहलू अछि। गांवों में बच्चा स लय क बूढ़ तक दारू पीव रहल छैथ। समस्तीपुर में एकटा गांव एहेन अछि जतय सब प्राणी वैध-अवैध दारू पीवैत छैथ । ई बात एकटा सर्वे में आयल अछि।नीतीश सरकारक नव शराब नीति शराब के गांव-गांव तक पहुंचा देलक। लोक-लाजक चलते पहिले लोग शराब भट्ठि में जाई स परहेज करैत छला। मुदा आब चाय-पानक दोकान में सेहो पाउच आसानी स भेट जैत अछि । पहिले जतय सांझ भेला पर मदिरालय सजैत छल , आब भोर- सांझ क भेद मिट चुकल अछि। सरकार अधिक रेवेन्यूक लेल शराब दोकंक पसार केलक।
राज्य में वैध-अवैध दारूक चलनक ल क नेशनल एलायंस ऑफ वीमेन आर्गनाइजेशन आ वीमेन नेटवर्क एकटा सर्वे केलक । सर्वेक नतीजा न खाली चौंकावैत अछि बल्कि ई डरावैत सेहो अछि। सबस खतरनाक बात अवैध दारूक खपतक ल क अछि। सर्वे में समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, मधुबनी, नवादा, नालंदा, सुपौल, खगड़िया, गया, भोजपुर, बेगूसराय, अरवल, सीवान आ वैशाली जिला में भेल। अहि जिलाक एक-एक गांव के स्टडीक लेल चुनल गेल छल।
सर्वे में पता चलल कि पांच साल पहिले 30 फीसदी मर्द शराब पीवैत छला, आब ई परसेंटेज बढ़ क 70 भ गेला। अहिना हैरान करई वाला तथ्य सामने आयल कि महिला में दारूक खपत सेहो बढ़ला। पांच साल पहिले जतय दू स तीन परसेंट गांवक महिला शराब पीवैत छली , ओतहि आब 10 परसेंट तक शराब पीवै लगीली हे। ओना अगर पूरा देशक बात करी त 9.8 फीसदी ग्रामीण आबादी शराब पीवैत अछि जहनी की शहरी क्षेत्र में एकर प्रतिशत आठ अछि।
एकटा सरकारी रिपोर्ट के मुताबिक पूर्वी चंपारण में 27.6 परसेंट, मुजफ्फरपुर में 26.5, गया में 25.9, नालंदा में 25.7 आ नवादा मे 24.8 परसेंट आबादी शराब पीव रहल अछि। अहि स ई पता चलैत अछि की ग्रामीण इलाका में खपत तेजी स बढ़ रहल अछि।
Friday, October 5, 2012
विद्यापति गीतक संग शुरू भेल राष्ट्रपतिक सम्मान में सांस्कृतिक संध्या
राजभवन परिसरक नवनिर्मित राजेंद्र मंडप में बुधदिन सांझ विद्यापति गीतक मधुर स्वरक संग शुरू भेल। अमीर खुसरोक सूफी आ गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक रचना एकला चलो रे क संग गुनगुनात बिहार गौरव गानक विशिष्ट कोरियोग्राफी आ तेज धुनक संग ओतय बैसल लोग सेहो खूब कोरस केला- महका-महका सोंधी माटी का बिहार है। राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जीक सम्मान में राजेंद्र मंडप में विशेष सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कायल गेल छल। बुधदिन राष्ट्रपति अहि भवनक उद्घाटन केलैनी।
रंजना झा सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरुवात विद्यापति गीत 'जय-जय-जय भैरवी असुर भयावन, पशुपति भामिनी ..' स केलैनी। रंजना अहिक बाद मैथिली एकटा श्रृंगार रसक रचना 'सुनो-सुनो रसिया आब नय बजाऊ बंसिया गेलैनी।' रंजना के बाद बारी सूफी संगीतक छल। बेतिया स आयल असलम चिश्ती क सूफी संगीतक प्रस्तुति क लेल खास तौर पर बजायल गेल छल। सूफीक आरंभ अमीर खुसरोक अमर रचना 'छाप तिलक सब छीनी रे तोसे नैना मिलाके ..अपनी सी रंग लीन्ही रे तोसे नैना मिलाके' स भेल।
सूफीक बाद स्थानीय रवींद्र परिषदक कलाकार सभई कोरियो आह्वान स शुरू केलैनी आ तकर बाद गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक अमर रचना 'एकला चलो रे' गेलैनी। अंत में बिहार गौरव गानक प्रस्तुति नव आ जबर्दस्त कोरिओग्राफक संग पेश कायल गेल। बिहार गौरव गानक संग सांस्कृतिक कार्यक्रमक समापन भेल।
Thursday, October 4, 2012
मिथिला धरोहर भूमि छी : राष्ट्रपति
दरभंगा। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी कहला अछि जे मिथिला धरोहर भूमि छी, एहि ठाम क हर कण एकटा धरोहर छी। ललित नारायण मिथिला क चारिम दीक्षांत समारोह कए संबोधित करैत कामेश्वर नगरक नागेंद्र झा मैदान मे राष्ट्रपति कहला जे नव प्रयोग कए बढ़ावा भेटबाक चाही। शोध काज पर बल दैत महामहिम कहला जे वर्ष 1972 मे स्थापित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय बहुत लंबा सफर तय क चुकल अछि। 43 अंगीभूत आ 36 संबद्ध कालेज एकर क्षेत्र मे अछि। महाराज दरभंगाक दान देल करीब एक लाख पुस्तक आ पांडुलिपि क एहि ठाम विशाल संग्रह अछि। एहन मे एहि ठाम अधिक स अधिक शोध हेबाक चाही। ओ कहला जे नव प्रयोग कए बढाबा देबा लेल देश मे राष्ट्रीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना कैल गेल अछि। इ भारत मे नव-नव अन्वेषी तरीका क लेल रोडमैप बनाउत। राष्ट्रपति कहला जे प्रत्येक राज्य मे राजकीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना आ केंद्रीय मंत्रालय स जुडल विभागीय नवोन्मेष परिषद क स्थापना क काज जारी अछि। ऑप्टिकल फाइबर क बुनियाद पर स्थापित राष्ट्रीय ज्ञान नेटवर्क 1500 उच्चतर अध्ययन आ अनुसंधान संस्थान कए आपस मे जोड़त।
राष्ट्रपति कहला जे विश्वविद्यालय मे स्वायत्त अनुसंधान कार्य कए बढ़ावा देब सेहो समान रूप स महत्वपूर्ण अछि। एकरा लेल विश्वविद्यालय क संपर्क क द्वार आओर विभिन्न संस्थान स सहयोग कए बढ़ाएब जरूरी अछि।
राष्ट्रपति कहला जे उच्चतर शिक्षा मे सार्वजनिक निजी भागीदारी सहित निजी निवेश कए सेहो प्रोत्साहित कैल जाएत। मुखर्जी कहला जे 12वीं पंचवर्षीय दृष्टिपत्र मे उच्चतर शिक्षा लेल केन्द्र सरकार विस्तार, समानता आ उत्कृष्टता क तीन सूत्री रणनीति अपनेबाक लक्ष्य रखलक अछि। दृष्टि पत्र मे राज्य विश्वविद्यालय आ कालेज मे नव जान फूंकब एहि योजना एकटा महत्वपूर्ण हिस्सा अछि। उत्कृष्टता क केंद्र बनेबा लेल सरकार विश्वविद्यालय क नवोन्मेष क कईटा पायलट प्रोजेक्ट, स्वायत्तता आ संसाधन बढेबाक प्रस्ताव केलक अछि।
भारतीय युवा वर्ग कए देश लेल अमूल्य धरोहर कहैत ओ कहला जे 2025 मे देश क आबादी क 70 प्रतिशत स बेसी हिस्सा कामकाजी बैसक लोक क होएत। एहि युवा कए ठोस बुनियाद दैत हमरा सब कए हिनका भविष्य लेल तैयार करबाक चाही। एकरा लेल उच्चतर शिक्षा क उपलब्धता बढेबाक संगहि हिनका सबहक पहुंच क दायरा मे व्यावसायिक कौशल क प्रशिक्षण कए आनब जरूरी अछि। ओ कहला जे विश्वविद्यालय आ शैक्षणिक संस्था कए उत्कृष्ट केंद्र बनेबा लेल सरकार विशेष अनुदान द रहल अछि। एकरा लेल एकटा राष्ट्रीय कौशल विकास परिषद क स्थापना कैल गेल अछि जे 2022 तक 15 करोड़ कुशल कामगार तैयार करत।
कार्यक्रम मे उपस्थित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राज्य सरकार लोक क शिक्षा, स्वास्थ्य, साक्षरता आ प्रजनन स्वास्थ्य कए बढेबा लेल ‘मानव विकास मिशन’ शुरू केलक अछि। ओ कहला जे मानव विकास मिशन क उद्देश्य मानव क हर क्षेत्र मे विकास करब अछि। स्त्री शिक्षा कए बढ़ावा द कए लोक सब कए प्रजनन स्वास्थ्य क प्रति जागरुक करब आ जनसंख्या स्थिरीकरण क लक्ष्य अछि। बिहार मे साक्षरता कम रहबाक कारण प्रजनन दर बेसी अछि। महिला कए साक्षर करबा स जनसंख्या क स्थिरीकरण होएत। कार्यक्रम मे राज्यपाल देवानंद कुंवर कहला जे मिथिला क संस्कृति आ सभ्यता काफी पुरान अछि आ इ विश्वविद्यालय एकर संरक्षण आ प्रतिनिधित्व करैत अछि। विश्वविद्यालयक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत कुलपति समरेंद्र प्रताप सिंह कहला जे विश्वविद्यालय अपन कम संसाधन क बावजूद महत्वपूर्ण उपलब्धि हासिल केलक अछि। एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, शिक्षामंत्री पीके शाही सहित कईटा गणमान्य लोक उपस्थित छलथि। राष्ट्रपति पांचटा विद्यार्थी कए स्वर्ण पदक प्रदान केलथि। जखनकि कुल 25टा विद्यार्थी कए स्वर्णपदक प्रदान कैल गेल। कार्यक्रम क बाद प्रणब दा क एक झलक देखबा लेल भोर स ढार जनता आ सुरक्षाकर्मी क बीच झडप भ गेल। झडप एतबा बढल जे पुलिस कए लाठीचार्ज करबा लेल मजबूर हुए पडल, जखन कि उग्र जनता कईटा वाहन कए क्षतिग्रस्त क देलक। एहन मे फेर सवाल उठैत अछि जे आम आदमी स दूर भ आम आदमी बनबाक प्रणब दा क इच्छा आखिर केवल ‘महामाहिम’ शब्द क उपयोग रोकला स संभव भ सकत। किया त एकटा ‘आम आदमी’ कए एक झलक देखबा लेल ठार आम आदमी कए लाठी मारबाक कोन जरूरत छल।

साभार : ईसामाद
Monday, October 1, 2012
संस्कृत उच्च शिक्षा के आधुनिक शिक्षा प्रणाली स जोड़ईक योजनाबद्ध कवायद शुरू
संस्कृत उच्च शिक्षा के आधुनिक शिक्षा प्रणाली स जोड़ईक योजनाबद्ध कवायद शुरू भए गेल अछि । अहिक लेल विभिन्न चरण में प्रयास के अंजाम पर पहुंचावईक काज शुरू कय देल गेल अछि। एकर खुलासा करैत कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विविक कुलपति डा. अरविन्द कुमार पांडेय एखन तक के एक सालक कार्यकाल में कैल गेल प्रयास के जतय जानकारी देलै नी ओतही आगामी योजना स सेहो अवगत करेला। विधान परिषद सदस्य प्रो. विनोद कुमार सिंहक संग शुक्रदिन मधुबनी पहुंचल डा. पांडेय स्थानीय परिसदन में पत्रकार स मुखातिब होइत उक्त बात कहला।
वीसी कहला कि बीतल एक साल में ओ विविक मान्यताप्राप्त कालेजक संसाधन के सुदृढ़ करईक दिशा में कदम उठोला हे। ओ तय समय-सीमा में 84 कालेजक निरीक्षण पूरा कयलेनी आ ओतय क जरूरत, समस्या स भलीभांति वाकिफ भय चुकल छैथ। वेकार भ चुकल कार्य संस्कृति क सुधारईक लेल प्रयास जारी अछि। हरेक प्रिंसिपल स महिना में कम स कम एक बेर दूरभाष पर वा प्रत्यक्ष बातचीत व तीन महिना में हुनक कार्यशाला सुनिश्चित करनाइ अहिक एक कड़ी अछि। प्रधानाचार्य के सख्त निर्देश देल गेला कि ओ बगैर कुलपति सचिवालय के अनुमति के अवकाश पर नही जैथ्ह।
यूजीसी स 40 करोड़क राशि अनुमोदित भेला जाहिमे 20 करोड़ रिलीज भ चुकल अछि। एकरा पुस्तकालय, भवन, शैक्षणिक गतिविधि आ इक्विपमेंट मद में खर्च कायल जायत। विश्वविद्यालय के कम्प्यूटर युगक आधुनिकीकरण स सेहो जोड़ईक काज तेजी स चल रहल अछि। भारत सरकार द्वारा विभिन्न कालेज में इंटरनेटक कनेक्शन जोड़ल जएबाक अछि। प्रथम चरण में 40 कालेज अहिक तहत आयत। सब कालेजों में फैक्स, कम्प्यूटर आ प्रिंटर अनिवार्य कय देल गेला । एक सवालक जवाब में कुलपति नेकहला कि विविक पुस्तकालय अत्यन्त समृद्ध अछि आ एकरा डिजीटल बनावईक दिशा में सेहो काज कायल जायत। अहिक लेल यूजीसी के एक करोड़क प्रस्ताव भेजल गेला। राज्य सरकार 17 लाख रुपये अहिक लेल स्वीकृत केलक अछि। संस्कृत आ मिथिलाक्षर में लिपिबद्ध अत्यंत प्राचीन पांडुलिपिक अंग्रेजी आ अन्य भाषा में अनुदित करैक योजना अछि।
डा. पांडेय मिथिलाक अत्यन्त समृद्ध कला संस्कृति के सेहो सहेजई में अपन अभिरुचि देखावैत कहला कि ओ विवि मुख्यालयक दरबार हाल में बेहतरीन साउंड-लाइट सिस्टमक व्यवस्थाक प्रयास केला हे। संस्कृत शिक्षा आ मिथिलाक गौरवशाली संस्कृति देश ही नहीं विश्व पटल पर विविक माध्यम स प्रसारित हो एकर प्रयास में कोनो कसर नहीं छोड़ल जायत ।

Subscribe to:
Posts (Atom)