मधुबनी में प्रशांत हत्याकांड के लय क कालि दिल्ली में नवपल्लव आ मैथिल यूथ परिषदक संयुक्त आयोजन में कैंडल मार्च के कायल गेल। संसद मार्ग स कैंडल जला क जंतर मंतर पर JDU ऑफिस के सामने कैंडल राखी 2 मिनट के मौन धारण कैल गेल। आ मधुबनी में भेल घटना क जाँच आ दोषी क खिलाफ जल्द करवाई के मांग कायल गेल। IAC क नेता अरविन्द केजरीवाल सेहो अपन समर्थन दैत JDU ऑफिस लग पहुचला। आ अरविन्द जी अपन समर्थन दैत IAC क धरना में बैसल लोग सब के सेहो अपन मंच स कैंडल मार्च में भाग लै क आवाहन केलखिन। अहि कैंडल मार्च में श्री कृपा नाथ झा , भवेश नंदन, रामचंद्र झा नवपल्लव के सचिव भवन ठाकुर , अमरकांत झा , गोपाल जी गोपाल , मैथिल यूथ परिषद् के अध्यक्ष आनंद झा , मुकेश झा , वशंत झा आ पत्रकार आशीष झा आदि भाग लेला।
No comments:
Post a Comment