"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, January 7, 2012

आरके कॉलेज स मोबाइल टीचिंग शुरू

लनामिवि के आरके कॉलेज मधुबनी में शुक्रदिन स मोबाइल टीचिंग के शुरूआत भ गेल। उक्त टीचिंग के उद्घाटन लनामिवि के कुलपति डॉ. एसपी सिंह केलैनी। हुनक संग प्रतिकुलपति डॉ. ध्रुव कुमार, कुलसचिव डॉ. विजय प्रसाद सिंह, उपकुलसचिव डॉ. केके चौधरी, एमएलसी डॉ. विनोद कुमार चौधरी, विज्ञान संकायाध्यक्ष डॉ. जयकर झा, वाणिज्य संकायाध्यक्ष डॉ. एसएम झा आ सामाजिक विज्ञान संकायाध्यक्ष डॉ. राजकिशोर झा, वाणिज्य आ व्यवसाय प्रशासन के प्राध्यापक डॉ. एलपी सिंह, भूगोल विभाग के प्राध्यापक डॉ. केकेएल दास आ अरुण कुमार झा मौजूद छलखिन।

साभार :- दैनिक जागरण

Friday, January 6, 2012

संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होयत

दरभंगा:- सीनेट की मुहर लगला के बाद संस्कृत विवि में रोजगारपरक पाठ्यक्रम शुरू होई के रास्ता साफ साफ़ भ गेल। नव पाठ्यक्रम में एमएड, कंप्यूटर विज्ञान, कर्मकांड, वास्तुशास्त्र, कुंडली निर्माण, आयुर्वेद, बीबीए, एमबीए, बीबीएड, मानवाधिकार आ योग विज्ञान में पीजी, फंक्शनल संस्कृत व अंग्रेजी, मौसम विज्ञान, पंचांग निर्माण, आध्यात्मिक व्याख्यान, गांधी चिंतन, डीटीपी, संस्कृत आ विधि, पीजीडीसीए में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स, बेसिक टीचर्स ट्रेनिंग, वैकल्पिक चिकित्सा, न्यास योग व स्ट्रेस मैनेजमेंट, ग्रंथालय विज्ञान शामिल केल जायत। ओतय दूरस्थ शिक्षा में मिथिलाक्षर, मानवाधिकार, बुद्धिस्ट स्टडी, फंक्शनल संस्कृत आ अंग्रेजी, ग्रंथ विज्ञान में डिप्लोमा आ सर्टिफिकेट कोर्स के संगही बीएड आ एमएड के पढ़ाई सेहो होयत। अहि के साथ बौद्ध, जैन, आगम तंत्र, मीमांसा, प्राचीन इतिहास आ संस्कृति, पंजी, पालि, प्राकृत आदि विषय के स्वतंत्र विभाग स्थापित केल जायत।

-------------------------

छलक रहल छल मिथिला के संस्कृति

सीनेट के बैठक के दौरान मिथिला के संस्कृति के छलक दिख रहल छल। बैठक में विवि प्रशासन के ओर स तमाम सदस्य के मिथिला के परंपरा के अनुरूप पाग-चादर स अभिनंदित कायल गेलैनी, ओतय बैठक स्थल के भव्य सजावट कायल गेल छल। प्रवेश द्वार पर प्रधानाचार्य डॉ. महानंद झा आ डॉ. दिनेश झा सब अतिथि के अगवानी क रहल छला। मुख्य प्रवेश द्वार स सीनेट हॉल तक महर्षि याज्ञवल्क्य, विकास पुरुष ललित नारायण मिश्र, प्रसिद्ध ध्रुपद गायक रामचतुर मल्लिक, मिथिला पेंटिंग में ख्यात सीता देवी सहित विभिन्न मिथिलाक विभूति के चित्र लगाओल गेल छल।

साभार :- दैनिक जागरण

मधुबनी में लागत जनता दरबार त एकहत्था में हाईस्कूल बनत

मधुबनी:- मुख्यमंत्री नीतीश कुमार की आगामी 16 जनवरी स चार दिवसीय सेवा यात्रा के जोरदार प्रशासनिक आ राजनीतिक तैयारि शुरू भ गेल अछि। एक ओर पूरा प्रशासन मुख्यमंत्री के सेवा यात्रा के सफल बनावाई में जुटल अछि त ओतय दोसर दिस पूरा जद यू अहि सेवा यात्रा के ऐतिहासिक बनावै में दिन राति लागल अछि। प्राप्त जानकारी के मुताबिक मुख्यमंत्री के प्रस्तावित सेवा यात्रा 16 जनवरी स शुरू होयत। हुनक कार्यक्रम के अंतिम रूप देल जा रहल अछि। लेकिन जानकारी अछि कि ओ 18 जनवरी क जिला मुख्यालय में जनता दरबार आ 19 जनवरी क जयनगर में जनसभा के संबोधित करता। डीआरडीए भवन के आकर्षक ढंग स रंगाई-पोताई कैल जा रहल अछि । एतय ओ अधिकारि सबहक संग बैठक क योजना सब के समीक्षा करता। खुटौना स प्राप्त जानकारी के मुताबिक मुख्यमंत्री खुटौना प्रखंड के एकहत्था गांव सेहो जेता। अहि के मद्देनजर सालो स जर्जर बेलदारी-एकम्मा भाया एकहत्था सड़क के निर्माण युद्धस्तर पर चली रहल अछि। वृहस्पति दिन विधान पार्षद विनोद कुमार सिंह,जिलाधिकारी संजीव हंस, एसपी सौरभ कुमार, डीडीसी ओपी राय,फुलपरास एसडीओ अरूण कुमार सिंह स्थानीय जनप्रतिनिधियों के साथ गांव स्थित कब्रिस्तान के घेराबंदी, मध्य विद्यालय तक के संपर्क पथ, तालाब की तरफ स सुरक्षा दीवार, बृक्षारोपण आदि विषय पर विचार-विमर्श केला। आरडब्ल्यू डी 2 के सहायक अभियंता जीतेन्द्र कुमार सिंह, सीओ आदित्य कुमार दास आ बीडीओ शिवचंद्र कुमार के उक्त कार्य ससमय पूरा करै के निर्देश देल गेल। स्थानीय मदरसा रहमानिया में हैलीपैड के निर्माण के अंतिम रूप देल गेल। झंझारपुर स प्राप्त जानकारी के मुताबिक जिलाधिकारी संजीव हंस आ एसपी सौरभ कुमार तमुरिया स्थित एक हेचरी के निरीक्षण सेहो कलैंन। भ सकैत अछि कि अपन यात्रा के दौरान मुख्यमंत्री हेचरी देखै लेल तमुरिया सेहो जेता। तमुरिया रमौली उच्च विद्यालय में सेहो हैलीपैड बनवाई के बात कहल जा रहल अछि। डीएम व एसपी मखाना प्रोसेसिंग सेन्टर आ राईस मिल आदि के निरीक्षण केलैनी।

एकहत्था में हाईस्कूल बनत : डीएम

जिलाधिकारी संजीव हंस कहलैनी कि एकहत्था में सारी सुविधा स युक्त हाईस्कूल के निर्माण होयत । अहि के ल क जिलाधिकारी संजीव हंस विधान पार्षद विनोद कुमार सिंह, जदयू के पूर्व जिलाध्यक्ष सत्येन्द्र कामत, पार्टी के नेता वशिष्ठ मंडल, रजीक अहमद के संग ईदगाह स सटल गुलजार बाग मैदान के निरीक्षण कलैंन। ओ सीओ के हाईस्कूल निर्माण हेतु मैदान के उत्तर दिस स चार एकड़ भूमि के सीमांकन के आदेश देलैन। डीएम के अहि घोषणा स आस-पास के गांव में प्रसन्न्ता देखल जा रहल अछि।
साभार :- दैनिक जागरण

Thursday, January 5, 2012

कनकनी व शीतलहर स आम जन जीवन प्रभावित

नव साल के आगमन के पहिले दिन स लगातार शीतलहर के प्रकोप समूचा मिथिलांचल में जारी अछि। ओतय कनकनी वाला ठंडा में किछ कमी भेला। रविदिन स वृहस्पतिदिन तक भगवान भास्कर के बादल के बीच रही के कारण लोग सब के धूप के दर्शन नहीं मिल भेलैन हे। जाही कारण ठंड में किछ बढ़ी गेला। हालांकि शहर में अलाव की आवश्कयता महसूस नहीं कायल जा रहल अछि। ओतय शहरवासी अपन घर में देर राति अलाव के लाभ उठावइ छैथ। अहि दिन भोरे स दिन के 11-12 बजे तक कोहरा के असर रहैत अछी। जाही कारण रेलवे स्टेशन, बस स्टाप व सड़क सुन्न सां रहैत अछी। बच्चा सब के स्कूल जाइ में सेहो काफी दिक्कत के सामना कर परैत छैन।

पूसा समस्तीपुर के मौसम वैज्ञानिक डा. अब्दुल सत्तार कहलैनी कि एक दू दिनों में हल्का बारिश के संभावना अछी। बारिश स आलू के फसल के नुकसान भ सकैत अछी त गेहूं सहित अन्य फसल के लाभ होयत। ओ कहलैनी उन्होंने कि कड़ाके की ठंड में कमी आयत, लेकिन कुहासा के असर अखेन रहत। ओ वृहस्पतिदीन के उन्होंने तापमान के जानकारी दैत कहलैनी कि अधिकतम तापमान 15.9 व न्यूनतम तापमान 3.8 आंकल गेला। ओ कहलैनी कि दू तीन दिन के बाद मौसम में काफी सुधार होई के संभावना अछी।
साभार :- दैनिक जागरण

मकर संक्रांति पर सौ बरखक बाद बनत विशेष संजोग

मकर संक्रांति पर सौ बरखक बाद बनत विशेष एबं अद्भुत संजोग
मिथिलाक प्रसिद्ध ज्योतिषाचार्य श्री बैद्यनाथ झाक मुताबिक़ मकर संक्रांति पर एहन विशेष एबं अद्भुत संयोग सौ साल पर भ’ रहल अछि |मकर संक्रांति एहि बेर रविबार क’ परि रहल छैक |ओहि दिन माघी सप्तमी छैक |ई दुनू तिथि भगवान भास्कर सं सम्बंधित छैक | चंद्र नक्षत्र हस्थ आ उत्तराषाद सूर्य नक्षत्र सेहो ओही दिन छैक |एहन समय सूर्यक मकर राशि मे प्रवेश हेतनि |एक साथ पाँच अद्भुत संयोग बनतैक जे शुभक द्योतक थीक |
साभार :-सत्यनारायण झा

Wednesday, January 4, 2012

लनमिवि के अंतर्गत कई कॉलेज में आव डिग्री आ पीजी के पढ़ाई होयत

ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के अंतर्गत संचालित कई कॉलेज में आव डिग्री आ पीजी के पढ़ाई के शुरुवात करै के प्रक्रिया चली रहल अछी। विद्वत परिषद व सिंडिकेट स अहि लेल अनुशंसा प्राप्त जा चुकल अछि । जहनि की 7 जनवरी क सीनेट के बैठक में सेहो अहि पर विचार होयत। उल्लेखनीय अछि कि सम्बद्ध रामनारायण जनता कॉलेज रामपुर, मधवापुर व सती भरत कॉलेज पड़री में मानवीकी, सामाजिक विज्ञान व वाणिज्य संकाय में तीन सत्रों के लेल अस्थायी संबंधन की अनुशंसा पर विचार होयत। ओतय मधुबनी स्थित आरके कॉलेज में संगीत, गृहविज्ञान व समाजशास्त्र में पीजी की पढ़ाई जहनि की आयाची महिला महाविद्यालय बेनीपुर में संगीत विषय में पीजी पढ़ाई के प्रस्ताव सीनेट में राखल जायत। लनामिवि के अंगीभूत कॉलेज वीएसजे राजनगर में बीएसी व बीकॉम, एमएलएस, सरिसवपाही में बीकाम, जेके कॉलेज बिरौल में बीएससी व बीकॉम, एमआरएम कॉलेज दरभंगा में बीकॉम व एलकेभीडी कॉलेज ताजपुर में बीकॉम की पढ़ाई प्रारंभ करे के प्रक्रिया चली रहल अछि। जानकारी के अनुसार उक्त सब कॉलेज में डिग्री व पीजी के पढ़ाई के लेल सीनेट के बैठक में विचार होयत। अहि के लेल उपरांत सरकार स स्वीकृत के पश्चात पढ़ाई प्रारंभ होयत।

Monday, January 2, 2012

मैथिलि कार्यक्रम के नाम पर मधुबनी में ठगी

विश्व मैथिली सेवा संघ, दिल्ली के तत्वावधान में 31 दिसंबर क शहर के स्टेडियम में सुभाष म्यूजिकल ग्रुप, दिल्ली द्वारा प्रस्तुत भोजपुरी मैथिली स्टार नाइट के आयोजन नहीं भेला क कारण स अहि कार्यक्रम के हजारों टिकट खरीदनाहर में भारी आक्रोश छैन। पिछला कई दिन स अहि कार्यक्रम के नाम पर 100, 200, 300 आ 500 रुपया के दर स प्रति टिकट के खूब बिक्री कायल गेल छल। कार्यक्रम के ल क शहर में बड़का बड़का होडिंग बोर्ड लागायल गेल छल। आयोजक के द्वारा पिछला कई दिन स वाहन सब पर कार्यक्रम के बोर्ड लगा क जिला के संपूर्ण क्षेत्र में टिकट के खूब बिक्री केने छल। निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार 31 दिसंबर के संध्या पर कार्यक्रम देखै लेल हजारों टिकटधारकों कार्यक्रम स्थल पर पहुंचला लेकिन ओतय कार्यक्रम के आयोजन नहीं भेला स हिनका सब के भारी निराशा हाथ लग्लैनी। अहि संदर्भ में टिकटार्थि नगर थाना में पंकज कुमार झा के नेतृत्व में एक प्राथमिकी आयोजक के खिलाफ दर्ज करेलैन। सदर डीएसपी कर्मलाल कहलैनी कि संगीत प्रेमि के संग धोखाधड़ी करे वाला कार्यक्रम के आयोजकों के विरुद्ध सख्त कार्रवाई कायल जायत।
साभार :- दैनिक जागरण