
लोक आस्था आ विस्वास के सबस पैघ पर्व छठ जे बिहार आ यूपी के लोक के मुख्य रूप स मनाबैत अछी मुदा आब पर्व बिहार आ यूपी के लोकक बिच नहीं रही गेला! अहि पर्व के महत्व के आ अहि पर्व के असीम आस्था के देखैत आब छठ के दोसरो समाज के लोक सब अहि पर्व में खूब बढ़ी चढ़ी का हिस्सा लेत छैथ तकर कारण अछी आब छैठ बिहार आ यूपी स बाहरो असामी बंगली आ मारवारी मराठी आ बहुत जगह त मुस्लमानओ सब अहि पर्व के खूब धूम धाम स मनाबैत छैथ! छठ पर्व के महानता के आहा अहुना देखा सकैत छि जे अहि पर्व में समाजक हर वर्ग के कतेक उचित स्थान भेटल अछी! समूचा भारत में मानवीय एकता के अहि स पैघ उदाहरण की भेटत! छैठ पर्व पूरा समाज के एक सूत्र में बंधैत अछी! अहि पर्व के एकता महानता और अछी जे उगैत सूरज के अर्घ त सब देत अछी मुदा डूबैत सूरज के के अर्घ मात्र छट पर्व त में!
सब गोटे के छठ पर्व के बहुत बहुत शुभकामना



