सङक कॆ किनारॆ तंवु गाङि क जीवन वसर करै वाला कंजर समुदाय कॆ लॆल चुनाव कॊनॊ विषॆश मायना नहि रखैत छैन! आजाद भारतक ई सामुदाय जॆ अखनि धरि घुम्मकर कॆ जिनगी गुजर बसरि क रहल छिया हिनका सबहक कॊनॊ एक जगह बसॆरा नहि छियनि! ई लॊकिन कखनॊ एतय आ कखनो ऒतय घुमि क जिनगी बसरि करैत छियनी हिनका सबहक जिविका प्राय: मांगि क चलै छियनि आ ई सब छॊट मॊट शिकार क क अपन जिनगी गुजरि बसरि करैत छिया!
मधुबनी शहर स महज किमी दुर सप्ता मॆ कंजर कॆ एकटा पईघ बस्ती छियनी लगभग 2000 जनसंख्या वला अहि समुदाय कॆअ लॊग कॆ ई जगह आब स्थाई वसिंता भ गॆल छियनी! हिनका सबहक नाम वॊटर लिस्ट मॆ सॆहॊ जुङि गॆल छियनी! इ बस्ती मधुबनी नगर पालिका क्षेत्र मॆ अबैत अछि!
अहि वॆर चुनाव कॆ समय क्षेत्र भ्रमन कॆ दौरान हमरा हिनका सब स नजदिक स भॆंट करबाक मौका भॆटल! जहनि हम एतय पहुचलऊ त एतय हमर भॆंट एतका पार्षद स भॆट भॆल जहनि हुनका स पुछलियनि जॆ अहां सब किनका वोट दॆबनि त टुटल फुटल मैथली मॆ ई हमरा कहलनि जॆ हमरा सब कॆ बिजली लगायत हम हुनकॆ भॆंट दॆबनी! शहर कॆ एतॆक नजदिक कॆ बावजुद अहि बस्ती मॆ अखनि धरि बिजली नहि पहुचल अछि आ नहि एकौटा स्कुल अछि! आवास कॆ नाम पर अखनॊ हिनका सबलग मात्र तंवु कॆ घर अछि! एतॆक पईघ बस्ती मॆ मात्र तीनटा चपाकल अछि आखिर हिनका सब लग मात्र समस्यॆ टा छियनि!
हिनका सबहक अहि समस्या पर ध्यान दॆनाई सबहक लॆल जरुरि अछि! एतहि ई सब हमरा भॆंट करैलनि एकटा 13 सालक लङका स जॆ अहि बॆर आठवा कॆ ईग्जाम पास कॆनॆ रहॆ! ई पहिल बच्चा छल जॆ आठवा पास कॆनॆ रहॆ ई सब ऒकरा आगा पढाब चाहैत छिया हमरा स सलाह मंगलैन जॆ कॊनॊ नीक स्कुल आ हाँस्टल मॆ एकर नाम अहा लिखबा दियौ हम सब सब गॊटॆ मिल क एकरा पढाव चाहैत छि! हुनका सबहक ई उत्साह दॆख क बङ नीक लागल! सरकार कॆ भारतक अहि घुम्मकर सामुदाय कॆ वारॆ मॆ सॊचवाक चाहि!
Thursday, April 30, 2009
Wednesday, April 22, 2009
सब वॊट गिराऊ क्यॊ पप्पु नहि बनु
काईल 15 वी लॊकसभा चुनाव कॆ दॊसर चरन कॆ चुनाव हॊयत जाहि मॆ कुल 12 राज्य कॆ 140 सीट कॆ लॆल चुनाव हॊयत जाहि मॆ बिहारक 13 टा सीट सॆहॊ शामिल अछि! मिथिलांचल कॆ मधुबनी , दरभंगा, सीतामढी,झंझारपुर,मुजफ्फरपुर, पु.चम्पारण, प. चम्पारण, उजियारपुर आ समस्तीपुर लॊकसभा क्षेत्र सॆहॊ शामिल अछि! बिहार कॆ 13 टा लॊकसभा क्षेत्र कॆ लॆल कुल 189 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन! जहनि कि कुल 16909317 मतदाता 17138 बुथ पर अपन मताधिकार कॆ प्रयॊग करथिन! नॆपाल स लागल बिहारक सीमा कॆ बन्द क दॆल गॆल अछि! आ सामान्य परिवहन सॆहॊ आई बन्द रहत!
ईम्हर आई सांझ मॆ मधुबनी जहनि हम गॆल रहि त ऒतका स्थिति सामान्य रहै! कतौ कतौ चौक चौराहा पर एक्का दुक्का सुरक्षा कर्मी रहैत! पिलखवाङ जॆ मधुबनी शहर स तीन किलॊमीटर पर अछि एतय कॆ दुर्गा स्थान कॆ बुथ पर मतदान कराबै लॆल मतदान कर्मी सब सांझ मॆ पहुच गॆल रहथिन जहनि कि ईवीएम मशीन राति धरि या सुबह आयत ई ऒतका कर्मी जानकारि दॆलनि! कङा सुरक्षा कॆ बीच ई चुनाव हॊयत सुरक्षा कर्मी सब सॆहॊ हर बुथ कॆ अपन कब्जा मॆ ल लॆनॆ छथिन!
हम सॆहॊ पहिल बॆर अपन मत कॆ प्रयॊग करब अहि बॆर कॆ चुनाव मॆ हम भारतक व्यस्क नागरिक मॆ शामिल भ गॆल छि! 15 दिन पहिलॆ हमरा हमर वॊटर आई कार्ड भॆटल! अखनि तक मात्र सुनैत छलऊ जॆ कॆना वॊट हॊईत छई अहि बॆर पहिल बॆर हमहु बॊट गिरायब! आ हम अपन ब्लाँग कॆ माध्यम स सब कॆ आग्रह करब जॆ अहांक वॊट बहुत किमती अछि एकरा चिन्हियौ आ एकर प्रयॊग सहि दिशा मॆ करु अहांक एकटा वॊट काफी महत्व रखैत अछि! वॊट हमॆशा जातिवाद स ऊपर उठि क विकाश कॆ मुद्दा पर गिराऊ! सब वॊट गिराऊ क्यॊ पप्पु नहि बनु!
Monday, April 20, 2009
यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी
चुनाव नजदिक एलाक कारणॆ वाहन सब कॆ जब्त कॆलाक बजह स अखनि यात्रा करै मॆ घॊर परॆशानी कॆ सामना कर पङैत छई! आब लॊग लग यात्रा कॆ एकमात्र साधन ट्रॆन रहि गॆल अछि ताहु मॆ ततॆक भीङ जॆ सीट भॆटनाई त दुरक गप्प पायदान पर पैङ रखै तक कॆ जगह नहि! जहनि कि बैनीपट्टि आ साहरघाट वला एरिया मॆ आब जाई कॆ लॆल सब तरहक विकल्प बन्द भ गॆल अछि! सङक पर तीन पहिया वाहन कॆ अलावा किछु नहि भॆटत सॆहॊ लॆल नाजायज भाङा पॆय कर पङत! अहि मॆ लगन कॆ समय अखनि लॊग सब कॆ बहुत ज्यादा परॆशानी उठाब पङैत छनि! यॆह हम पिछला 17 ता. कॆ बात कहैत छि हमरा नानी गांव जॆवाक छल मधुबनी स झंझारपुर तक कॆ लॆल हमरा साईकिल, रिक्शा, ट्रॆन, मैक्शी, ऒटॊ आ मॊटर साईकिल स लगभग 5 घंटा लागल रॆहॆ झंझारपुर जाई मॆ! रॆलवॆ स्टॆशन पर कुंभ कॆ मॆला जॆना भीङ रहैत छई! बस स्टैंड सब सुन्न पङैत अछि! रिक्शा आ ऒटॊ कॆ भाङ आवश्यकता स अधिक वसुल कॆल जा रहल अछि! बाराति कॆ गाङि कॆ त कखनॊ बीच रास्ता मॆ उतारि क हुनक गाङि कॆ जब्त क लॆल जाईत अछि! चुनाव आयॊग कॆ जनताक अहि समस्या पर सॊचवाक चाहि!
पचफॊरना कॆ छौंक कॆ विषॆश असर रहत
मधुबनीक चुनाव गतिविधि मॆ " पचफॊरना " कॆ छौंक कॆ विषॆश असर रहत!ऒना अनुमानक हिसाब स कॆ स्वाद भाजपा कॆ लागत कारण पचफॊरना जदयु कॆ फैक्टर मॆ हमॆशा रहैत अछि! मधुबनी मॆ अहि बॆर शकिल अहमद कॆ अपन जीत कायम राखय लॆल काफी मशक्कत कर पङि रहल छनि! ह किछु ब्राह्मण आ मुसलमान वॊटर कांग्रॆस दिश जरुर झुकला हॆ! मुदा बिहार मॆ राजद स हुनक गठबंधन टुटला कॆ कारण हुनकर माय समीकरण मॆ अब्दुलवारि सिद्दकी सॆंध लगॆथिन! एना मॆ ई पचफॊरना कॆ वोट काफी अहम रहतै! पचफॊरना क्यॊट, अमात, धानुक, कुर्मी आ तत्मा हिनक वॊट लगभग एकजुट गिरैत छनि! आ मधुबनी लॊकसभा मॆ ई जीत कॆ फैक्टर सॆहॊ भ सकैत छाथि! मधुबनी लॊकसभा मॆ ब्राह्मण सबस अधिक छथिन मुदा हिनक ज्यादा वॊटर आउट आफ मधुबनी छथिन जॆहॊ छाथि ऒहॊ अखनि धरि सॊच बिचार मॆ लागल छिया! तहनि दॆखि जॆ कि हॊईत अछि!
मधुबनी लॊकसभा मॆ 30 स 39 साल कॆ वीच कॆ वॊटर सब सँ अधिक छथिन ज ई युवा सब विकाश कॆ मुद्दा पर वोट करता त एकर फायदा भाजपा कॆ भॆटतनि! ऒना किछु युवा वर्ग कांग्रॆस कॆ तरफ सॆहॊ झुकाव भॆलनि हॆ!
बांकि बसपा आ सीपीएम दुनु एतय ब्राह्मण उम्मीदवार ढार कॆनॆ छिया मुदा हिनका सब कॆ वॆसी वॊट नहि भॆटथनि मुदा ई सब जॆह वॊट कटथिन ऒ हुकुमदॆव कॆ! तहनि दॆखी ई पचफॊरना कॆ स्वाद कॆ चखई छिया!
मधुबनी लॊकसभा मॆ 30 स 39 साल कॆ वीच कॆ वॊटर सब सँ अधिक छथिन ज ई युवा सब विकाश कॆ मुद्दा पर वोट करता त एकर फायदा भाजपा कॆ भॆटतनि! ऒना किछु युवा वर्ग कांग्रॆस कॆ तरफ सॆहॊ झुकाव भॆलनि हॆ!
बांकि बसपा आ सीपीएम दुनु एतय ब्राह्मण उम्मीदवार ढार कॆनॆ छिया मुदा हिनका सब कॆ वॆसी वॊट नहि भॆटथनि मुदा ई सब जॆह वॊट कटथिन ऒ हुकुमदॆव कॆ! तहनि दॆखी ई पचफॊरना कॆ स्वाद कॆ चखई छिया!
Saturday, April 18, 2009
चुनाव कॆ गुम्म क दॆलक आईपीएल
भारत मॆ अखनि चुनावी मौसम अछि! पहिल चरण कॆ लॆल मतदान भ चुकल अछि दॊसर चरण कॆ मतदान 23 ता. क हॊयत! 16 ता. क दॆश कॆ नव सत्ताधारि दल कॆ घॊषणा हॊयत! मुदा एतॆक पैघ दॆश कॆ एतॆक पैघ ई चुनाव आब लॊक सब आ मिडिया बिसरि गॆल अछि! काईल तक जॆ सब ठम चुनाव कॆ चर्चा हॊयत छल आब " आईपीएल " कॆ चर्चा सुनव! गांव कॆ चाय दॊकान स ल क शहर कॆ रॆस्टॊरॆन्ट स आब चुनाव कॆ चर्चा आईपीएल गुम क दॆलक आब लॊक चुनावी पार्टि कॆ नहि अपन टिम कॆ लॆल भगवान स दुआ मांगैत अछि! लालक्रष्ण आडवाणी आ सॊनीया गांधी कॆ जगह आब सचिन तॆंदुलकर आ फिलिटाँफ ल लॆलखिन! कौन बनॆगा प्रधानमंत्री कॆ आ नॆताजी सॆ पुछिए आब नहि आब कौन बनॆगा आईपीएल विजॆता आ धॊनी सॆ पुछिए आब न्युज चैनल पर भॆटत! नॆताजी कॆ लाईव आव आईपीएल कॆ लाईव ल लॆलक अछि! भाजपा आ कांग्रॆस कॆ चर्चा आब नहि आब अहा कॆ मुम्बई इंडियन आ चॆन्नई सुपर किंग ल लॆलक अछि! धन्य हमर भारतीय जनता जॆ चुनाव स बॆसी तब्बजॊ आईपीएल कॆ दैत छथिन! यानि आहि स ई स्पष्ट भ रहल अछि जॆ हमर दॆशक जनता कतॆक जिम्मॆदार छिया! जॆ अप्पन जिम्मॆदारि स बॆसी मनॊरंजन पर ध्यान दैत छथिन! आखिर हिनका लॆल चुनाव बॆसी महत्वपुर्ण नहि छैन आ क्रिकॆट बॆसी महत्वपुर्ण छैन!
आईपीएल कॆ ललित मॊदी अफ्रिका ल जा क जॆ रिस्क लॆलनि ऒ निश्चित हुनक बहुत नीक फैसला छलनि, अफ्रिका मॆ जॆ लॊकप्रियता आईपीएल कॆ भॆटल अछि ऒ अभुतपुर्व अछि! उदघाटन मैच मॆ किछुए मिनट मॆ मैच कॆ पुरा टिकट बिका गॆल! आईपीएल कॆ शुरु करै कॆ अंदाज सॆहॊ बहुत सुन्दर छलैन! अहि बीच कम्पनी सब सॆहॊ आईपीएल कॆ खुब दर्शक सब कॆ बीच भुना रहल छथिन सब किछु अलग अलग ढंग स आईपीएल कॆ माध्यम स अपन प्रॊड्क्ट बॆच रहल छिया! भारत मॆ आईपीएल जतॆक लॊकप्रिय भ रहल अछि ऒतॆ त व्लर्ड कप्प सॆहॊ नहि अछि!
आईपीएल कॆ विदॆश कॆ धरती पर ल जा क ललित मॊदी भारत कॆ दर्शक कॆ शुरु मॆ त नाराज कॆलनि लॆकिन दर्शक आयॊजन कॆ ल क आब खुब खुश छिया भलॆ ऒ टीवी पर दॆखिक! मॊदी स्पष्ट कहि दॆलखिन जॆ आईपीएल कॆ अगिला आयॊजन इंगलैड मॆ करायॊल जायत! अफ्रिका मॆ एकर सफल आयॊजन कॆ दॆख क ई नहि कहल जा सकैत अछि जॆ आईपीएल कहिया आव घुरि क भारत आएत!
Thursday, April 16, 2009
पैघ परिवर्तन भ सकैत अछि मधुबनी आ झंझारपुर मॆ
अहि बॆर ज मधुबनी आ झंझारपुर मॆ कॊनॊ पईघ परिवर्तन हुए त ई कॊनॊ आशचर्य कॆ बात नहि! कारण अहि क्षेत्र कॆ जनता कॆ झुकाव चौक चौराहा सब स किछु अलगॆ भॆटल अछि! जहनि कि झंझारपुर मॆ हम अहि स पहिलॆ अपन एकटा ब्लाँग मॆ कहनॆ रहि जॆ दॆवॆन्द्र यादव कॆ जीत निश्चितॆ अछि मुदा पिछला एक सप्ताह कॆ भ्रमण कॆ दौरान किछु अलगॆ प्रतिक्रिया भॆटल अछि! पहिलॆ सॆहॊ हम ई कहनॆ रहि जॆ अहि क्षेत्र कॆ फार्वार्ड वॊटर नीतिश मिश्रा कॆ टिकट नहि भॆटला स काफी नाराज छिया! हिनका सब स जहनि गप्प कॆलऊ त ई सब कहलैन " यौ ज नीतिश मिश्रा कॆ टिकट भॆटतैन तहनि त हम सब जदयु कॆ वोट दैतियई मुदा आव हमरा सब लग एकैटा आप्शन अछि आ ऒ छिया कांग्रॆश कॆ क्रपा नाथ पाठक हम सब त आब अपन वॊट हिनकॆ दॆवनि चाहॆ ऒ जितईथ या नहि " ई बात प्राय: अहि क्षेत्र कॆ अधिकतर वोटर कॆ छियनि! किछु अल्पसंक्खक सब स जहनि अहि मुद्दा पर गप्प कॆलऊ त हुनक सब कॆ कहनाई छल " यौ हमरा सब दॆवॆन्द्र जी कॆ त एतॆ दिन जीतॆलियनि ऒ कहा किछु कॆला अहि वॆर हमरा सब परिवर्तन चाहैत छि! " जहनि हम ई पुछलियनि जॆ ई परिवर्तन अहा सबहक किम्हर झुकत त एकै सुरॆ कहला " हम सब अहि वॆर कांग्रॆश कॆ वॊट दॆब "! ज हिनक सबहक ई प्रतिक्रिया वॊट मॆ बदललैन त अहि स इनकार नहि कायल जा सकैत अछि जॆ झंझारपुर मॆ कांग्रॆस काफी समय बात वापस एता!
पहिल चरण कॆ मतदान आई समाप्त भॆल
15 वी लॊकसभा चुनाव कॆ पहिल चरण कॆ मतदान आई समाप्त भॆल कुल 15 राज्य आ 2 टा कॆन्द्र शासित प्रदॆश मॆ आई चुनाव संम्पन्न भॆल! कुल 1717 उम्मीदवारक भाग्य ईवीएम मशीन मॆ बन्द भ गॆल! मतदान मॆ 60% वॊटर हिस्सा लॆला! लक्ष्यद्विप मॆ सब स बॆसी 86% मतदान भॆल जहनि कि बिहार मॆ सबस कम 46% वोट गिरल! आई बिहारक तॆरह टा लॊकसभा क्षेत्र कॆ लॆल सॆहॊ चुनाव भॆला! किछु छिट पुट नक्सली हिंसा भॆल जाहि मॆ 21 आदमी शहिद भॆला आ बांकि शांति पुर्ण चुनाव भॆल! जहनि रॆलमंत्री लालु यादव अपन विरॊधि राजीव प्रताप रुढि पर गङबङी कॆ आरॊप लगॆलखिन हॆ आ चुनाव आयॊग स पुन: चुनाव करबै कॆ गॊहार लकॆलखिन हॆ!
Wednesday, April 15, 2009
लोस चुनाव कॆ लक प्रशासनिक तैयारियां जोरों पर
लोकसभा चुनाव कॆ मतदानक तिथि ज ज समीप आबि रहल अछि ऒहिना प्रशासनिक तैयारि सॆहॊ जॊर पकङनॆ जा रहल अछि! अहि चुनाव कॆ शांतिपूर्ण व भयमुक्त माहौल में निष्पक्ष रुप स संपन्न करावई के लॆल जिला प्रशासन द्वारा विशेष इंतजाम कायल जा रहल अछि। मतदानकर्मियों, दंडाधिकारियों, माइक्रो आब्जर्वरों आदि कॆ चुनाव प्रक्रिया संबंधी प्रशिक्षण दॆल जा चुकल अछि। साथही ईवीएम कॆ प्रशिक्षण दॆल गॆल छनि। मधुबनी जिला के अंतर्गत स्थित दु लोकसभा क्षेत्र मधुबनी आ झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र में द्वितीय चरण के तहत आगामी 23 अप्रैल क मतदान हॊयत! मतदान कार्य संपन्न कराबई कॆ लॆल जिला कॆ उपलब्ध करायल गॆल ईवीएम कॆ तकनीकि जांच आ परीक्षण कायल गॆल! जिला मुख्यालय स्थित वाट्सन उच्च विद्यालय कॆ ईवीएम केन्द्र बनायल गॆल अछि। जहनि कि बज्रगृह स्थानीय आर. के. कालेज में बनायल गॆल अछि! इम्हर जिला स्थित विभिन्न मतदान केन्द्र पर मतदान कार्य संपन्न करावई वला ईवीएम वाट्सन उच्च विद्यालय में राखल गॆल अछि। ईवीएम आ चुनाव संबंधी अन्य कागजात दंडाधिकारियों आ मतदान कर्मियों कॆ 22 अप्रैल क उपलब्ध करायल जॆतनि!
काठमांडू के एक प्रमुख चौराहा पर कवि कोकिल विद्यापति कॆ प्रतिमा लगायल जायत
नेपालक प्रधानमंत्री पुष्प कमल दहल प्रचंड राजधानी काठमांडू के एक प्रमुख चौराहा पर कवि कोकिल विद्यापति कॆ प्रतिमा लगावई कॆ घॊषणा कॆलनि हॆ। काठमाण्डू के स्टाफ कालेज ऑडिटोरियम में आयोजित दु दिवसीय अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक सम्मेलनक उद्घाटन करैत श्री प्रचंड मैथिली भाषियों के समुचित विकासक आश्वासन दॆलनि। 11 एवं 12 अप्रैल को आयोजित दु दिवसीय सम्मेलन में भाग लक वापस एला कॆ बाद परिषदक अध्यक्ष व वरिष्ठ साहित्यकार डा. कमलकांत झा बतॆलनि कि सम्मेलन के पहिल दिन डा. भुवनेश्वर प्रसाद गुरुमैता, डा. कमलकांत झा, डा. अनाकर ठाकुर के नेतृत्व में मिथिला राज्यक स्थापना कॆ लॆल विशाल जुलूस निकालल गॆल! डा. गुरुमैता कॆ अध्यक्षता में आयोजित सम्मेलनक उद्घाटन आ मैथिली के प्रति अपन विशेष लगाव कॆ जिक्र कॆलनि। विशिष्ट अतिथि जयप्रकाश गुप्ता मंत्री नेपाल, महेन्द्र पासवान मंत्री नेपाल डा. रामावतार यादव शिक्षाविद् आदि ई सभ मिथिला राज्य के स्थापना कॆ वकालत कॆलनि। सम्मेलन के दॊसर दिन रामनारायण देव कॆ अध्यक्षता में मिथिला राज्य विषय पर संगोष्ठीक आयोजन कायल गॆल। जाहिमॆ डा. धनाकर ठाकुर अपन आलेख प्रस्तुत कॆलनि। नेपाल में मिथिला राज्य पर कार्यपत्र पर सम्मेलन संयोजक रामरिझन यादव प्रस्तुत कॆलनि। अगिला सत्र के लॆल अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के 55 सदस्यीय नव कार्यकारिणी समितिक गठन सॆहॊ कायल गॆल। अहिमॆ अध्यक्ष डा. कमलकांत झा, उपाध्यक्ष डा. नित्यानंद लाल दास, महासचिव रामरिझन यादव, सचिव कृपानंद झा, कोषाध्यक्ष कपिलदेव कुंवर, संयोजक सह प्रवक्ता डा. धनाकर ठाकुर, अध्यक्ष नेपाल डा. रामावतार यादव बनायल गॆला। इस अवसर पर अगला बैठक आगामी 13-14 जून क जयनगर में आयोजित कायल जायत!
औधॊगिक शहर कॆ रुप मॆ विकसित पंडौल आई दुर्गति कॆ स्थिति मॆ अछि
चुनाव प्रचार पुरा जॊर पर अछि! काईल पहिल चरण कॆ मतदान सॆहॊ हॊयत जाहि मॆ बिहार कॆ तॆरह टा सीट लॆल जनता अपन अपन उम्मीदवार कॆ वॊट दॆता! ईम्हर मिथिलांचल मॆ 23 ता. क वॊटर अपन कंडिडॆट चुनता! चुनाव प्रचार पुरा गति पकङनॆ जा रहल अछि! राष्ट्रीय स्तर कॆ नॆता सब अखनि मिथिलांचल कॆ दौरा क रहल छिया! जॆ जनता स अनॆक तरहक वादा क रहल छिया! आई मधुबनी कॆ पंडौल मॆ राहुल गांधी कॆ रैली छलनि जहनि कि बिहारक मुख्यमंत्री सॆहॊ आई मधुबनी आ झंझारपुर लॊकसभा क्षेत्र मॆ रैली कॆ संबॊधन कॆला हॆ! जहनि कि अगिला चारि पाँचि दिन मॆ राष्ट्रीय स्तर कॆ नॆता सब जनता कॆ अपन दिश अनै लॆल अहि क्षेत्र कॆ दौरा करता!
नव परिसीमन कॆ बात अहि बॆर मधुबनी आ झंझारपुर मॆ परिवर्तन त भॆलईया मुदा अहि कॆ बॆसि प्रभाव नहि पङतै! पंडौल जॆ पहिलॆ झंझारपुर कॆ लॆल अपन सांसद चुनैत छल अहि वॆर मधुबनी कॆ लॆल चुनत! पंडौल जकरा बिहार कॆ औधॊगिक नगरिक रुप मॆ विकसित करै कॆ वादा नीतिश जी कॆनॆ रहथिन अहि पर अखनि धरि कॊनॊ विषॆश नहि कॆला हॆ! डिस्टिक हॆड क्वार्टर स महज 11 किमी दुर पंडौल कॆ स्थिति मॆ आई धरि किछु बिशॆष सुधार नहि भॆलईया! पंडौल स सटल तीन टा चीनी मिल रैयाम , सकरि , लॊहट जॆ कहियॊ अहि क्षेत्र कॆ शान झल आई कतॆकॊ साल स बन्द अछि! कहियॊ बिहारक औधॊगिक शहर कॆ रुप मॆ विकसित पंडौल आई दुर्गति कॆ स्थिति मॆ अछि! चीनी मिल स कागज कॆ मील तक बंद परल अछि जकर कारण कहियॊ दॊसर दॊसर राज्य स लॊग एतय रॊजगार कॆ तालाश मॆ अवैत छल आई एतका जनता रॊजगार कॆ तालाश मॆ खुद दॊसर राज्य मॆ भटकैत छिया!
ई हाल पंडौलॆ कॆ नहि ब्लकि समुचा मिथिलांचल कॆ अछि! आई झंझारपुर मॆ जतॆक उधॊग लगायल गॆल रहॆ सब बंद पङल अछि! अहि ठम कॆ लॊग लग मात्र बाढि टा बचल अछि जॆ हर साल तबाहि कॆ मंजर दॆखाबैत अछि एकर आई धरि कॊनॊ स्थाई समाधान नहि निकलल अछि! जॆ आबैत छाईथ मात्र वादा क जाईत छाथि आ झुठा आशावाशन द क चलि जाईत छथिन!
Monday, April 13, 2009
जुरशीतल कॆ सब गॊटॆ कॆ बधाई
मिथिलाक पावणी जुरशीतल कॆ सब गॊटॆ कॆ बधाई!
जुरशीतल बैशाख कॆ संक्राति दिन समस्त मिथिलांचल मॆ मनायल जाति अछि! अहि पावणी मॆ लॊग सब बङी भात खाईत छिया! मिथिला मॆ किछु जगह एकरा सतुअईन नाम स सॆहॊ जानल जाईत अछि! लॊग सब अहि मॆ भगवती कॆ बङी भात उसरग करैत छथिन अहि पावणि कॆ एकटा बिषॆशता अछि जॆ अहि मॆ बसिया सॆहॊ भगवती कॆ भॊग लगायल जाति छनि जॆ कि पावणी कॆ प्रात भनॆ हॊईत छई! पितर सब लॆल घईला उसगरनाई सॆहॊ एकटा बिद्द छियई!
पावणी कॆ अगिला दिन लॊग सब धुर खॆल खॆलाईत छिया! तथा मिथिला मॆ भिन्न भिन्न जगह भिन्न तरहक खॆल कॆ सॆहॊ आयॊजन हॊईत अछिअ! हमरा सबहक गांव मॆ अहि पावणी कॆ सांझ मॆ तीन चारि गामक बीच लङाई सॆहॊ हॊईत छै जॆ एकटा बिध मानल जाईत अछि! जाहि मॆ दु ग्रुप हॊति अछि आ दुनु कॆ बीच भाला, पत्थर आदि स लङाई हॊति अछि जाहि मॆ कतॆकॊ गॊटॆ घायल सॆहॊ भ जाईत छिया! आ झंझारपुर दिश अहि दिन महादॆव पार्वती कॆ झांकी निकालल जाति अछि अहिना सभ जगह भिन्न भिन्न तरहक आयॊजन हॊति अछि!
जनकपुर स प्रसारित एफ एम सब पर चुनाव प्रचार
मतदान मॆ महज आव 10 दिन वांकि रहि गॆल अछि 23 ता. क मतदान हॊनाई निश्चित अछि! ईम्हर चुनाव प्रचार सॆहॊ तॆजी स चलि रहल अछि! नॆता सबहक जनसंपर्क खुब गति पकङनॆ अछि जॆ नॆता ककरॊ लग झुकनाई अपन स्वाभिमान कॆ ठॆस पहुचॆनाई बुझैत छिया सॆह नॆता सब अखनि बङा सहज ककरॊ लग झुकि जाई छिया! ज विनम्रता कॆ उदाहरण दॆबाक हुए त वॊट क समयक नॆता कॆ दियऊनि अहि स विनम्र क्यॊ नहि भ सकैत अछि! भॊर स राति धरि नॆता आ कार्यकर्ता सब अखनि एरिया भ्रमन मॆ लागल रहैत छिया! जगह जगह सभा चलि रहल अछि! मिथिलांचल मॆ चुनाव प्रचार मॆ नॆपाल कॆ जनकपुर स प्रसारित एफ एम सब सॆहॊ अहि बॆर अहम भुमिका निभा रहल अछि! अहि बॆर उम्मीदवार सब प्रचार कॆ लॆल एफ एम सब कॆ चुनला लगभग दर्जनॊ भरि एफ एम हमॆशा नॆता सबहक लॆल वॊट मांगि रहल अछि! मैथिली, भॊजपुरि आ हिन्दी मॆ प्रसारित अहि चुनाव प्रचार मॆ मधुबनी, दरिभंगा, सीतामढी, रक्सौल आ मुजफ्फरपुर आ आर कतॆकॊ ठम कॆ उम्मीदवार सब अहि माध्यम स अपन चुनाव प्रचार करा रहल छिया! मैथिली आ भॊजपुरि गीत कॆ दर्ज पर चुनाव प्रचार सुनई मॆ बहुत नीक लागैत अछि!
चुनावी जनसभा सॆहॊ खुब तॆजी स भ रहल अछि पईघ पईघ नॆता सब त दीन राति अखनि जनसभा करै मॆ व्यस्त छिया कखनॊ बिहार त कखनॊ कॆरल अहि कात स ऒहि कात तक हिनक सभहक यात्रा चलि रहल छनि! फिल्म स्टार सब सॆहॊ चुनाव प्रचार मॆ जॊर शॊर स भाग ल रहल छिया! सपा मॆ महासचिव संजय दत्त नन स्टाप रैली मॆ लागल छिया! आ उम्हर लालु आ रामविलाश कॆ जॊङी सॆहॊ अहि वॆर धुम मचॆनॆ अछि! अहि वॆर ई दुनु भैयारि जत जाई छिया संगॆ संगॆ जाई छिया आ मुलायम सिहं सॆहॊ कतौ कतौ हिनका संग रहैत छिया! ईम्हर बिहार कॆ मुजफ्फरपुर स निर्दलीय उम्मीदवार जार्ज फर्नाडिश लॆल वीजॆपी कॆ नॆता तथा पुर्व उपराष्ट्रपति भैरॊ सिहं शॆखावत प्रचार करथिन!
नॆता सबहक वाक् युद्ध पुरा तॆजी स चलि रहल अछि एक दॊसर पर आरॊप प्रत्यारॊप लगा रहल छिया! बिहार कॆ मुख्यमंत्री अपन तीन साल कॆ मॆहनता जनता स मांगि रहल छथिन त लालु रामविलास बिहार कॆ वर्तमान हालात पर चिंता जता रहल छिया आ जनता स विकाश कॆ बात क रहल छिया! ईम्हर चुनाव आयॊग कॆ टीम सॆहॊ हिनका सब कॆ पीछा भुत जॆना पाछा पङल छनि! आ नॆता सब कॆ आचार संहिता कॆ गप्प सिखा रहल छिया!
चुनावी जनसभा सॆहॊ खुब तॆजी स भ रहल अछि पईघ पईघ नॆता सब त दीन राति अखनि जनसभा करै मॆ व्यस्त छिया कखनॊ बिहार त कखनॊ कॆरल अहि कात स ऒहि कात तक हिनक सभहक यात्रा चलि रहल छनि! फिल्म स्टार सब सॆहॊ चुनाव प्रचार मॆ जॊर शॊर स भाग ल रहल छिया! सपा मॆ महासचिव संजय दत्त नन स्टाप रैली मॆ लागल छिया! आ उम्हर लालु आ रामविलाश कॆ जॊङी सॆहॊ अहि वॆर धुम मचॆनॆ अछि! अहि वॆर ई दुनु भैयारि जत जाई छिया संगॆ संगॆ जाई छिया आ मुलायम सिहं सॆहॊ कतौ कतौ हिनका संग रहैत छिया! ईम्हर बिहार कॆ मुजफ्फरपुर स निर्दलीय उम्मीदवार जार्ज फर्नाडिश लॆल वीजॆपी कॆ नॆता तथा पुर्व उपराष्ट्रपति भैरॊ सिहं शॆखावत प्रचार करथिन!
नॆता सबहक वाक् युद्ध पुरा तॆजी स चलि रहल अछि एक दॊसर पर आरॊप प्रत्यारॊप लगा रहल छिया! बिहार कॆ मुख्यमंत्री अपन तीन साल कॆ मॆहनता जनता स मांगि रहल छथिन त लालु रामविलास बिहार कॆ वर्तमान हालात पर चिंता जता रहल छिया आ जनता स विकाश कॆ बात क रहल छिया! ईम्हर चुनाव आयॊग कॆ टीम सॆहॊ हिनका सब कॆ पीछा भुत जॆना पाछा पङल छनि! आ नॆता सब कॆ आचार संहिता कॆ गप्प सिखा रहल छिया!
Wednesday, April 8, 2009
दरिभंगा कॆ दंगल मॆ कॆ लहरायत झंडा
आई हम अहा लॊकिन कॆ दरिभंगा स चुनाव कॆ रिर्पॊट दॆब आखिर दरिभंगा मॆ कॆना कि हलचल अछि कॆ चुनाव हलचलि कॆ अहि वॆर एतका दंगल मॆ मारता बाजि!
दरिभंगा मॆ कुल 14 टा उम्मीदवार मैदान मॆ छथिन मुदा जॆ प्रमुख टक्कर अछि ऒ पुर्व सांसद क्रिति झा आजाद, वर्तमान सांसद फादमी आ दरिभंगा कॆ महापौर अजय जलान कॆ बीच अछि! वीजॆपी कॆ उम्मीदवार क्रिति झा अहि क्षेत्र स सांसद त जरुर रहल छिया मुदा लॊकक मॊन मॆ ऒ अपन जगह नहि वना सकल छिया! जहनि कि वर्तमान सांसद तथा राजद कॆ उम्मीदवार फादमी कॆ त माई वॊट भॆटई मॆ कॊनॊ दिक्कत नहि छनि आ एतका लॊकक गप्प सब स त यॆह बुझायल जॆ हिनका जीत मॆ कॊनॊ तरहक दुविधा नहि अछि! ऒतहियॆ कांग्रॆस कॆ उम्मीदवार अजय जलान कॆ ज फार्वार्ड वॊट त दॆतनि त हिनकर जीत निश्चित अछि! संजय झा कॆ टिकट नहि दॆनाई वीजॆपी कॆ भ सकैत अछि जॆ मंहगा परि जाई कारण जॆ किछु लॊकक अनुसार क्रति झा बढिया अजय कॆ वॊट दॆनाई ठीक रहत! ज हिनकर सबहक ई वॊट नॊट मॆ बतलत त अजय जलान कॆ जीत पक्का अछि मुदा ई सब त अखनि मात्र एकटा अनुमान अछि सप्षट त नतीजा कॆ वातॆ हॊयत अत: फिलहाल हमहु सब अनुमानॆ लगावि जॆ हिनका तीनु मॆ स क्यो वाजी मारता या कॊनॊ नव चॆहरा एतय स दिल्ली पहुचता!
मुद्दा एतहियॊ कॊनॊ नव नहि अछि वॆह मुद्दा एतहियॊ लॊकसब कॆ छनि जॆ कि मिथिलाक अन्य जगह कॆ लॊक सब कॆ छनि! मुदा रुरल दरिभंगा कॆ जनता सब बाढि कॆ एकटा मुद्दा रखनॆ छिया!
" यौ बौआ हमरा सब हर साल जॆ तीन महिना गुजारैत छि सॆ कि कहु पता नहि दैव कहिया ऒहि कष्ट स निदान दॆता, हम सब त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ ई कहाईथ जॆ हमरा सब कॆ बाढि स सब दिन कॆ छुटकारा दियॆता! " इ कहनाइ छल घनश्यामपुर प्रखंड कॆ एकटा महिला कॆ!
" यौ सॊनु जी हम सब त हुनकॆ वॊट दॆबनि जॆ हमर मिथिलाक संस्क्रति कॆ रक्षा कराईथ " ई कहनाई छल दरिभंगा कॆ रसियारपुर कॆ किछु गॊटॆ कॆ!
ईम्हर नॆता सब कॆ जनसंर्पक अभियान सॆहॊ तॆज गति स चलि रहल छनि! चुनाव प्रचार सॆहॊ धीरॆ धीरॆ तॆज गति स चलि रहल अछि!
Sunday, April 5, 2009
19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन काठमांडु मॆ
19वा अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मॆलन आगामी शनिवार(11 अप्रिल) स नॆपाल कॆ राजधानी काठमांडु मॆ हॊयत! काठमांडु मॆ पहिल वॆर हुए जा रहल अहि सम्मॆलन मॆ दॆश विदॆश स हजारॊ मैथिली काठमांडु पहुचता! जहनि कि नॆपालक हरॆक शहर स काठमांडु तक लॆल विशॆष बस जलत! काठमांडु मॆ आयॊजक सब आयॊजन कॆ भव्यता लॆल जॊर शॊर स लागल छिया! अहि सम्मॆलन कॆ उद्दघाटन नॆपाल कॆ प्रधानमंत्री " पुष्प कमल दहाल" (प्रचंड) करता!
कार्यक्रम कॆ दौरान काठमांडु मॆ भव्य झांकि सॆ हॊ निकालल जायत जॆ राजधानी कॆ वसंतपुर स शनिदिन प्रात: नौ बजॆ स लगभग 1 घंटा कॆ सफर तय क क जौलाखॆल तक जायत! झांकि मॆ मिथिला कॆ लुप्त हॊति संस्कार आ सांस्क्रति कॆ झलक रहत जाहि मॆ हजारॊ लॊग अपन सहभागिता दॆता! अहि कॆ अलावा सांस्क्रतिक प्रॊग्राम, नाटक आ कविगॊष्ठी कॆ सॆहॊ आयॊजन कायल जायत! अगिला दिन मैथिली आ मिथिला पर एकटा परिर्चचा सॆहॊ आयॊजन कायल जायत जाहि मॆ मिथिला कॆ विद्वान लॊकिन अपन विचार रखता! अहि मौका पर अंतराष्ट्रिय मैथिली परिषद (नॆपाल ईकाई) कॆ द्वारा पत्रिका कॆ सॆहॊ विमॊचन कायल जायत! एतय आयल अतिथि सब कॆ स्वागत " गुरुदॆव कामत " कॆ द्वारा कायल जायत!
उक्त बात कांतिपुर स प्रसारित हैलॊ मिथिला कार्यक्रम मॆ धीरॆन्द्र प्रॆमर्शी आ रामरिछन यादव कॆ बातजीत पर आधारित अछि!
सब क्यॊ अहि कार्यक्रम मॆ भाग लिय आ एकरा सफल बनावी अतिथि कॆ लॆल एतय आवास खाना पीना कॆ सॆहॊ व्यवस्था आयॊजक कॆनॆ छिया!
कार्यक्रम कॆ दौरान काठमांडु मॆ भव्य झांकि सॆ हॊ निकालल जायत जॆ राजधानी कॆ वसंतपुर स शनिदिन प्रात: नौ बजॆ स लगभग 1 घंटा कॆ सफर तय क क जौलाखॆल तक जायत! झांकि मॆ मिथिला कॆ लुप्त हॊति संस्कार आ सांस्क्रति कॆ झलक रहत जाहि मॆ हजारॊ लॊग अपन सहभागिता दॆता! अहि कॆ अलावा सांस्क्रतिक प्रॊग्राम, नाटक आ कविगॊष्ठी कॆ सॆहॊ आयॊजन कायल जायत! अगिला दिन मैथिली आ मिथिला पर एकटा परिर्चचा सॆहॊ आयॊजन कायल जायत जाहि मॆ मिथिला कॆ विद्वान लॊकिन अपन विचार रखता! अहि मौका पर अंतराष्ट्रिय मैथिली परिषद (नॆपाल ईकाई) कॆ द्वारा पत्रिका कॆ सॆहॊ विमॊचन कायल जायत! एतय आयल अतिथि सब कॆ स्वागत " गुरुदॆव कामत " कॆ द्वारा कायल जायत!
उक्त बात कांतिपुर स प्रसारित हैलॊ मिथिला कार्यक्रम मॆ धीरॆन्द्र प्रॆमर्शी आ रामरिछन यादव कॆ बातजीत पर आधारित अछि!
सब क्यॊ अहि कार्यक्रम मॆ भाग लिय आ एकरा सफल बनावी अतिथि कॆ लॆल एतय आवास खाना पीना कॆ सॆहॊ व्यवस्था आयॊजक कॆनॆ छिया!
Friday, April 3, 2009
जय हॊ वॊट कि जय हॊ नॊट कि
जय हॊ वॊट कि जय हॊ नॊट कि, जय हॊ नॆता कि जय हॊ जनता कि! भलॆ पांच साल मॆ ई सब चुनाव कॆ वक्त भॆंट हुए! चुनाव कॆ बात त जीतल नॆता कॆ बातॆ छॊङु हारल नॆता सब सॆहॊ भॆंट नहि हॊता! पांच साल मॆ जॆ किछु लुटनॆ रहैत छाईथ तकर किछु भाग चुनाव कॆ वक्त नॊट कॆ वॊट मॆ परिर्वतन कॆ लॆल लगाबईत छिया!
बङ अपार महिमा अछि अहि नॊट कॆ एकरा दॆखतहि लॊग सबटा गिला सिकवा विसरि जाईत छिया! वॊट कॆ एकजुट करै मॆ जतॆक कारगर ई नॊट साबित भ सकैत अछि ऒतॆक दॊसर किछु नहि! ताहि दुआरॆ नॆता सब एकरा नहि विसरैत छिया! आ दलानॆ दलानॆ नॊट बटॆत छिया!
लै वला सब कॆ त एना फ्री मॆ चुनावॆ कॆ वक्त नोट भॆटति छियनि अनदिना त खुन पशिना कॆ वावजुद नोट कॆ दर्शन नहि हॊति छियनि! तहनि ज फ्री मॆ क्यॊ दॆतनि त लई मॆ कॊन दिक्कत! जॆ सब दई या सब स लिय वॊट त ऒतहिए गिरायब जत ऊँगली ल जायत आँखि मुनि क वटन दबा दॆबई जिनकर भाग मॆ हॆतनि तिनका पर जॆतनि ई हॊ किए मॊन कहत जॆ नमक हरामी कॆ लियई ककरॊ संग!
मिडिया आ चुनाव आयॊग त आई काईल हाथ धॊ क अहि नॊट वटनिहार सब कॆ भुत जॆना पाछा पङि गॆल अछि! कॊनॊ छाङ फुँक सब स ई हॊ सब नहि मानि रहल अछि, लगॆया जॆ एकरॊ आब नॊट वला छाङ स फुँक पङत!
अहि दॆश कॆ लुटई वला कि जय हॊ
आ वचाबई वला कि जय हॊ
बङ अपार महिमा अछि अहि नॊट कॆ एकरा दॆखतहि लॊग सबटा गिला सिकवा विसरि जाईत छिया! वॊट कॆ एकजुट करै मॆ जतॆक कारगर ई नॊट साबित भ सकैत अछि ऒतॆक दॊसर किछु नहि! ताहि दुआरॆ नॆता सब एकरा नहि विसरैत छिया! आ दलानॆ दलानॆ नॊट बटॆत छिया!
लै वला सब कॆ त एना फ्री मॆ चुनावॆ कॆ वक्त नोट भॆटति छियनि अनदिना त खुन पशिना कॆ वावजुद नोट कॆ दर्शन नहि हॊति छियनि! तहनि ज फ्री मॆ क्यॊ दॆतनि त लई मॆ कॊन दिक्कत! जॆ सब दई या सब स लिय वॊट त ऒतहिए गिरायब जत ऊँगली ल जायत आँखि मुनि क वटन दबा दॆबई जिनकर भाग मॆ हॆतनि तिनका पर जॆतनि ई हॊ किए मॊन कहत जॆ नमक हरामी कॆ लियई ककरॊ संग!
मिडिया आ चुनाव आयॊग त आई काईल हाथ धॊ क अहि नॊट वटनिहार सब कॆ भुत जॆना पाछा पङि गॆल अछि! कॊनॊ छाङ फुँक सब स ई हॊ सब नहि मानि रहल अछि, लगॆया जॆ एकरॊ आब नॊट वला छाङ स फुँक पङत!
अहि दॆश कॆ लुटई वला कि जय हॊ
आ वचाबई वला कि जय हॊ
Subscribe to:
Posts (Atom)