Monday, April 22, 2013
Monday, April 1, 2013
संजय के नजरि सँ महाभारत देखता राजनाथ सिंह
भाजपा क आकर्षक दलित चेहरा डॉ संजय पासवान काफी समयक बाद एक बेर फेर स संगठन में अहम जवाबदेहिक संग देखाई देता। भाजपा अध्यक्ष राजनाथ सिंह के नवटीम में डॉ पासवान के एकटा महत्वपूर्ण आ नव जवाबदेही भेटलैनी हें। दरभंगाक रहनिहार डॉ पासवान के भाजपा अनुसूचित मोर्चाक राष्ट्रिय अध्यक्ष मनोनित कायल गेला हे।
अहि सँ पूर्व संजय पासवान अटल बिहारी वाजपेयी के कार्यकाल में केन्द्रीय मंत्री सेहो रही चुकल छैथ। नवादा के पूर्व सांसद डॉ पासवान शिक्षाविद सेहो छैथ।
चुनावी वर्ष में अनुसूचित जाती प्रकोष्ठक अध्यक्ष के रूप में हिनकर सफ़र आसन नहीं नज़र आबि रहल अछि। भाजपाक परंपरागत वोट बैंक सँ अलग बुझई जाई वाला वर्ग के भाजपा दिश आकर्षित करवाक लेल डॉ पासवान के बहुत रास मुशिकल झेलय पड़तेन।खास कय बिहार ,यूपी सनक हिन्दीभाषी क्षेत्र में जतय अनुसूचित जातिक वोट बैंक पर क्षेत्रिय दलक पकड़ काफी मजबूत अछि ओतय स दलित वोट बैंक के भाजपा दिश खिचनाइ अपना आप में एकटा चुनौती पूर्ण कार्य अछि। हालंकि शेक्षणिक , बौद्धिक जगत में दलित चेहराक तौर पर डॉ पासवान के स्वीकार्यता निर्विवादित अछि मुदा व्यक्ति आभा मंडल स आकर्षित भ क अनुसूचित जातिक लोग भाजपा दिश कतेक आओत से कहब कठिन अछि। ओना टीमक घोषणाक तुरंत बाद अपन पहिल प्रतिक्रिया दैत डॉ पासवान कहला की पार्टी आ टीम के हम अपना दिश स निराश नहीं करब जे जवाबदेही हमरा भेटला ओकर पूर्ण रूपेण निर्वहन आ संगे संग पार्टीक अपेक्षा के मद में परिणत करैक हमर पूरा प्रयास रहत। उम्मीद अछि अनुसूचित जातिक लोग आवै वाला समय में ई साबित कय देता की हुनकर आकर्षण व्यक्तिक प्रति नहीं विचार आ देशक प्रति अछि। भाजपा कतौ सँ कोनो समाजक कोनो वर्ग आ समुदाय लेल अछूत नहीं अछि। चुनावी संग्राम में ई बात सावित भ जायत की अनुसूचित जातिक लोग भाजपाक प्रति समर्पण आ आकर्षण राखैत छैथ।
डॉ संजय पासवान के आलावा आओर मैथिल चेहरा के भाजपाक नव कार्यकारणी टीम में शामिल कायल गेला जाही में सांसद आ पार्टीक पूर्व बिहार प्रदेश अध्यक्ष डॉ सीपी ठाकुर आ मध्य प्रदेश भाजपा के पूर्व अध्यक्ष आ राज्यसभा सांसद श्री प्रभात झा के उपाध्यक्ष बनाओल गेलैनी हे ओतही अहि बेर के राष्ट्रिय कार्यकारणी में बिहारक दबदबा सेहो रहल राजीव प्रताप रूढी आ धर्मेन्द्र प्रधान के महासचिव बनाओल गेला त बागी छवि रखै वाला श्री रामेश्वर चौरसिया आ रेणु साहा के राष्ट्रिय सचिव के जिम्मेदारी देल गेला।
अहि सँ एकबात त स्पष्ट अछि जे नरेन्द्र मोदी खेमा में सेहो बिहारक दबदबा कायम अछि।
मैथिली दैनिक अखवार मिथिला आवाज में प्रकाशित लेख
दिल्ली के बीजेपी कार्यालय सँ अमिताभ भूषण के संग हम
Friday, March 22, 2013
Wednesday, March 20, 2013
बुक्स ओ संसद आयोजन पर केन्द्रित स्मारिका क विमोचन भेल
बुक्स ओ संसद आयोजन पर केन्द्रित स्मारिका क विमोचन आई नव दिल्ली स्थित प्रेस क्लब ऑफ़ इंडियाक सभागार में भेल।
अहि स्मारिका में सांसद द्वारा लिखल गेल किताबक संक्षिप्त विवरण आ हुनक संक्षिप्त परिचय , 40 राजनितिक पार्टीक (जे वर्तमान समय में लोकसभा आ राज्यसभा में प्रतिनिधित्व कय रहल अछि) हुनक पूरा विवरण आ भारत में कार्यरत लगभग मिडिया हाउस के पूरा विवरण, सांसदक बारे में दिलचस्प तथ्य आ संसद में भेल किछ मत्वपूर्ण घटना के समेत संसद , मीडिया आ सिविल सोसायटीक दायित्व आ हुनक भूमिका पर विशेषज्ञ द्वारा लिखल गेल आलेख के समेटल गेला।
आई दिल्ली स्थित प्रेस क्लब ऑफ़ इण्डियाक सभागार में श्री सांता कुमार (सांसद आ पूर्व मुख्यमंत्री हिमाचल प्रदेश) , श्री योगानन्द शास्त्री (स्पीकर दिल्ली विधानसभा), श्री प्रकश जावेडकर (सांसद) ,एम बी राजेश (सांसद), डॉ राम प्रकश (सांसद), सुधाकर सिंह, राजीव मिश्रा(लोकसभा चैनेल हेड) आ श्री अरविन्द के सिंह (राज्यसभा चैनल हेड) अहि स्मारिकाक विमोचन केलैनी अहि मौका पर श्री योगानंद शास्त्री कहला की " जिस वक्त अभी पुरे देश में सांसद के प्रति लोगो का विश्वास कम हुआ है ऐसे समय में बिहार के यह युवाओ का टीम ने एक सराहनीय काम किया है"। ओतय श्री सांता कुमार कहला की "यह एक ऐसा वक्त है जहा हम लोगो को आत्मचिंतन करने की जरुरत है"। श्री राजीव मिश्रा आ अरविन्द सिंह वर्तमान समय मीडियाक भूमि का आ हुनक जबावदेही पर विस्तार स चर्चा केलैनी। कार्यक्रमक अध्यक्षता दृष्टि क्रिएटिव प्रोडक्शन प्रा. लिमिटेडक एमडी श्री कुंदन झा केलैनी ओतय धन्यवाद ज्ञापन डॉ सौरभ दास केलैनी।
सांसद द्वारा लिखल आ सम्पादित कायल गेल पुस्तकक प्रदर्शन आ ओहि पर परिचर्चा आयोजन दृष्टि क्रियेटिव प्रा लिमिटेड द्वारा वर्ष 2011 आ 2012 में कायल गेल छल। जाहिमे लालकृष्ण आडवानी , कपिल सिब्बल , सलमान खुर्शीद , सतपाल जी महराज , सांता कुमार , शशि थरूर समेत करीब 100 स बेसी सांसद भाग लेने छलैथ। जाही प्रोग्रामक लेल संस् था के इंडिया बुक ऑफ़ रिकॉर्ड सेहो भेटल अछि।
| Add caption |
अहि कार्यक्रमक के सफल बनवाई में संस्थानक डायरेक्टर श्री कुंदन झा , डॉ सौरभ दास, नीरज पाठक , अमिताभ भूषण, रामचंद्र झा आ सोनू मिश्रक महत्वपूर्ण भूमिका छैनी।
Subscribe to:
Posts (Atom)


