"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Saturday, June 9, 2012

सीयूबी पर सिब्बल आ नीतीश के बीच फेर स होयत बात


केन्द्रीय विश्वविद्यालय बिहार (सीयूबी) मामला पर 8 जूनक बाद एक बेर फेर केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल आ  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के बीच वार्ता होयत । अहि के लेल केन्द्रीय शिक्षा मंत्री बिहार अयता । ई बात दिल्ली में राज्य के शिक्षा मंत्रि के बैठक स लौटला के बाद शिक्षा मंत्री प्रशांत कुमार शाही कहलैन। ओ कहला कि केन्द्रीय मंत्री कपिल सिब्बल 8 जून क विदेश दौरा पर जा रहल छियाथ। ओतय स लौटला के बाद ओ नीतीश से भेट करे के वक्त मांगलैथ  हे।



एएमयू पर शिलान्यास तिथि शीघ्र : शाही सिब्बल स मुलाकात के दौरान अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय मामला में राजनीति नहीं करे के बात कहलेनी। सिब्बल स ओ कहलैनी  कि एएमयू के लेल दिसंबर में ही जमीन आवंटित कय देल गेल, लेकिन मामला में कोनो सुगबुगाहट नहीं अछि। केंद्रीय मंत्री कहलैनी कि सीएम के संग वार्ता में कैंपस शिलान्यास के तिथि तय कायल जायत।



ट्रिपल आईटी के बिहार फार्मूला



केन्द्र सरकार विभिन्न राज्य में खोले वाला 20 ट्रिपल आईटी संस्थान के लेल बिहार सरकार के फार्मूला मान लेलक अछि । संस्थान के पीपीपी मोड में खोले  के लेल उद्योग के जगह सार्वजनिक क्षेत्र के उपक्रम के शामिल कायल गेला। अहि के अलावा केन्द्र आ राज्य पीपीपी मोड में शामिल होयत।

Friday, June 8, 2012

बिहार में शिक्षकों की नियोजन प्रक्रिया शुरू


 बिहार के प्राथमिक आ मध्य विद्यालय में शिक्षक के खाली पद के देखैत नियोजन के प्रक्रिया संबंधी कार्य प्रारंभ भय गेल। अहि संबंध में शिक्षा विभाग पिछला महिना घोषित शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीइटी) के परीक्षाफल के आधार पर कक्षा 1 स 5 तक आ वर्ग 6 स 8 तक में खाली पद के बारे में पूरा जानकारी सब जिला कार्यक्रम अधिकारि (स्थापना) स मंगलक अछि।
शुक्रदिन शिक्षा विभाग के स्व. मदन मोहन झा स्मृति सभागार में प्राइमरी एजुकेशन के प्रभारी निदेशक आरएस सिंह के अध्यक्षता में जिला कार्यक्रम पदाधिकारि के बैठक भेल। श्री सिंह बैठक में निर्देश देलैनी कि स्कूल में शिक्षक के कतेक कमी अछि, अहि बारे में आगामी 30 जून तक सूची उपलब्ध करा दिय ताकि टीइटी के रिजल्ट के आलोक में शिक्षक के नियोजन प्रक्रिया प्रारंभ कायल जा सके। शिक्षक के रिक्ति के आकलन में ई देख ली कि पहिले स कतेक खाली पद अछि आ छात्र-छात्रा के आवश्यकता पर नव शिक्षक के कतेक पद चाहि।
प्रभारी निदेशक ने अधिकारि के निर्देश देल गेल अछि कि वेतनमान वाले जे पुरान शिक्षक छैथ हुनक प्रोन्नति के प्रक्रिया आगामी 15 जून तक पूरा भ जेबाक चाही। हालांकि आई के बैठक में शिक्षक के प्रोन्नति के सेहो समीक्षा कायल गेला जाहिमे जिला कार्यक्रम अधिकारियों द्वारा ई जानकारी देल गेल कि हर जिला में शिक्षक के प्रोन्नति प्रक्रिया चल रहल अछि।

Tuesday, June 5, 2012

अज्ञात बीमारी स अखनि तक २७ स बेसी मौत

बिहार के मुजफ्फरपुर आ गया जिला में अज्ञात बीमारी स पीड़ित बच्चा के मृत्यु के सिलसिला जारी अछि। पिछला 10 दिन के दौरान अज्ञात बीमारी स 20 बछा के मौत भ  चुकल अछि , जहनि की सूत्र २७ बच्चा के मौत के खबर बता रहल अछि। 

मुजफ्फरपुर जिला में स्वास्थ्य विभाग के एक अधिकारी कहला कि मंगलदिन साढ़े तीन वर्ष के सकरा गांव निवासी अभिषेक के मौत भ गेल। सूत्र के अनुसार अखनि तक अहि बीमारी स दुनु जिला में 27 लोग के मौत भ चुकल अछि , जहनि की 50 स ज्यादा बच्चा बीमार पड़ल छैथ।



राज्य स्वास्थ्य विभाग के प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा मंगलदिन कहलैनी कि अखनि तक अहि अज्ञात बीमारी स 20 बच्चा के मौत भ चुकल अछि। अहि में मुजफ्फरपुर के 11 आ गया के नौ बच्चा शामिल अछि। ओ कहला कि वर्तमान समय में गया में पांच आ मुजफ्फरपुर में 31 बच्चा के इलाज चल रहल अछि।



सिन्हा अहि बीमारी को दिमागी बुखार (इंसेफलाइटिस) होई के बात खारिज क देलखिन। ओ कहला कि दुनु जिला में अहि बीमारी के देखैत विशेष कार्य योजना बनायल जा रहल अछि। बीमारी के बारे में जागरूकता पैदा करे के लेल सब गांव में पर्चियां बांटल जा रहल अछि आ प्रचार अभियान चलायल जा रहल अछि।



गया के अनुग्रह नारायण मेडिकल कॉलेज अस्पताल (एएनएमसीएच) के शिशु रोग विशेषज्ञ कहलैनी कि अहि बीमारी स पीड़ित अधिकांश बच्चे गांव के छियाथ, जे गंदगी, गरमी आ गरीबी के कारण अहि बीमारी स ग्रस्त भ रहल छिया। कई दिन तक ओ इम्हर - उम्हर इलाज करावैत छियाथ आ  जहनि  स्थिति बिगड़ जैत अछि त ओ पैघ अस्पताल में आवैत छैथ। अंतिम समय में मरीज के बचा पेनाई  मुश्किल भ जैत अछि।



बतादी कि पिछला साल  एहने बीमारी स दुनु जिला में 150 स  बेसी लोग के मौत भ गेल छल।

माले कार्यकर्ता के बवाल में पिलखवार के मुखिया गुणानंद घायल


जिला के राजनगर थाना क्षेत्र के मंगरौनी गांव में सोमदिन देर शाम गांव के बोनही पोखर भिंडा पर स्थित माले के ग्रामीण कार्यालय में कथित रूप स आग लगावई के विरोध करै पर मारपीट करे के  घटना में आधा दर्जन स अधिक लोग के घायल होई के जानकारी भेटला। अहि घटना के बाद आक्रोशित माले समर्थक गांव के प्रकाशमणि झा के दालान पर लागल हुनक स्कार्पियों गाड़ी के फूंक देल गेल आ  ओतय लागल दो बाइक आ एक पिक अप वैन के क्षतिग्रस्त कय देल गेल। एतबे नही माले समर्थक के उग्र भीड़ गांव के सी बी रमन झा के निवास पर जा क हुनक घर में तोड़ फोड़ आ गैस, अटैची सहित अन्य सामान लूट लेलक आ घर के महिला आ गृहस्वामी के लाठी डंडा स पीट क बुरी तरह जख्मी के देलक।
घटना की जानकारी भेटते सदर एसडीओ अरूण कुमार झा आ डीएसपी कर्मलाल सदल बल घटना स्थल पर पहुंच क स्थिति के नियंत्रण केलैनी। जहनी की सूचना के बाबजूद राजनगर थाना पुलिस  वरीय अधिकारि के आबे के डेढ़ घंटा के बाद पहुंला । गांव में सशस्त्र बल के संग राजनगर थानाध्यक्ष कैंप क रहल छियाथ।
बता दी कि पिछला एक वर्ष स माले कार्यकर्ता आ पिलखवार - मंगरौनी ग्रामीणों के बीच कथित रूप स निजी जमीन पर कब्जा के ल क लगातार विवाद चल रहल अछि। आक्रोशित माले कार्यकत्र्ता  पिलखवार के मुखिया गुणानंद यादव पर तेज हथियार स वार क हुनका गंभीर रूप स जख्मी क देलकैनी ।

Monday, June 4, 2012

बिहार 13% विकास दर के संग देश में शिखर पर

13.1 प्रतिशत के शानदार विकास दर के संग विकास के दौड़ में कहियो सबस पाछा रहै वाला बिहार आई देश के सब राज्य स आगा अछि। अहि दौड़ में बिहार के बाद दिल्ली आ पांडिचेरी अछि।
छत्तीसगढ़ आ गोवा जे खदान संपदा के मामला में बेहद सम्पन्न मानल जाइत अछि, सेहो अहि पांच सबस अधिक तरक्की दर्ज करई वाला राज्य में शुमार अछि।
2011-12 के दौरान बिहार तरक्की के एक नव कहानी लिख देलक अछि, जेकर शुरुआत किछ साल पहिले भ चुकल छल। अहि अनोखी सफलता के बाद बिहार के अर्थव्यवस्था पंजाब स पैघ भ गेल अछि।
गौरतलब अछि कि बिहार के गरीब मजदूर कहियो पंजाब रोजी रोटी के लेल जाइत छला। लेकिन आब उम्मीद क सकैत छि कि हुनका सब के अपने राज्य में रोजी रोटी के साधन उपलब्ध भ जेतैन।

अपन नानिगांव पहुच क भावुक भ गेला गृह सचिव

केन्द्रीय गृह सचिव आर.के. सिंह अपन ननिहाल मधुबनी शहर के सन्निकट शंभुआड़ में शनिदिन क ग्रामीणों द्वारा निर्मित सड़क आ भानुप्रताप वर्मा क्रीड़ा मैदान के उद्घाटनोपरांत उपस्थित जनसमुह स कहलैनी कि अहि क्षेत्र के विकास के लेल हर संभव प्रयास करब। ओ कहला की एतय के लोग आ संस्कृति अन्य प्रांत स बेहतर अछि। एतय के प्रतिभा प्रकृति प्रदत अछि जे कतौ और नहीं देखैत अछि। अहि के एक नहीं ढेर सूचक अछि। ओ कहला की आई हम जे किछ छि से सिर्फ अहि लेल की हम अहि धरती के छि। श्री सिंह कहलैनी कि अहि मुकाम तक के सफ़र में जतेक योगदान हमर पैतृक धरती सुपौल के अछि ओतवे मधुबनी के शंभुआड़ के अछि। ओ कहलैनी की हम  अपन ननिहाल आवी क भावविभोर छी आ हमरा बचपन के किछ संस्मरण सेहो याद आवैत अछि । एतय हम अपन नाना-नानी, मामा-मामी व परिवार के अन्य सदस्य स भेट करे लेल आयल छी। श्री सिंह कहलैनी कि अहि धरती के खासियत अछि कि एतय के लोग सच्चाई आ अच्छाई के कद्र केनाई जानैत छैथ । एतय इमानदार पदाधिकारियों के इज्जत भेटैत अछि जे अन्य जगह पर नहीं देखाइत अछि। श्री सिंह सीमा पर अवस्थित बीओपी के कार्यो के चर्चा करैत कहला कि दुनु देश के बीच मधुर संबंध बनवाई के प्रयास एसएसबी जवान द्वारा कायल जा रहल अछि मुदा एकरा और सशक्त बनावई के जरूरत अछि। अहि दिशा में प्रयास जारी अछि। श्री सिंह एक सवाल के जवाब में कहला कि आतंकवादी गतिविधि में शामिल कोनो भी व्यक्ति के कतौ गिरफ्तारी भ सकैत अछि लेकिन गिरफ्तारी स पूर्व या फेर गिरफ्तारी के बाद ओतय के स्थानीय पुलिस स्टेशन के एकर सूचना देनाइ अनिवार्य अछि। श्री सिंह आई जाही पद पर छैथ ओतय गिनल-चुनल लोग पहुंच पावैत छैथ लेकिन हिनका में खासियत इ छैन जे इ एतेक उच्च पद पर रहैत अपन भाषा संस्कृति आ संस्कार के बरकरार रखने छियाथ। हिनक स्वागत पाग-दोपटा व पुष्प गुच्छ दय क केल गेल। समस्त शंभुआड़ गांव में हुनक आगमन के ल क उत्सवी माहौल छल।

आई स नव पारी के शुरुवात करता मास्टर ब्लास्टर सचिन


 'क्रिकेट के भगवान' मास्टर-ब्लास्टर सचिन तेंदुलकर आई राज्यसभा के सदस्य के रूप में शपथ लेलैनी। शपथ ग्रहण करई स पहिले सचिन तेंदुलकर अपन पत्नी के संग संसदीय कार्यमंत्री राजीव शुक्ला के घर गेलैनी आ ओतय स हुनका संग सीधा उपराष्ट्रपति आ राज्यसभा के अध्यक्ष हामिद अंसारी लग पहुंचला। अंसारी के कक्ष में ओ राज्यसभा के सदस्य के शपथ लेलैनी। राज्यसभा में हुनका 103 नंबर के सीट आवंटित कायल गेल अछि।
-राज्यसभा के सदस्यता ग्रहण करई  के बाद तेंदुलकर अपन ब्लॉग पर अपन पहिल प्रतिक्रिया देलैनी। ओ सबस पहिले कहलैनी की सांसद बनई के लेल ककरो स कोनो सहायता नहीं मंग्लैनी आ नहीं कोनो सिफारिश करेलैनी।
ओ कहला, हम एतय अपन क्रिकेट करियर के बदौलत पहुचलऊ हे आ हम क्रिकेट जारी राखब । हम खेल स जुड़ल हर जरूरी पहलू पर बतौर सांसद अपन भूमिका स न्याय करब। संसद में खेल स संबंधित मुद्दा उठायब ताकि खेल के विकास भ सके। सचिन कहला की, हमरा खुशी  होयत यदि हम भविष्य में एक ऐहेन इंसान के रूप में जानल जायब, जे खेल के विकास के लेल किछ केलक।
टेस्ट आ वनडे क्रिकेट में सर्वाधिक रन के अलावा क्रिकेट के अनेक आसमानी कीर्तिमान रचई वाला तेंदुलकर एहेन पहिल खिलाड़ी छैथ, जे राज्यसभा सांसद बनला हे। हुनका स पूरा देश आ खेल जगत के बहुत उम्मीद छैन कि ओ महज औपचारिक सासंद नही रहता अपन अहि पद के खेल आ युवा के विकास में भरपूर इस्तेमाल करता।
तेंदुलकर के भविष्य में भारत-रत्न स सेहो नवाजल जा सकैत छैन।
लोकपाल के मुद्दा उठेता तेंदुलकर: अन्ना
तेंदुलकर के सांसद बनई पर शुभकामना दैत अन्ना हजारे कहला कि तेंदुलकर के आब संसद में लोकपाल के लड़ाई लड़ना चाहि। अन्ना कहला की, तेंदुलकर आब संसद में लोकपाल के मुद्दा उठेता। हमरा उम्मीद अछि कि ओ ऐना करता।
हजारे कहला कि सचिन एहेन लोग के राजनीति में ऐबाक चाहि।