बिहार विधान परषिद के सभापति ताराकांत झा के भारतीय जनता पार्टी अहि बेर टिकट नहीं देलकैनी. भाजपा अध्यक्ष नितिन गडकरी के आवास पर भेल भाजपा संसदिये दल के बैठक में सुशील कुमार मोदी के दोवारा टिकट भेटल त ओताहिये ब्राहम्ण कोटा स श्री झा के जगह मंटू पांडये के टिकट भेटल. श्री झा के टिकट नहीं भेटला स मिथिलांचल के लोग में काफी नाराजगी अछि. अहि स मिथिलांचल में भाजपा के सेहत प्रभावी भ सकैत अछि.मिथिलांचल के लोग एकरा एक टा साजिस स जोड़ी क देख रहल अछि. मैथिलि भाषा के संविधान के आठवी अनुसूची में शामिल करे के व्यापक आन्दोलन स ल क विश्व प्रसिद्ध सौराठ में मिथिला इंस्टिट्यूट ऑफ़ पेंटिंग, ठाढ़ी में वाचस्पति मिश्र के स्मारक के निर्माण आदि स मिथिलांचल में हुनक काफी प्रभाव अछि.
Wednesday, April 11, 2012
ताराकांत झा के टिकट नहीं भेटला स मिथिला के राजनीती में पड़त असर
बिहार विधान परषिद के सभापति ताराकांत झा के भारतीय जनता पार्टी अहि बेर टिकट नहीं देलकैनी. भाजपा अध्यक्ष नितिन गडकरी के आवास पर भेल भाजपा संसदिये दल के बैठक में सुशील कुमार मोदी के दोवारा टिकट भेटल त ओताहिये ब्राहम्ण कोटा स श्री झा के जगह मंटू पांडये के टिकट भेटल. श्री झा के टिकट नहीं भेटला स मिथिलांचल के लोग में काफी नाराजगी अछि. अहि स मिथिलांचल में भाजपा के सेहत प्रभावी भ सकैत अछि.मिथिलांचल के लोग एकरा एक टा साजिस स जोड़ी क देख रहल अछि. मैथिलि भाषा के संविधान के आठवी अनुसूची में शामिल करे के व्यापक आन्दोलन स ल क विश्व प्रसिद्ध सौराठ में मिथिला इंस्टिट्यूट ऑफ़ पेंटिंग, ठाढ़ी में वाचस्पति मिश्र के स्मारक के निर्माण आदि स मिथिलांचल में हुनक काफी प्रभाव अछि.
नीतीश, मोदी आ राबड़ी भरलैनी अपन अपन नामांकन पत्र
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सहित 11 उम्मीदवार आई विधान परिषद के सीट के लेल 26 अप्रैल क होई वाला चुनाव के लेल नामांकनपत्र दाखिल केलैनी। जीवन में सबस अहम खुशी अछि -युवराज सिंह
कैंसर स उबरला के बाद स्वदेश वापसी के बाद चैंपियन क्रिकेटर युवराज सिंह बुधदिन कहला कि हुनका अहसास छैन कि पूरा देश हुनका जल्द मैदान पर देख चाहैत छैन आ ओ वापसी जरूर करता लेकिन अखनी ई नहीं कही सकैत छि जे हम कहिया तक वापसी करब। संगही ओ अपन मां शबनम के अपन सबस पैघ प्रेरणास्रोत बतेलैनी। अमेरिका में कीमोथेरेपी के तीन चरण आ लंदन में किछ दिन रिहैबिलिटेशन के बाद लौटला के बाद युवराज अपन पहिल प्रेस कांफ्रेंस में कहला की, ईश्वर के शुक्र अछि कि हमर जिंदगी लौट आयल। हमारा पता अछि कि पूरा देश के मैदान पर हमर वापसी के बेताबी स इंतजार छैन। हम शत-प्रतिशत फिट भेलाक बड़े मैदान पर वापसी करब। हम खुश छि कि आम आदमी के तरह खा पी सकैत छि। युवराज ने अपन मां शबनम के पिछला कुछ महीना में अपन सबस पैघ संबल बतेला । ओ कहला की , हमर सबस पैघ सहारा हमर मां छियाथ।
महान साइकिलिस्ट लांस आर्मस्ट्रांग स हमरा प्रेरणा भेटल ओ हमर जिंदगी के असली हीरो छियाथ। ओ महान खिलाड़ी छियाथ आ हुनक उपलब्धि लाजवाब अछि। हमरा लेल वापसी केनाई हमर सबस पैघ उपलब्धि अछि। बीमारी के दौरान अहसास भेल कि परिवार, दोस्त, खुशी आ स्वास्थ्य जीवन के लेल सबस महत्वपूर्ण अछि। अपन मां के बारे में युवराज कहला कि ओ हमेशा कानाअ लागैत छलैथ लेकिन हुनक मां मजबूत बनल रहैत छलैथ। ओ कहला की, पिछला दू महीना में हमर मां एको बेर नहीं कनली । कतेको बेर हम बच्चा के तरह कानाय लागैत छलौ त ओ हमरा तसल्ली देत छलैथ। युवराज अपन अनुभव आ जीवन में आएल बदलाव पर एक किताब लिखै के सोची रहल छैथ । ओ कहला की, लिखै की सोच रहल छि । ई किताब जल्दिये आयत। हमर जिंदगी बदल गेल आ हमरा अहसास भेल कि जीवन में सबस अहम खुशी छई ।
इंडोनेशिया समेत भारत के कई इलाका भूकंप स दहल गेल
इंडोनेशिया समेत भारत के कई इलाका भूकंप स दहल गेल. भूकंप के केंद्र इंडोनेशिया के सुमात्रा द्वीप छल, जतय एकर तीव्रता 8.7 दर्ज कायल गेल. तेज भूकंप के बाद हिंद महासागर में सुनामी के चेतावनी जारी कय देल गेल छल. भारत में पश्चिम बंगाल, असम, कर्नाटक, तमिलनाडु आदि राज्यों में सेहो भूकंप के झटका महसूस कायल गेल. भारत के अंडमान-निकोबार द्वीप समूह आ तटीय इलाक में सुनामी के आशंका जतायल जा रहल छल.
समाचार एजेंसी सिन्हुआ के अनुसार भूकम्प के केंद्र सुमात्रा द्वीप में 33 किलोमीटर के गहराई पर छल.
कोलकाता में भूकंप के झटका दिन में 2 बज क 10 मिनट पर महसूस कायल गेल. अलग-अलग जगह पर भूकंप के अवधि 30 सेकेंड से ल क 1 मिनट तक रहल. कोलकाता में भूकंप के बाद कई इमारत में दरार देखल गेल.
हामिद अंसारी विधान परिषद के शताब्दी समावर्त्तन समारोह के उद्घाटन करता
पटना, उप-राष्ट्रपति हामिद अंसारी वृहस्पति दिन श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल में दीप प्रज्वलित क विधान परिषद के शताब्दी समावर्त्तन समारोह के उद्घाटन करता। उप-राष्ट्रपति द्वारा समारोह में छह पुस्तक के लोकार्पण सेहो कायल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विधान परिषद परिसर स्थित कबीर वाटिका में स्थापित शताब्दी स्तंभ के उद्घाटन सेहो करता। अहि शिलापट्ट पर परिषद के वर्तमान सदस्य के नाम अंकित अछि। अहि स्थल पर रात्रि में भोज के सेहो आयोजन अछि। उप-राष्ट्रपति वृहस्पति दिन पूर्वाह्न 11.00 बजे पटना हवाई अड्डा पहुंचता आ राजभवन के लेल प्रस्थान करता। ओ 11.20 बजे आयोजन स्थल पर पहुंचता ,जतय परिषद के सभापति ताराकांत झा हुनका पुष्प गुच्छ स स्वागत करथिन । अहि के बाद राज्यपाल देवानन्द कुंवर आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के भाषण होयत। समारोह में उप राष्ट्रपति के हाथ स विधान परिषद के इतिहास दूसरा खण्ड, राजनीतिक व्यवस्था ,शासन प्रणाली आ निर्वाचन प्रक्रिया, अतुल्य बिहार, इतिहास की आवृति, शताब्दी स्मारिका आ इतिहास के झरोखे के लोकार्पण होयत।
Tuesday, April 10, 2012
आगामी रवि दिन मुंबई में मनाओल जायत बिहार शताब्दी दिवस
आगामी रविदीन संध्या ५ बजे मुंबई के चुन्नाभाठी ग्राउंड में बिहार शताब्दी दिवस मनाओल जायत अहि अवसर पर बिहार के माननीय मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमार मुंबई मुख्य अतिथि के रूप में ओतय उपस्थित रहता . कार्यक्रम के सफल बनवाई के लेल आयोजन के संजोयक श्री देवेस चन्द्र ठाकुर एम.एल .सी. (सीतामढ़ी) संग समस्त कार्यकर्ता जोर सोर स प्रयास कय रहल छैथ.
Monday, April 9, 2012
मैथिली अनुवादित आनंद मठ पुस्तक के विमोचन भेल
मैथिली भाषा साहित्य में शनिदिन एक और पुस्तक के नाम जुड़ गेल। मधुबनी के विनोदा नंद झा कॉलोनी निवासी प्रसिद्ध साहित्य सेवी आ लेखक डा. योगानंद सुधीर द्वारा बंगला के प्रसिद्ध व कालजयी बंकिमचंद्र चटोपाध्याय द्वारा लिखित उपन्यास आनंद मठ के मैथिली में अनुवाद क मां मैथिली के चरण में पुस्तक रूपी पुष्प समर्पित केलैनी। डा. सुधीर के आवासीय परिसर में साहित्य साधाना स्थली, मधुबनी के तत्वावधान में साहित्य अकादमी पुरस्कार स सम्मानित उदय चंद्र झा विनोद, मोहन भारद्वाज, डा. भीम नाथ झा, डा. देवकांत झा सरीखे मैथिली साहित्य के पुरोधा पुरूष सहित अन्य के उपस्थिति में अहि पुस्तक के विमोचन भेल। वामदेव झा के अध्यक्षता आ डा. अमर नाथ झा के संचालन में सर्वप्रथम गंगाराम झा आगत विद्वान के स्वागत करैत डा. योगानंद सुधीर के लेखनी के बारे में विस्तार स जानकारी देलैनी। डा. सुधीर द्वारा पूर्व में लिखित अन्य पुस्तक के हवाला देत कहला कि ओ नित्य प्रतिदिन मैथिली साहित्य के भंडार बढ़ा में लागल छियाथ। जे मैथिलीे के लेल शुभ संकेत अछि। हुनका स प्रेरणा ल क युवा के लेखन के क्षेत्र में आगा ऐबाक चाही।
अहि अवसर पर रमानंद रमण, फूल चंद्र झा प्रवीण, रानी झा, रूद्र कांत पाठक, डा. नरेन्द्र नारायण सिंह निराला, प्रो. दमन कुमार झा, कुलधारी सिंह, बेचन झा, महादेव मिश्र, अरविंद कुमार सिंह, सुमन कुमार झा, कुंजन कुमार पुट्टी, पारस कुमार सिंह, कार्तिक कुमार सहित एक सौ स बेसी साहित्यानुरागी उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन लंबोदर झा केलैनी।
फोटो:- दैनिक जागरण