"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Friday, December 9, 2011

शीघ्र होयत उच्चैठ शक्ति पीठक विकास


बिहार विधानसभा में गुरुवार को गैर सरकारी संकल्प के दौरान विधायक विनोद नारायण झा ने महाकवि कालीदास जन्म स्थान उच्चैठ डीह को पर्यटन स्थल घोषित किए जाने की मांग की है। विधायक ने कहा है कि उच्चैठ में कालीदास के नाम खतियान व जमाबंदी भी है। परन्तु कालीदास का जन्म मध्य प्रदेश के उज्जैन में माना जाता है जो गलत है। बिहार सरकार के पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिन्टू ने विधायक श्री झा के प्रश्न का जवाब देते हुए कहा कि डीडीसी मधुबनी से प्रतिवेदन मांगा जा रहा है। उसके बाद चरणबद्ध तरीके से पर्यटकीय दृष्टकोण से विकसित किया जाएगा। श्री झा के द्वारा विधानसभा में कालीदास की जन्मस्थल उच्चैठ का मामला उठाए जाने से यहां के प्रबुद्ध नागरिकों में हर्ष व्याप्त है।

Wednesday, December 7, 2011

राष्ट्रीय साहित्य सेमीनार मे भाग लेती सहरसा के स्वाती

सहरसा:- साहित्य अकादमी द्वारा पुद्दुचेरी(पांडिचेरी) मे आयोजित आधुनिक मैथिली साहित्यक प्रभाव क्षेत्र मे नारी तत्व विषय पर आयोजित संगोष्ठी मे सहरसा के स्वाती शाकंभरी भाग लेती। स्वाती 18 दिसंबर क पंचम सत्र मे मैथिलानीक कंठ अर्थात मैथली गीतक भंडार विषय पर अपन आलेख पढती। अहि स पहिने सेहो स्वाती कलकता मे आयोजित जवाहर लाल नेहरु राष्ट्रीय सांइस मेला मे सहरसा के प्रतिनिधित्व क चुकल छाइथ।

Saturday, December 3, 2011

मिथिला पेंटिंग वाला मधुबनी बनल आतंक क़े मोड्यूल


वर्षो पहिने कोनो निर्दोष व्यक्ति क़े हत्या क़े सजा मिथिला क़े कतेको गाम एखनो पावि रहल अछि .फला गाम क' नाम बुढ पुरान एखनो भोरे भोर नहि लैत छैथ .मिथिला में बनैया ,भुतही ,खुर्लुची सनक अनेको गामक उपनाम भेट जायत .लेकिन ओही अहिंसक मिथिला क़े मधुबनी जिला आई आतंक आ हिंसक अपराध क़े कारणे मधुबनी मोड्यूल क़े नाम सं जानल जायत अछि .पिछला पांच वर्ष में देश में भेल लगभग तमाम आतंकवादी घटना क़े तार मधुबनी सं जुडल अछि . अहि जिला क़े दर्जनों अपराधी इंडियन मुजाहिद्दीन आ लश्करे तोइबा सं संबध रखबाक कारणे पुलिस हिरासत में छैथ .मधुबनी पेंटिंग क़े नाम सं मशहूर ई जिला, मिथिलाक सरलता,विद्वता आ सांस्कृतिक विरासत क़े कारने सुविख्यात छळ .लेकिन अचानक आतंकवादी मोड्यूल क़े नाम सं किएक कुख्यात भेल ई पैघ सवाल अछि .लेकिन विचारनीय प्रश्न ई जरूर अछि जे मिथिला में हिंसक प्रवृति अपन जगह बना रहल अछि .
राजधानी दिल्ली स्थित जामा मस्जिद हमला आ पुणे स्थित जर्मन बेकरी बम धमाका मामला में सकरी ,गनवैर क़े गयूर अहमद आ शोइब क़े गिरफ़्तारी इंडियन मुजाहिदीन क़े तार मधुबनी सं जोड़ी देलक अछि .२००६ सं भारत में भेल दर्जनों आतंकवादी हमला में सीधे मधुबनी मोड्यूल क़े हाथ मानल जायत अछि .२००६ में मुंबई पुलिस बासोपट्टी निवासी मोहम्मद कमाल अंसारी क' गिरफ़्तारी मुंबई सिरिअल ब्लास्ट क़े आरोप में भेल छळ .२००७ में रामपुर सी आर पी ऍफ़ कैंप पर हमला क़े आरोप में सकरी ,गनवैर निवासी मोहम्मद साबुद्दीन क़े गिरफ्तारी सामने आयल .२००८ में यु पी पुलिस जयनगर निवासी पप्पू खान क़े दिल्ली सीरियल बोम्ब ब्लास्ट क़े आरोप में गिरफ्तार केने छळ .२००९ में बासोपट्टी क़े एक शिक्षक ओमर मदनी क़े दिल्ली पुलिस लश्करे तोइबा क़े ओवर ग्रौंड सदस्य क़े आरोप में केने छळ .जाहिर अछि ई तमाम गिरफ़्तारी पुलिस भारी छान -बीन आ मजबूत ख़ुफ़िया आधार पर केने छळ .ई गिरफ़्तारी आतंकवाद सं एक खास वर्ग क़े लगाव सं नहि जोड़ल जा सकैत अछि .अपितु भारत -नेपाल क़े बीच अनियंत्रित बोर्डर आ भ्रष्ट प्रशासन गरीब आ पिछडल लोक क़े रातो रात अकूत सम्पति बनेबाक फ़ॉर्मूला पेश कय रहल अछि .नेपाल में सक्रिय आई एस आई क़े एजेंट टका पैसा क़े प्रलोभन दय मधुबनी क़े ब्रीडिंग ग्रौंड बना रहल अछि .
बिहार -नेपाल क' ६२५ कि मी क़े खुल्ला बोर्डर राति हो या दिन बगैर कोनो बाधा क़े सबके लेल सुलभ अछि .जाहिमे जयनगर (मधुबनी )सं रक्सौल क़े बीच १२६ कि मी दुरी आई एस आई क़े गतिविधि क़े केंद्र बनल अछि .४१.६ ४ लाख आवादी वाला मधुबनी जिला जनसंख्या क़े लिहाज सं बिहारक तेसर पैघ जिला मानल जायत अछि .जतय लगभग ८ लाख लोक गरीबी रेखा सं नीचा गुजर करैत छैथ . ९४ प्रतिशत लोक एखनो गाम में कृषि रोजगार पर आश्रित छैथ .यानी गरीबी क़े मामला अब्बल अहि बोर्डर जिला में आई एस डी कॉल क़े भारी तादाद ख़ुफ़िया महकमा क़े चौका देने अछि .साप्रदायिक सद्भावना मिथिला क़े अहि बोर्डर इलाका सदियों सं बरक़रार अछि .खेती बाड़ी सं जुडल लोकक बीच सामाजिक सरोकार कोनो क्षेत्र सं बेसी अछि .अभाव आ विपन्नता क़े बीच हसी मज़ाक अहि ठामक पूंजी अछि .लेकिन गाम सं भेल पलायन आ नेपाल में आई एस आई क़े बढल सरगर्मी शांत प्रिय मधुबनी यानी मधु क़े वन में जहर घोली रहल अछि .(Sabhar: mithilalok.com

बीपीएससी पीटी परीक्षाफल पर फैसला सुरक्षित

बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) द्वारा लेल गेल 53वीं से 55वीं पीटी परीक्षा के नतीजा क रद करे के मांग के मामला में वृसस्पति दिन हाइकोर्ट दुनु पक्ष के बहस सुनलाक बाद आदेश सुरक्षित राखी लेलानी।
कोर्ट आयोग स अहि समस्याक समाधान पूछने रहे। अगर आयोगक सुझाव मान लेल गेल त संभव अछी अहि पांच हजार और परीक्षार्थी सफल मानी लेल जायत। दरअसल, आयोग कट आफ मा‌र्क्स घटाबा पर तैयार भ गेल अछी। आयोग 141 अंक पर पुनर्मूल्यांकन करेक लेल तैयार अछी। अगर ऐना भ जाई त 915 सफल परीक्षार्थी त रहिये जायत , हिनक संख्या में और पांच हजार इजाफा भ जायत। ध्यान रहे कि 150 अंकों के परीक्षा में 8 प्रश्न गलत छल। 142 अंकों पर मूल्यांकन भेल छल। कोर्ट आयोग स दोबारा परीक्षा लेबा लेल कहने छल। फेर मूल्यांकनक मसला पर कमेटी बनल।
बहरहाल, काली न्यायाधीश अजय कुमार त्रिपाठी के बेंच सुनवाई करैत कहला कि दुनु पक्षक बहस के ध्यान में राखी क आदेश पारित कैल जायत। याचिकाकर्ता मनोज कुमार के ओर स बहस करैत अधिवक्ता मनन कुमार मिश्रा दलील देला कि आयोग 53वीं स 55वीं पीटी परीक्षा एक साथ करा लेलक, लेकिन रिजल्ट देबा में भारी अनियमितता बरतल गेल। जाही कारण हजारों परीक्षार्थि के भविष्य चौपट भ गेल आ इ यह छात्रक जिन्दगी स खिलवाड़ केनाइ भेल । उक्त परीक्षा में अनेक एहेन प्रश्न पूछल गेल जकर उत्तर च्वाइस में नहीं देल गेल छल।
उक्त परीक्षाक लेल 13 जनवरी 2011 क विज्ञापन निकलल गेल छल। परीक्षाफल में 14 हजार परीक्षार्थि के सफल घोषित कैल गेल छल। परीक्षाफल के रद करेक मांग के ल क दायर याचिका में 54 परीक्षार्थी शामिल छल।

Friday, December 2, 2011

भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही

दरभंगा : प्रमंडलीय मुख्यालयक सामने धरना स्थल आ आसपास के इलाका वृहस्पति दिन नारा स गूंज रहल छल 'भीख नहि अधिकार चाही हमरा मिथिला राज्य चाही', 'लऽ कऽ रहबै मिथिला राज्य।' आंदोलनकारी मिथिला राज्य संघर्ष समिति के बैनर तले मिथिला राज्यक मांग के ल क जुटल छाला। अहि दौरान पूर्व मेयर आ राजद के वरिष्ठ नेता ओमप्रकाश खेड़िया के अध्यक्षता में सभा भेल। अहिमे समिति के अध्यक्ष डॉ. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू' मिथिला राज्य के लेल राजनीतिक दल, समाजसेवि आ विभिन्न संगठन के एकजुट होई के आह्वान केलखिन। ओ सीएम नीतीश कुमार स मिथिला राज्यक प्रस्ताव पारित क केंद्र के भेजई के आग्रह केलखिन। मिथिला विकास परिषद, कोलकाताक अध्यक्ष अशोक झा आजादी के बाद स अहि क्षेत्र के उपेक्षा पर क्षोभ प्रकट करैत आंदोलन के तीखा बनाबाई पर जोर देलखिन। जिला पार्षद डॉ. रामप्रवेश पासवान कहलें की मिथिला के बहुत पहिले राज्यक दर्जा मिल जेबाक चाहि आ अहि समय चली रहल आंदोलन में सब मिथिलावासी एकजुट भ जेबाक चाही। कांग्रेस नेता रामनारायण झा, मिथिला धर्म रक्षार्थ संघर्ष समिति के अध्यक्ष डा. एसएस झा, विद्यापति सेवा संस्थान के कार्यकारी अध्यक्ष डॉ. बुचरू पासवान, प्रो. उदयशंकर मिश्र, मो. सैफुल्लाह, मुखिया विजय पासवान, अधिवक्ता सियाराम चौधरी, रेखा चौधरी, देवकांत राय, श्याम किशोर राम, चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाइ अपन विचार रखालानी। अंत में राष्ट्रपति के नाम संबोधित ज्ञापन आयुक्त के सौपल गेल।

Thursday, December 1, 2011

मुजफ्फ़रपुर :12 दिसंबर स पारले बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत


मुजफ्फ़रपुर : बियाडा में 36 करोड़ के लागत स पारले जी बिस्कुट क प्लांट बनि क तैयार अछी. सब किछ ठीकठाक रहल त प्लांट में 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू भ जायत. अहि प्लांट स लगभग पांच सौ लोग के रोजगार भेटी के उम्मीद अछी.
प्लांट के डायरेक्टर संजीव ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनबिस्ट प्राइवेट लिमिटेड के नाम स बियाडा 20 अक्तूबर 2010 क 5.5 एकड़ जमीन के आवंटन केने छल. 16 नवंबर 2010 स प्लांट बनाबाई के कार्य शुरू भ गेल छल.
श्री ठाकुर कहलैनी कि लावानिया फिनविस्ट प्राइवेट लिमिटेड कंट्रैक्ट मैनुफेक्चरिंग (सीएम) यूनिट क रूप में काज करत . ओ कहलैनी कि कंपनी के उद्देश्य अछि 12 दिसंबर स बिस्कुटक उत्पादन शुरू क देल जाय.
संजीव ठाकुर कहलैनी कि पहिले पारले जी बिस्कुट गोरखपुर, बनारस व कानपुर में बनैत छल. आ ओतहि स नॉर्थ बिहार में आपूर्ति कायल जैत छल, लेकिन आब मुजफ्फरपुर स पारले जी बिस्कुटक निर्यात नॉर्थ बिहार में होयत.
दो हजार टन उत्पादन
पहिल चरण में एक लाइन चालू कायल जायत. जाहिमे महीना के दो हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत. अहि के बाद दू लाइन और चालू कैल जायत.ओ कहलैनी कि अगर तिनु लाइन चालू भ जायत त अहि प्लांट स पांच हजार टन बिस्कुटक उत्पादन होयत.
श्री ठाकुर कहलैनी कि अहि ठाम स नेपाल तक सप्लाइ कैल जायत. जरूरत परला पर कोलकाता कोलकता सेहो भेजल जायत.

दरभंगा में आयोजित दू दिवसीय मिथिला महोत्सव के झलक


साभार शशि मोहन