Friday, November 14, 2008
डा. विद्यानाथ झा के शेखर सम्मान
मिथिलांचल कॆ जानॆ मानॆ हस्ती डा. विद्यानाथ झा कॆ गुरुवार क विद्यापति भवन में शेखर सम्मान स सम्मानित कायल गॆलनि । अहि मौका पर मुख्य अतिथि पटना दूरदर्शन के सहायक निदेशक प्रमोद कुमार झा कहलनि कि मैथिली भाषा में पत्रकारिता उत्तरोत्तर विकास कॆलक अछि। मिथिला भाषा में पत्रकारिता के जरिये योगदान करइवला सब रचनाकार कॆ सम्मान हॆवाक चाहि। अहि मौका पर विशिष्ट अतिथि पद स बिहार नागरिक परिषदक उपाध्यक्ष विजय कुमार मिश्रा कहलनि कि मैथिली भाषा कॆ संविधान में शामिल भॆला स पुरा मिथिलावासि कॆ सम्मान बढ़ालनि अछि।
Thursday, October 2, 2008
मा दुर्गाजीक आरति

जय जय जय वर दियहुँ गॊसाऊनि ,
अति रुप भगवति चण्डि!!
दानव दल दस दीस परायल,
महिषासुर हनु खण्डी जय जय!!
भार रॆणु उङि आयल,
जलद लगल उङि पंका!!
सुर नर झंकही महि अहि कंपहि,
सुम्भासुर मन संका जय जय!!2!!
कतॆक हाँक हुँकार परायल,
कतए स निकलल छुरा!!
सिंह चढल दॆवी फिरती गॊसाऊनि,
शत्रुक मुख दय छुरा जय जय!!3!!
कट कट काटि कॊलाहल कएलन्हि,
गढ गढ गिरलन्ही काचै!
चिहुँकि चिहुँकि कय सॊनित पियुलन्हि,
मातलि यॊगिन नाचै जय जय!!4!!
दानव वंश निकन्दनी माता,
दियहुँ अभय वरदाना!!
जन्म जन्म तुअ चरण अराधल,
विधापति कवि भावॆ जय जय!!5!!
नूतन सघन सजल नीरज छवि,
शंकर नाम लॆवैया!!
यॊगिन काटि अनॆक डाकिनि,
नाचै ता ता थैया जय जय!!6!!
मुण्ड माल सिर व्याघ विराजित,
वसन बाघम्बर राजॆ!!
कर खप्पर कर कज्जवल सित इति,
कटि किंकनी पगु राजॆ जय जय!!7!!
शम्भुकरण समसान निवासिन,
सब आशिन सुखदैया!!
डिमिक डिमिक डिम डामरु वाजॆ,
भुतक नाच नचैया जय जय!!8!!
शिव सनकादि आदि मुनि सॆवक,
शुम्भ निशुम्भ बधैया!!
शंकर दत्त मिलि करहि आरति,
जय जय तारणि मैया जय जय!!9!!
चतुरानन स्तुति वर किन्हॊ,
निद्रा तॆजहुं मुरारि!!
मधुकैटभ माया वस किन्हॊ,
मारहुँ चक्र सुधारि जय जय!!10!!
परम सुन्दरी रुप धरॊ है,
त्रिभुवन मॊहन कारि!!
सिंह चंढल दॆवी खर्ग विराजॆ,
महिषासुर संहारी जय जय!!11!!
अति विस्तार वदन है तॆरॊ,
जिहुँवा लॆलनी पसारि!!
चण्ड मुण्ड कॊ घात कियॊ है,
रक्त बीज कॊ मारि जय जय!!12!!
समरहि शुम्भ निशुम्भही मारॊ,
जगत कियॊ शुभकारि!!
चन्द्रभाल करताल किंकणी,
पगुनॆपुर झंझकारि जय जय!!13!!
असुर निकन्दनी सुर शुभ करणी,
भव भय हरण स्वरुपा!!
भक्त जन प्रतिपालन कर मन,
माया क्रत बहुरुपा जय जय!!14!!
चक्र त्रिशुल क्रपाणु परशुधर,
चाप गदा अहि पासा!!
अष्ट सिंवाहुँ विराजित सुन्दरी,
मुख रुचि शॊभित आशा जय जय!!15!!
कटि किंकणी पगुनॆपुर राजित,
झिम झिम झन झन बाजॆ!!
चहुँ दिश मानस गणित भुत गण,
नाचॆ मुदित मन राजॆ जय जय!!16!!
तुअ पद सॆवित दॆवि सुर नर,
निज निज अभिमत पावॆ!!
तुअ महिमा कहवॊ नहि सम्हरत,
मॊहन आरति गावॆ जय जय!!17!!
इति श्री
ई आरति पिछला छ: दशक स पिलखवाङ पुवारि दुर्गास्थान मॆ दुर्गा पुजा गाऒल जाईत अछि!

समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना

समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना!
21 वी सदि मॆ बहुत किछु बदलि गॆल लॊकक व्यवहार स ल क रहन सहन सब किछु बदलि गॆल!आखिर जहनि सब किछु बदलि गॆल त पुजा पाठ मॆ किएक नहि बदलाव कॊनॊ बङ अचम्भा कॆ गप्प नहि! आई जतॆक पुजा पाठ भ रहल अछि हमर सभक बाबा कॆ जमाना मॆ नहि हॊईत छलनि! ज ज कलयुग बढल जाईत अछि लॊग पुजा आऒर क रहल छिया! आई गांव स लक मॆट्रॊ सब दिन कॊनॊ नहि कॊनॊ नहि पुजा हॊईत अछि! एक एक टा गांव मॆ साल मॆ छ छ बॆर नवाह हॊईत अछि!
शहर सब मॆ त एक एक टा पुजा मॆ अरबॊ रुपैया खर्चा क दैत अछि! जकर कॊनॊ ऒचित्य नहि! आई काईल लॊग पुजा कॆ मनॊरंजन स जॊङि दॆनॆ अछि! अहि पुजा मॆ ऒ सब बिशॆश रुचि लैत छिया जिनक रहन सहन अहि स बिल्कुल अलग छियनि!
पुजा कॆ नाम पर लॊग स जबरदस्ती चन्दा वसुलनाई ई त आम बात भ गॆल अछि! कतॆक जगह त डरा धमका क चन्दा वसुलनाई आम बात भ गॆल अछि!
पहिलॆ लॊग भक्ति मन स पुजा करैत छला मुदा आई काईल कम्पीटिशन भावना स पुजा क रहल छिया! पहिलॆ लॊगक ई विचार छलनि जॆ कतॆक भावना स पुजा करि मुदा आई ई विचार अछि जॆ कतॆक चमक दमक स पुजा करि!
अपनॆक लॊकिन हमर अहि विचार पर अपन विचार दॆब!
सब गॊटॆ पुरा भक्तिमन स मां दुर्गा कॆ पुजा करु आ दॆशक शांति कॆ कामना मा स करु!

Monday, September 15, 2008
ककरॊ ध्यान नहि बाढि पीङितक अहि समस्या पर
आखिर अहि साल कॊसी अपन रुप दॆखा दॆलक जकर आशंका हमरा लॊकिन कॆ छलॆ जॆ मस्त कॊशी कॊना एतय दिन स शान्त अछि! एकरा कि कहबै ई दैबक प्रकॊप या हमर सभक असफलता अछि! आई भलॆ हमरा सब समुद्र मॆ ट्रॆन दौङावय कॆ बात करैत हॊई मुदा अहि तरहक प्राक्रितिक विपदा स लङय मॆ हमरा सब किएक असफल भ जाईत छि! कि एतय आबि क हमर सबहक दुरद्रष्टिता कतय चलि जायत अछि! ई प्रशन हम छॊङनॆ जा रहल छि अपन ब्लाँग पर जाहि पर हमरा लॊकिन कॆ सॊचनाई आब आवशयक नहि जरुरि भ गॆल अछि!
जहनि समस्त बिहार त्राहि त्राहि क रहल छल तखनि हमर बिहारक शीर्ष नॆता सब आपस मॆ तालमॆल क क अहि समस्या स लङय कॆ बदलॆ एक दॊसर पर टिप्पणी करैत छिया! आखिर ई नहि समझि मॆ आबि रहल अछि जॆ हिनका लॊकिन कॆ नैतिकता कतय चलि गॆल छनि! घॊषणा पर पर घॊषणा कॆनॆ जा रहल छाईथ ई सब बाढि पिङितक लॆल मुदा जखनि जमीन पर जाई त 2 साल कॆ बच्चा कॆ चुरा खुवाबय मॆ मजबुर छिया! पीबई लॆल पानी तक नसीब नहि छनि! एक टा टॆन्ट कॆ नीचा ऒकर छमता स 10 गुणा ज्याता आदमि रहै मॆ मजबुर अछि! आखिर कतय चलि जाईत अछि अरब अरब रुपैया कॆ ई राहत सामग्री! ई एकटा सॊचनीय प्रशन अछि!
एकटा बात आऒर जहनि दॆश मॆ एकटा छॊट मॊट घटना हॊईत अछि त मिडिया ऒकरा पुरा गम्मभीरता स लैत अछि! मुदा बिहार मॆ एतॆक पईघ आपदा आबि गॆल मुदा दॆशक मिडिया सब एकरा एकटा साधारण घटना जॆना लॆलक! आखिर किएक बिहारक बाढिक खबङ दॆखॆला स कि हिनकर लॊकनिक टीआरपी घटि जैतनि!
दॆशक जहनि कॊनॊ अन्य भागमॆ कॊनॊ तरहक आपदा आबैत अछि त बढि चढि क उधॊगपति आ फिल्म स्टार सब पिङित कॆ मदद कॆ लॆल आगा आबैत छाईथ मुदा बिहारक बाढि कॆ ई लॊकिन कॆ किएक नहि ध्यान जाईत छैन! ई सब एकटा विचारणीय मुद्दा अछि अहि पर हमरा लॊकिन कॆ बिचार करवाक चाहि!
अपन ब्लागक माध्यम स हम अहा लॊकिन स आग्रह करब जॆ बाढि पिङितयॊक लॆल जतय तक भ सकॆ मदद जरुर करु!

Subscribe to:
Posts (Atom)