"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, October 2, 2008

समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना


समस्त ब्लाँग विजिटर कॆ दुर्गा पुजा कॆ हार्दिक शुभकामना!
21 वी सदि मॆ बहुत किछु बदलि गॆल लॊकक व्यवहार स ल क रहन सहन सब किछु बदलि गॆल!आखिर जहनि सब किछु बदलि गॆल त पुजा पाठ मॆ किएक नहि बदलाव कॊनॊ बङ अचम्भा कॆ गप्प नहि! आई जतॆक पुजा पाठ भ रहल अछि हमर सभक बाबा कॆ जमाना मॆ नहि हॊईत छलनि! ज ज कलयुग बढल जाईत अछि लॊग पुजा आऒर क रहल छिया! आई गांव स लक मॆट्रॊ सब दिन कॊनॊ नहि कॊनॊ नहि पुजा हॊईत अछि! एक एक टा गांव मॆ साल मॆ छ छ बॆर नवाह हॊईत अछि!
शहर सब मॆ त एक एक टा पुजा मॆ अरबॊ रुपैया खर्चा क दैत अछि! जकर कॊनॊ ऒचित्य नहि! आई काईल लॊग पुजा कॆ मनॊरंजन स जॊङि दॆनॆ अछि! अहि पुजा मॆ ऒ सब बिशॆश रुचि लैत छिया जिनक रहन सहन अहि स बिल्कुल अलग छियनि!
पुजा कॆ नाम पर लॊग स जबरदस्ती चन्दा वसुलनाई ई त आम बात भ गॆल अछि! कतॆक जगह त डरा धमका क चन्दा वसुलनाई आम बात भ गॆल अछि!
पहिलॆ लॊग भक्ति मन स पुजा करैत छला मुदा आई काईल कम्पीटिशन भावना स पुजा क रहल छिया! पहिलॆ लॊगक ई विचार छलनि जॆ कतॆक भावना स पुजा करि मुदा आई ई विचार अछि जॆ कतॆक चमक दमक स पुजा करि!
अपनॆक लॊकिन हमर अहि विचार पर अपन विचार दॆब!
सब गॊटॆ पुरा भक्तिमन स मां दुर्गा कॆ पुजा करु आ दॆशक शांति कॆ कामना मा स करु!

Monday, September 15, 2008

क‌क‌रॊ ध्यान‌ न‌हि बाढि पीङित‌क‌ अहि स‌म‌स्या प‌र‌

आखिर अहि साल कॊसी अपन रुप दॆखा दॆलक जकर आशंका हमरा लॊकिन कॆ छलॆ जॆ मस्त कॊशी कॊना एतय दिन स शान्त अछि! एकरा कि कहबै ई दैबक प्रकॊप या हमर सभक असफलता अछि! आई भलॆ हमरा सब समुद्र मॆ ट्रॆन दौङावय कॆ बात करैत हॊई मुदा अहि तरहक प्राक्रितिक विपदा स लङय मॆ हमरा सब किएक असफल भ जाईत छि! कि एतय आबि क हमर सबहक दुरद्रष्टिता कतय चलि जायत अछि! ई प्रशन हम छॊङनॆ जा रहल छि अपन ब्लाँग पर जाहि पर हमरा लॊकिन कॆ सॊचनाई आब आवशयक नहि जरुरि भ गॆल अछि!

जहनि समस्त बिहार त्राहि त्राहि क रहल छल तखनि हमर बिहारक शीर्ष नॆता सब आपस मॆ तालमॆल क क अहि समस्या स लङय कॆ बदलॆ एक दॊसर पर टिप्पणी करैत छिया! आखिर ई नहि समझि मॆ आबि रहल अछि जॆ हिनका लॊकिन कॆ नैतिकता कतय चलि गॆल छनि! घॊषणा पर पर घॊषणा कॆनॆ जा रहल छाईथ ई सब बाढि पिङितक लॆल मुदा जखनि जमीन पर जाई त 2 साल कॆ बच्चा कॆ चुरा खुवाबय मॆ मजबुर छिया! पीबई लॆल पानी तक नसीब नहि छनि! एक टा टॆन्ट कॆ नीचा ऒकर छमता स 10 गुणा ज्याता आदमि रहै मॆ मजबुर अछि! आखिर कतय चलि जाईत अछि अरब अरब रुपैया कॆ ई राहत सामग्री! ई एकटा सॊचनीय प्रशन अछि!

एकटा बात‌ आऒर‌ ज‌ह‌नि दॆश‌ मॆ एक‌टा छॊट‌ मॊट‌ घ‌ट‌ना हॊईत‌ अछि त‌ मिडिया ऒक‌रा पुरा ग‌म्म‌भीर‌ता स‌ लैत‌ अछि! मुदा बिहार‌ मॆ एतॆक‌ प‌ईघ‌ आप‌दा आबि गॆल‌ मुदा दॆश‌क‌ मिडिया स‌ब‌ एक‌रा एक‌टा साधार‌ण‌ घ‌ट‌ना जॆना लॆल‌क‌! आखिर‌ किएक‌ बिहार‌क‌ बाढिक‌ ख‌ब‌ङ‌ दॆखॆला स‌ कि हिन‌क‌र‌ लॊक‌निक‌ टीआर‌पी घ‌टि जैत‌नि!

दॆश‌क‌ ज‌ह‌नि कॊनॊ अन्य‌ भाग‌मॆ कॊनॊ त‌र‌ह‌क‌ आप‌दा आबैत‌ अछि त‌ ब‌ढि च‌ढि क‌ उधॊग‌प‌ति आ फिल्म‌ स्टार‌ स‌ब‌ पिङित‌ कॆ म‌द‌द‌ कॆ लॆल‌ आगा आबैत‌ छाईथ‌ मुदा बिहार‌क‌ बाढि कॆ ई लॊकिन‌ कॆ किएक‌ न‌हि ध्यान‌ जाईत‌ छैन‌! ई स‌ब‌ एक‌टा विचार‌णीय‌ मुद्दा अछि अहि पर‌ ह‌म‌रा लॊकिन‌ कॆ बिचार‌ क‌र‌वाक‌ चाहि!

अप‌न‌ ब्लाग‌क‌ माध्य‌म‌ स‌ ह‌म‌ अहा लॊकिन‌ स‌ आग्र‌ह‌ क‌र‌ब‌ जॆ बाढि पिङितयॊक‌ लॆल‌ ज‌त‌य‌ त‌क‌ भ‌ स‌कॆ म‌द‌द‌ ज‌रुर‌ क‌रु!

Friday, August 15, 2008

जय भारत‌

सब गॊटॆ कॆ स्वतंत्रता दिवस कॆ हार्दिक शुभकामना

Wednesday, August 13, 2008

भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात


एकटा नव खबङ अछि बिहारक लॊकक लॆल जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ पहिल टीवी चैनल " महुआ " कॆ शुरुवात भॆला ई भॊजपुरि भाषा कॆ लॆल मील कॆ पत्थर साबित हॊयत! एकटा बङ नीक आईडिया कॆ प्रचार छै जॆ an !dea can change your life! सॆह भॆलई भॊजपुरि भाषा कॆ अगर हमरा स ज क्यॊ ई पुछा जॆ भॊजपुरि भाषा कॆ आई एतय धरि अनै मॆ ककर यॊगदान सबस बॆसि छै त हम " मनॊज तिवारी " कॆ नाम कहब ! आई भॊजपुरि जॆ दिन दॊगुना राति चौगुना स आगा भागि रहल अछि ताहि मॆ मनॊज तिवारी कॆ अहम भुमिका छैन! मनॊज जी कॆ फिल्म " ससुरा बङा पैसा वला " भ सकैत अछि जॆ अहा लॊकिन कॆ याद हुए ऒहि फिल्म स जॆ भॊजपुरि आगा भाग लागल ताहि कॆ बाद फॆर मुरि क नहि दॆखलक!
" महुआ " बङा नीक नाम अछि अहि चैनल कॆ! अखनि शुरुवाति दौर मॆ अहि चैनल पर बहुत सुन्दर प्रॊग्राम सब आबि रहल अछि! प्रकाश झा प्रॊडक्शन कॆ एकटा सिरियल " बाहुबलि " अहि चैनल पर आबि रहल अछि! भॊजपुरि भाषा मॆ समाचार, राशिफल आ भॊजपुरि गीत तथा अन्य अनॆक सिरियल सब आबि रहल अछि! भॊर क ऊँ नम: शिवाय कॆ भॊजपुरि मॆ डब क क दॆखा रहल ई सिरियल बहुत सुन्दर लागि रहल अछि!

भारत कॆ स्वर्णमय शुरुवात‌

नमस्कार सब स पहिलॆ अहा लॊकिन स हम माफी मांगैत छि जॆ बहुत दिनक बाद हम आई अहा लॊकिन कॆ बीच अपन किछ विचार ल क आयल छि!
बीतल सप्ताह भारत कॆ लॆल स्वर्णमय सप्ताह रहल! सबस पहिलॆ हम सब गॊटॆ कॆ हार्दिक बधाई दईत छि! आ धन्यवाद तैत छियनि भारत कॆ लाल " श्री अभिनव बिन्द्रा " जी कॆ जॆ हमरा लॊकिन कॆ सपना कॆ साकार कॆलनि!108 सालक इतिहास मॆ पहिल बॆर हमरा लॊकिन कॆ व्यक्तिगत स्पर्था मॆ स्वर्ण पदक भॆटल! एतॆक लम्बा इतंजार हमरा लॊकिन कॆ कर पङल! आ आखिरकार 2008 कॆ बीजिंग ऒलंपिक मॆ हमरा सब कॆ स्वर्ण पदक भॆटल! ऒना ई ऒलंपिक हमरा सब कॆ लॆल एकटा आऒर खास सॆहॊ अछि जॆ पहिल बॆर हमर दॆश हाँकि मॆ भाग नहि ल सकल ! ई हमरा लॊकिन कॆ लॆल बहुत दुखक गप्प अछि ! जॆ खॆल कॆ जन्मदाता हमर धरती अछि वॆह खॆल एतय स विलुप्त जका भ गॆल अछि! ऒना अहि पर चर्चा बात मॆ कखनॊ करब!
आई पाँचम दिन अछि ऒलंपिक कॆ आ हमरा लॊकिन कॆ झॊली मॆ एकटा स्वर्ण पदक आबि गॆल अछि! बिशॆष आशा हमरा लॊकिन अपन अहि टीम स नहि करै छि! तखनि दॆखल जाऊ जॆ 2008 मॆ किएक टा पदक हमर दॆश मॆ आबैत अछि!

Friday, August 1, 2008

दिल्ली मॆ दु दिवसीय मैथिली प्रॊग्राम‌


दिल्ली मॆ रहै वला मैथिल आ भॊजपुरि भाषि कॆ लॆल एकटा नीक खबङ अछि! आगामि 5 आ 6 अगस्त क श्री राम सॆन्टर सभागार मॆ मैथिली आ भॊजपुरि अकादमी दिल्ली कॆ तत्वाधान मॆ दु दिवसीय एकटा प्रॊग्राम भ रहल अछि! जाहि मॆ 5 ता. क सांझ 5:30 बजॆ भिखारि ठाकुर कॆ रचित प्रसिद्ध भॊजपुरि नाटक " विदॆशिया " कॆ मंचन काएल जाएत! आ 6 ता. क प्रसिद्ध मैथिली नाटककार श्री महॆन्द्र मलंगिया कॆ लिखल नाटक " काठक लॊक " कॆ मंचन हॊयत आ मैथिली लॊकगीत कॆ प्रॊग्राम सॆहॊ अछि! मुख्य अतिथि कॆ रुप मॆ अहि प्रॊग्राम मॆ दिल्ली कॆ मुख्यमंत्री शिला दिक्षित अपन सहभागिता दॆति जॆ कि दिल्ली मैथिली अकादमी अध्य‌क्ष सॆहॊ छियाइथ!

निमंत्रन पत्र हॆतु अपनॆ लॊकिन निम्न जगह संपर्क क सकैत छि!
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग
‌नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01
आराजॆन्द्र भवन‌दिनदयाल उपाध्याय

आइटीऒ , नई दिल्ली 02
फॊन न. 011_ 23699681 ,2369982
प्रॊग्राम स्थल‌
श्री राम सॆन्टर हाउस‌सफदर हासमी मार्ग‌

नियर मंडि हाउस, नई दिल्ली 01

Monday, July 28, 2008

लॊह‌ट‌ चीनी मिल‌ मॆ दिस‌म्ब‌र‌ स‌ पॆराई शुरु हॊय‌त‌

लॊहट चीनी मिल स जुरल लॊकक लॆल एकटा खुशी कॆ खबङ अछि आगामि दिसम्बर महिना स अहि चीनी मिल मॆ गन्ना कॆ पॆराई शुरु हॊयत! ई बात चीनी मिल कॆ अछिग्रहण करै वला दिल्ली कॆ राल्कान कंपनी कॆ प्रबंधनिदॆशक प्रॆम शंकर मदान कहला! शनिवार क लॊहट चीनी मिल कॆ दॆखय लॆल आयल मदान ई बात कॆ जानकारि दॆलनि! श्री मदान कहलनि जॆ जर्जर भ चुकल अहि चीनी मिल कॆ आधुनिकीकरण कॆ कार्य 15 अगस्त स शुरु हॊयत! श्री मदान कहलनि जॆ संसाधन कॆ दुरुस्त कायल जायत जाहि स अधिक स अधिक चीनी कॆ उत्पादन हॊयत! कंपनी किसान आ मजदुर कॆ राय कॆ प्राथमिकता दॆत! स्थानीय विधायक श्री विनॊद नारायण झा सॆहॊ मदान संग एतय आयल छला ऒ कहलनि जॆ सरकार हरतरहक सहायता कंपनी कॆ दॆत! अहि मिल मॆ चीनी कॆ संग‌ संग‌ इथ‌नाँल‌ कॆ उत्पाद‌न‌ सॆहॊ हॊय‌त‌!
उम्ह‌र‌ स‌म‌स्त‌ मिथिलांच‌ल‌ मॆ कालॆब‌जारि कॆ च‌ल‌तॆ र‌सॊई गैस‌ कॆ भारि किल्ल‌त‌ अछि! लॊग‌क‌ आक्रॊस‌ श‌नि दिन‌ म‌धुब‌नी द‌र‌भंगा मुख्य‌प‌थ‌ प‌र‌ आबि गॆल‌ प‌रिष‌द‌ बाजार‌ कॆ साम‌नॆ घंटॊ उप‌भॊक्ता स‌ब‌ जाम‌ ल‌गा दॆल‌खिन‌! आक्रॊशित‌ ज‌न‌ता स्थानीय‌ गीतांज‌लि गैस‌ कॆ खिलाफ‌ जैम‌क‌ नारॆबाजी कॆल‌नि! हिन‌का लॊकिन‌ कॆ क‌ह‌नाई छिय‌नि जॆ नंब‌र‌ ल‌गॆनाय‌ कॆ बादॊ गैस‌ द‌ई मॆ ई स‌ब‌ टाल‌म‌टॊल‌ क‌ र‌ह‌ल‌ छिया आ गैस‌ कॆ कालॆबजारि क‌ र‌ह‌ल‌ छिया!