"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, May 31, 2012

आब रोमिंग पर नहीं लागत शुल्क


कैबिनेट के बुधदिन के बैठक में नव दूरसंचार नीति के मंजूरी द देल गेल । अहिमें मोबाइल फोन पर रोमिंग शुल्क समाप्त करे आ उपयोगकर्ता के देश भरि में हुनक खुद के नंबर बरकरार रखई के प्रस्ताव अछि।

बैठक के बाद एक वरिष्ठ मंत्री कहला कि कैबिनेट  राष्ट्रीय दूरसंचार नीति 2012 के मंजूरी द देलक अछि ।

नीति का उद्देश्य दूरसंचार ग्राहकों के मुफ्त रोमिंग आ हुनका अपन सर्किल स बाहर खुद के मोबाइल नंबर बिना कोनो अतिरिक्त शुल्क देने बगैर  बरकरार राखै के सुविधा देबाक छई।

Wednesday, May 30, 2012

बिटिया बचाओ अभियान स आमिर खान के जोडल जायत


 बिहार के स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहलैनी कि प्रदेश में बिटिया बचाओ अभियान स सिने अभिनेता आमिर खान के जोडल जायत  आ अहि की लेल हुनका स संपर्क साधल जा रहल अछि. पटना में संवाददाता के संबोधित करैत चौबे कहला कि बिटिया बचाओ अभियान स सिने अभिनेता आमिर खान के जोडल जायत आ अहि के लेल हुनका स संपर्क साधल जा रहल अछि.
ओ कहला कि बिहार में बिटिया बचाओ अभियान में आमिर के अलावा जे कोनो  जाने-माने लोग जुडना चाह ता हुनक स्वागत छैन. कन्या भ्रूण हत्या के ल क आमिर खान द्वारा कायल गेल प्रयास के सराहना करैत चौबे कहला कि इ देश में एक नीक शुरुआत अछि आ हुनका भारत सरकार द्वारा पदम-श्री अथवा पदम-विभूषण सम्मान स सम्मानित  कायल जेबाक चाही .
ओ बिटिया के बचाव के प्रकृति, पर्यावरण आ सृष्टि के लेल जरुरी बतावैत कहला कि आगामी 30 मई स भागलपुर जिला स अभियान शुरु कायल जायत आ आ अहि के लेल ओतय के अजगैबीनाथ धाम स सुल्तानगंज स्थित बूढानाथ धाम तक पद यात्र करता आ हजारों लोगों के उपस्थिति में गंगा नदी के किनारे बिटिया बचावई के  संकल्प लेता. मंत्री जी ई स्वीकार केला कि प्रदेश में कन्या भ्रूण हत्या के रोकई में जतेक सफलता भेटबाक चाहि से अखनी तक  नहीं भेटल अछि.
बिहार में कन्या भ्रूण हत्या के रोकई के लेल बनायल गेल कानून के सख्ती स लागू कायल जायत आ अहिमे संलिप्त लोग के खिलाफ कार्रवाई होयत संगही पूरा शक्ति के संग अहि के ल क लोगों के बीच जागरुकता पैदा करे के लेल अभियान छेडल जायत.
ओ कहला कि प्रदेश में जाही जिला में अल्ट्रा साउंड केंद्र अधिक संचालित अछि ओतय लड़की के संख्या कम भेला. चौबे कहला कि बिहार में अहि वर्ष जनवरी तक अल्ट्रा साउंड केंद्रों के कुल संख्या 1145 छल आ ई  संख्या वास्तविक आंकडा स कम प्रतीत होयत.
ओ कहला कि प्रदेश में चार अल्ट्रा साउंड केंद्र के कन्या भ्रूण हत्या में संलिप्त पायल गेल अछि , जाही में स एक वैशाली जिला मुख्यालय हाजीपुर के मंगलम अल्ट्रा साउंड केंद्र आ पटना जिला में फोर्ड आ मौर्य अल्ट्रा साउंड केंद्र शामिल अछि.
मुंबई में प्रदेश के कैंसर रोग के इलाज करा रहल मरीज के स्थिति के सर्वे क पटना लौटल मंत्री कहला कि ओतय इलाज करावई गेल 80 प्रतिशत मरीज के ई जानकारी नहीं छैन कि अहि के लेल राज्य सरकार के ओर स कोण आर्थिक मदद भेट सकैत अछि.

Sunday, May 27, 2012

मैलोरंग आ ईसामाद गीतकार सुधीर झा केन्द्रित संगीत संध्या के आयोजन केलक

कालि सांझ दिल्ली के राजेंद्र ऑडिटोरियम पूरा मिथिला मय छल मौका छल मैलोरंग आ ईसामाद के संयुक्त तत्वाधान में  प्रसिद्ध गीतकार श्री सुधीर झा केन्द्रित संगीत संध्या के. अहि आयोजन में मैथिलि में प्रसिद्ध गायक गायिका सुधीर झा के लिखल गीत के अपन गायन स दर्शक के मनमोही लेलखिन. अहि कार्यक्रम के विशेष केंद्र विश्व प्रसिद्ध वाइलिन वादक उस्ताद जौहर अली छलैथ.
मैलोरंग आ ईसामाद के संयुक्त आयोजन में आयोजित अहि कार्यक्रम के शुरुवात मैथिलि थियेटर आ फिल्म के प्रसिद्ध अभिनेत्री " रंजू झा " के श्रधांजलि के संग शुरुवात भेल. (बतादी की पिछला ३० अप्रैल क जानकी नवमी दिन जनकपुर में अलग मिथिला राज्य के लेल धरना के समय एक बम हताशा में इ सदा के लेल अपन मिथिला के मैट में समां गेली. ) सुधीर जी के द्वारा मैथिलि में लिखल  "हम बिहार छी"  स शुरू भेल रंगारंग कार्यक्रमक दौर तनिषा, बोबी, आ ज्योति के कत्थक नृत्य शैली में  मनमोहक नृत्य प्रस्तुति स  भेल. मैथिली में भेल इ नव प्रयोग एकही गीतकार के द्वारा लिखल गेल गीत के विभिन्न गायक अपन स्वर स सुशोभित केलखिन  जाहिमे मैथिलि मंच के प्रसिद्ध गायक देवानंद, ऋचा ठाकुर , आमोद कुमार झा , भास्कर झा , अंजू झा , विकाश झा , धनिक लाल मंडल , रश्मि , सुनील पवन आदि अपन सुन्दर गायन स दर्शक के मंत्र मुग्ध कय देलखिन.  मंच पर आयल मैथिलीक युवा गायक "देवानंद" सरस्वती वंदना " हंस पर भए क सवार छेडी देलनि वीनाक तार" आ " दूध रोटी गुडी क खुआ दे ने, चन्ना वाला किस्सा सुना दे ने"  श्रोता के भावबिहीन कय देलखिन .  फेर आयल ऋचा ठाकुर, मैथिलीपुत्री एही गायिका क शत-शत नमन जे शारीरिक विकलांगता क वाबजूद अपन गायन म कोनो कमी नै रखलक आ मंच पर श्रोता क बांधले रखली . मंच पर  भोला शर्मा जीक तबला, आ सोमेश्वर बाबुक बासुंरी, मुरारी भाई क नाल आ एकलाख भाई क बेन्जो दर्शक म शमा बन्हले राखला . सुनील कुमार पवनक " एही दुनिया म सबसों पवन, सब अवगुण के झापल, से अछि माँ के आँचर, से अछि माँ के आँचर, आ भूर्ण हत्या पर लिखल ई गीत बेटीक जनम स डेराय क, अल्ट्रा मशीन स जंचाय क, गर्भ मारे बेटी करबे गर्भपात, संतानक हत्या स बढ़ी क कोण पाप" दर्शक मंत्रमुग्ध कए देलक . आजुक कार्यक्रम के विशेष केंद्र उस्दाद जौहर अली के अद्भुत प्रस्तुति स दर्शक काफी उत्साहित छला. उस्दाद जौहर अली के ईसमाद के संचालक  आशीष जी मैलोरंग के प्रतिक चिन्ह स सम्मानित केलखिन  अहि की आलावा मैलोरंग के बिभिन्न कलाकार द्वारा गायक गायिका सब के  मैलोरंग के प्रतिक चिन्ह  स सम्मानित कायल गेल.आजुक अहि  मंच के सञ्चालन  प्रकश झा क रहल छला. जहनी की कार्यक्रम के सफल बनाबई में ईसामाद के संचालक आशीष झा , सुनील कुमार झा आ पूरा मैलोरंग टीम लागल छल.    


Wednesday, May 23, 2012

मिथिलाप्रांतक निर्माण आ ओकर उत्थानक लेल जीवनपर्यन्त संघर्षशील डॉक्टर लक्ष्मण झा

महात्मा गाँधी क सिद्धायंतक अनुगामी, स्वतंत्रता -संग्रामक योध्दा , राष्ट्रभारतीक प्रति अपार स्नेहशील , मातृभाषा मैथिलीक अनन्य उपासक , मिथिलाप्रांतक निर्माण आ ओकर उत्थानक  लेल जीवनपर्यन्त संघर्षशील डॉक्टर लक्ष्मण झा ( ५ सितम्बर १९१६) एक प्रखर उच्च्कोटिक विद्वान् छला.  मैथिलीक अतिरिक्त हुनका अंग्रेजी , हिन्ढी, संस्कृत भाषा में सामान रूपसँ अधिकार छलनी. १९४९ में " मिथिला एंड मगध  " विषय पर लन्दन विश्वविद्यालयसँ P.H.D क उपाधि प्राप्त क कैम्ब्रिज आ ऑक्सफोर्ड   विश्वविद्यालयमें अध्यापन कार्यक लेल निमंत्रणकें छोड़ी ओ दशक सेवा करबाक हेतु वापस अयलाह.  किछु दिनक बाद बिहार सरकारक पटना स्थित कशी प्रसाद जयशवाल स्गिद्ग संस्थानमे उपनिदेशक पद पर कार्य केलैनी. १९५२ में सोशलिस्ट पार्टिक टिकेट पर लोगसभाक चुनावमे उम्मीदवार बनला.
१९५०-५१ सँ लय जीवनक अंतिम समय धरी डॉक्टर लक्षमण झा सारस्वत साधना में निरंतर लागल रहला. हुनक मिथिला आ मैथिलीक संबंध में १५ गोट पोथी मैथिली, अंग्रेजी आ हिन्ढी में प्रकाशित छनि. एकर अतिरिक्त अंग्रेजी में ११ , मैथिली में ४ आ हिन्ढी में १ टा प्रकाशित ग्रन्थ अछि. १९७७-७८ तक इ L.N.M.U के कुलपतिक पदकें गौरवान्वित कयलनी.
अपन मातृभूमि मिथिला ओ मातृभाषा मैथिलीक उत्थानक लेल जीवनभरि कार्य  आ चिंतनमें लागल मिथिलाक बिभूति डॉक्टर लक्ष्मण झा अपना गाम रसियारी में २३ जनवरी २००० क अपन अनंत यात्रा पर विदा भ गेला. 

Tuesday, May 22, 2012

मुझे मालुम नही था जो मैथिली भाषा इतनी मीठी है :- शिला दीक्षित

 बीतल रविदिन दिल्ली के मावलंकर सभागार में अखिल भारतीय मिथिला संध द्वारा एक दिवसीय मिथिला बिभूति पर्व समारोह के आयोजन कायल गेल.  एहि समारोह के मुख्य अतिथि छलीह दिल्ली के मुख्यमंत्री श्रीमती शीला दीक्षित. संगही समारोह में सांसद आओर मध्य प्रदेश बीजेपी अध्यक्ष डॉ प्रभात झा, सांसद महाबल मिश्र जी, पूर्व सांसद डॉ गौरीशंकर राजहंस जी, डॉ मृदुला सिन्हा आ दिल्ली के विधायक एससीएल गुप्ता, अनिल झा जी , पूनम आजाद संगही दिल्ली स नव निर्वाचित मैथिल पार्षद आदि उपस्थित छलैथ आ आम्रपाली ग्रुप के C.M.D अनिल शर्मा सेहो मंच पर उपस्थित छला.
कार्यक्रम के उद्घाटन दिल्ली के मुख्यमंत्री शिला दीक्षित दीप प्रज्वलित आ विद्यापति में फोटो पर माल्यार्पण कय केलैनी. अपन संबोधन भाषण में मुख्यमंत्री कहलैनी की "  मुझे मालुम नही था जो मैथिली भाषा इतनी मीठी है। मुझे आज यह भाषा सुनकर बङा अच्छा लगा  ". अपन संबोधन में ओ कहली की दिल्ली के विकास में बिहारी के बहुत योगदान अछि आ खास कय क मिथिला क्षेत्र के लोग के. 
मिथिला आ मैथिलि क्षेत्र स जुरल बिभिन्न लोग के अहि मंच स सम्मानित सेहो कायल गेल. 
कार्यक्रम के शुरुवात आमोद कुमार झा जय जय भैरवी के गायन स केलैनी. जहैनी की अन्य गायक में पवन नारायण , अंशुमाला झा , रश्मि , जुली , विपिन मिश्र आदि अपन गायन स दर्शक के मंत्र मुग्ध कय देलखिन. देर राति तक चलई वाला अहि कार्यक्रम में दर्शक दीर्घा खचाखच भरल छल.
समारोह के सफल बनैबा मे संजीव कुमार मिश्र , अखिलेश झा , भवेश नंदन , विजय झा, रोशन झा आदि के  महत्वपूर्ण योगदान  छल.

विशेष दर्जा आ केंद्रीय विवि बनल एनडीए के हथकंडा

बिहार के विशेष दर्जा आ मोतिहारी में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलई के मांग के एनडीए अपन राजनीतिक हथकंडा बनेलक अछि । विशेष दर्जा के मुद्दे पर त सत्ताधारी गठबंधन के घटक जदयू आ भाजपा के बीच अगुवाई के अघोषित जंग छिड़ गेल अछि। अखनी तक जदयू के अहि मांग में हां में हां मिलावई  वाला भाजपा खुले तौर पर एकर अगुवाई के एलान बेगूसराय के राज्य कार्यसमिति के बैठक में केलक। ओही कड़ी में सोमदिन पार्टी  राज्य के सब संगठन जिला मुख्यालय पर एक दिवसीय धरना दय क केंद्र पर दबाव बनावई के कोशिश केलक अछि। 


फीका रहा आगाज


भाजपा के विशेष दर्जा अभियान के आगाज पटना में फीका देखायल। संसद सत्र चलई के कारण प्रदेश अध्यक्ष समेत पार्टी सांसद नदारद छला । पटना के कारगिल चौक पर धरना के कमान पटना जिला के भाजपा विधायक अरुण सिन्हा, नितिन नवीन, ऊषा विद्यार्थी के अलावा महानगर आ ग्रामीण इकाई के नेता-कार्यकर्ता संभालने छाला। जहनी की सासाराम में मंगल पांडे, बेतिया में लालबाबू प्रसाद, छपरा में संजय मयूख, बेगूसराय में सुधीर शर्मा, लखीसराय में प्रेमरंजन पटेल, अररिया में संजीव चौरसिया समेत पार्टी विधायक-विधान पार्षद आ प्रदेश पदाधिकारि धरना के नेतृत्व केलैनी। पटना के धरना के अगुवाई क रहल अरुण सिन्हा कहला कि विशेष दर्जा के मांग जनता के आवाज अछि। केंद्र सरकार ओकरा अनसुना कर रहल अछि। हम एहेन आंदोलन खड़ा करब जाही स केंद्र के मजबूर भ विशेष दर्जा देबय पड़ते। 


सांसदों ने बनाया दबाव


नई दिल्ली में एनडीए सांसद के प्रतिनिधिमंडल प्रधानमंत्री डॉक्टर मनमोहन सिंह स मुलाकात कय मोतिहारीये में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलई के मांग दोहरेला। सांसद केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल पर नकारात्मक रवैया के आरोप लगावैत कहला कि बिहार के नीतीश सरकार समावेशी विकास आ राज्य के जनभावना के अनुरूप मोतिहारी में केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलअ  चाहैत छैथ। प्रतिनिधिमंडल में सांसद राधामोहन सिंह, शाहनवाज हुसैन, डॉक्टर सीपी ठाकुर, भोला सिंह, निखिल कुमार चौधरी, कौशलेंद्र कुमार, जयनारायण निषाद, विश्वमोहन कुमार आदि शामिल छला।

मिथिलाक आवाज बनी का आवी रहल अछि मैथिलि दैनिक अखवार " मिथिला आवाज "

मिथिलाक आवाज बनी का आवी रहल अछि मैथिलि दैनिक अखवार " मिथिला आवाज ". इ अखवार आगामी २८ जुलाई स दरभंगा स प्रकाशित भ रहल अछि. दरभंगा स प्रकाशित इ समाचार पत्र सम्पूर्ण मिथिला में अपन पहुच राखत. १२ पृष्ट के अहि अखवार के संपादन के कार्य डॉ. सी एम झा देख रहल छैथ जहैनी की अरविन्द कुमार ठाकुर कार्यकारी संपादक रहता. १२ पेज के अहि अखवार में स्थानीय खबर स लय क देश दुनिया के खबर सेहो रहत. अखवार में ४ रंगीन पृष्ट सेहो रहत. मैथिलि में अखन तक एक मात्र दैनिक समाचार पत्र के प्रकाशन कलकता स भ रहल अछि मुदा एकर पहुच कलकते अछि. मिथिला आवाज पहिल मैथिलि अखवार अछि जे मिथिला स प्रकाशित भ रहल अछि. उक्त बात अखवार के C.E.O अजित आजाद जी देलैनी.