"अपन भाषाक अखवार " मिथिला आवाज " पढवाक लेल क्लिक करू www.mithilaawaz.org E mail - sonumaithil@gmail.com Mobile-9709069099 & amp; 8010844191

Thursday, April 12, 2012

सब गोटे के जुड़शीतल आ नववर्ष के हार्दिक शुभकामना

शिक्षा आब हर बच्चा के मौलिक अधिकार

देश की शीर्ष अदालत आई शिक्षा का अधिकार कानून 2009 के संवैधानिक वैधता के बरकरार रखलक, जाहिमे देशभर के सरकारी आ गैर सहायता प्राप्त निजी स्कूल में गरीब के 25 प्रतिशत निशुल्क सीटें समान रूप स भेटत।

मुख्य न्यायाधीश न्यायमूर्ति एस एच कपाड़िया, न्यायमूर्ति के एस राधाकृष्णन आ न्यायामूर्ति स्वतंत्र कुमार के पीठ बहुमत के आधार पर कहला कि कानून सरकारी आ गैर सहायता प्राप्त निजी स्कूल में समान रूप स लागू होयत । केवल गैर सहायता प्राप्त निजी अल्पसंख्यक स्कूल अहि के दायरा स बाहर रहत।

न्यायमूर्ति राधाकृष्णन अहि स असहमति जतावैत कहला कि ई कानून ओही गैर सहायता प्राप्त निजी स्कूल आ अल्पसंख्यक संस्थान पर लागू नहीं होयत जे सरकार स कोनो सहायता या अनुदान हासिल नहीं करैत अछि।

शीर्ष अदालत ई स्पष्ट केलक कि ओकर फैसला तुरंत प्रभावी होयत। एकर मदलब भेल कि कानून बनई के बाद स पूर्व में भेल दाखिल पर ई फैसला लागू नहीं होयत। दोसर शब्दों में शीर्ष अदालत कहलक कि अहि फैसला के प्रभाव पिछला तारीख स नहीं बल्कि अहि के बाद स होयत।

शीर्ष न्यायालय के तीन सदस्यीय पीठ पिछला वर्ष तीन अगस्त क गैर सहायता प्राप्त निजी संस्थान द्वारा दाखिल याचिका पर अपन फैसला सुरक्षित रखलक। अहि याचिका में कहल गेल छल की शिक्षा के अधिकार कानून निजी शैक्षणिक संस्थान के अनुच्छेद 19 [।] [जी] के अंतर्गत गेल अधिकार के उल्लंघन करैत अछि, जाहिमे निजी प्रबंधक के सरकार के दखल के बिना अपन संस्थान चलावई की स्वायतत्ता प्रदान गेल अछी।

मामला में लंबा समय तक चलल जिरह के दौरान केंद्र कानून के पक्ष में दलील दैत कहलक कि एकर उद्देश्य समाज के सामाजिक आ आर्थिक रूप स पिछड़ल वर्ग के जीवन स्तर में सुधार अनवाक अछि।

ई कानून संविधान मेंच्अनुच्छेद 21 [ए] के प्रावधान के जरिए तैयार कायल गेला, जे कहैत अछि कि सरकार छह स 14 वर्ष के आयु के सभ्च्ी बच्चा के निशुल्क आ अनिवार्य शिक्षा प्रदान करत ।

'एम्स' के प्रगति पर निगरानी के बनल कमेटी

पटना हाईकोर्ट 'एम्स' (फुलवारीशरीफ) के निर्माण में शिथिलता पर आपत्ति जतावैत एकर निगरानी के लेल तीन सदस्यीय कमेटी बनेलैथ हे। कमेटी में 'एम्स' के निदेशक जीपी सिंह, केन्द्रीय स्वास्थ्य निदेशक राकेश कुमार आ बिहार के संयुक्त स्वास्थ्य सचिव संजय कुमार शामिल छैथ। न्यायाधीश पीसी वर्मा आ न्यायाधीश एके त्रिवेदी के खंडपीठ 'काउंसिल फार प्रोटेक्सन आफ पब्लिक राइटस एण्ड वेलफेयर' के लोकहित याचिका पर सुनवाई करैत बुधदिन ई निर्णय देला।

कोर्ट के मुताबिक ई कमेटी हर समय 'एम्स' के निर्माण में आवि रहल दिक्कतों के बारे में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ केन्द्र सरकार के बतायत । कमेटी इ सेहो देखत कि निर्माण कार्य में लगायल जा रहल सामग्री स्तरीय अछि वा नहीं? एकर जिम्मा भूमि अधिग्रहण, पथ निर्माण आ बुनियादी सुविधाओं के निगरानी के काम होयत।

कोर्ट कहलक कि 'एम्स' के राष्ट्रीय स्तर के बनायल जेबाक चाहि। अहि के लेल पहुंच रोड बेहतर आ चौड़ा हेबाक चाहि। आवागमन के बेहतर सुविधा हेबाक चाहि। फ्लाईओवर के निर्माण हेबाक चाहि। 2 अक्टूबर स 'एम्स' कार्यरत भ जेबाक चाहि। कोर्ट ने साफ कय देलक अछि कि जहिया तक पटना एम्स के लेल अलग स कानून नहीं बनी जैत अछि , ता धरी दिल्ली एम्स के तरह कामकाज होयत । अहि मामला के अगला सुनवाई 25 अप्रैल क होयत ।

Wednesday, April 11, 2012

ताराकांत झा के टिकट नहीं भेटला स मिथिला के राजनीती में पड़त असर

बिहार विधान परषिद के सभापति ताराकांत झा के भारतीय जनता पार्टी अहि बेर टिकट नहीं देलकैनी. भाजपा अध्यक्ष नितिन गडकरी के आवास पर भेल भाजपा संसदिये दल के बैठक में सुशील कुमार मोदी के दोवारा टिकट भेटल त ओताहिये ब्राहम्ण कोटा स श्री झा के जगह मंटू पांडये के टिकट भेटल. श्री झा के टिकट नहीं भेटला स मिथिलांचल के लोग में काफी नाराजगी अछि. अहि स मिथिलांचल में भाजपा के सेहत प्रभावी भ सकैत अछि.मिथिलांचल के लोग एकरा एक टा साजिस स जोड़ी क देख रहल अछि. मैथिलि भाषा के संविधान के आठवी अनुसूची में शामिल करे के व्यापक आन्दोलन स ल क विश्व प्रसिद्ध सौराठ में मिथिला इंस्टिट्यूट ऑफ़ पेंटिंग, ठाढ़ी में वाचस्पति मिश्र के स्मारक के निर्माण आदि स मिथिलांचल में हुनक काफी प्रभाव अछि.

नीतीश, मोदी आ राबड़ी भरलैनी अपन अपन नामांकन पत्र

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी आ पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी सहित 11 उम्मीदवार आई विधान परिषद के सीट के लेल 26 अप्रैल क होई वाला चुनाव के लेल नामांकनपत्र दाखिल केलैनी।

मुख्यमंत्री नीतीश विधानसभा के सदस्य नहीं छियाथ। ओ लगातार दोसर बेर विधान परिषद के सदस्य बनय के लेल नामांकनपत्र दाखिल केलैनी। नीतीश के अलावा जनता दल [युनाइटेड] की ओर स कृषि मंत्री नरेंद्र सिंह, ग्रामीण कार्य विभाग के मंत्री भीम सिंह, जद [यु] के प्रवक्ता संजय सिंह, उपेंद्र प्रसाद आ रामाश्रय प्रसाद सिंह विधानसभा के सचिव सह निर्वाचन पदाधिकारी लक्ष्मीकांत झा के समक्ष नामांकनपत्र दाखिल केलैनी।

ओतय, भारतीय जनता पार्टी [भाजपा] के ओर स मोदी के अलावा सत्येंद्र कुशवाहा, उपेंद्र पांडेय आ लालबाबू प्रसाद नामांकनपत्र दाखिल केलैनी। संगही ही राष्ट्रीय जनता दल [राजद] के ओर स राबड़ी देवी सेहो विधान परिषद चुनाव के लेल नामांकनपत्र दाखिल केलैनी। बतादी की बिहार में अगिला महिना के पहिल सप्ताह में रिक्त होई वाला 11 सीटों के लेल 26 अप्रैल क मतदान होयत। अहि के लेल नामांकनपत्र दाखिल करे के अंतिम तिथि 16 अप्रैल अछि।

अहि मौका पर मुख्यमंत्री ने कहला कि सतारूढ़ भाजपा-जद [यु] गठबंधन में विधान परिषद चुनाव के ल क कोनो तरह के मतभेद नहीं अछि। दुनु दल में सर्वसम्मति बनल अछि है कि जद [यु] अपन छह प्रत्याशिय के मैदान में उतारत ।

जीवन में सबस अहम खुशी अछि -युवराज सिंह

कैंसर स उबरला के बाद स्वदेश वापसी के बाद चैंपियन क्रिकेटर युवराज सिंह बुधदिन कहला कि हुनका अहसास छैन कि पूरा देश हुनका जल्द मैदान पर देख चाहैत छैन आ ओ वापसी जरूर करता लेकिन अखनी ई नहीं कही सकैत छि जे हम कहिया तक वापसी करब। संगही ओ अपन मां शबनम के अपन सबस पैघ प्रेरणास्रोत बतेलैनी।

अमेरिका में कीमोथेरेपी के तीन चरण आ लंदन में किछ दिन रिहैबिलिटेशन के बाद लौटला के बाद युवराज अपन पहिल प्रेस कांफ्रेंस में कहला की, ईश्वर के शुक्र अछि कि हमर जिंदगी लौट आयल। हमारा पता अछि कि पूरा देश के मैदान पर हमर वापसी के बेताबी स इंतजार छैन। हम शत-प्रतिशत फिट भेलाक बड़े मैदान पर वापसी करब। हम खुश छि कि आम आदमी के तरह खा पी सकैत छि। युवराज ने अपन मां शबनम के पिछला कुछ महीना में अपन सबस पैघ संबल बतेला । ओ कहला की , हमर सबस पैघ सहारा हमर मां छियाथ।

महान साइकिलिस्ट लांस आर्मस्ट्रांग स हमरा प्रेरणा भेटल ओ हमर जिंदगी के असली हीरो छियाथ। ओ महान खिलाड़ी छियाथ आ हुनक उपलब्धि लाजवाब अछि। हमरा लेल वापसी केनाई हमर सबस पैघ उपलब्धि अछि। बीमारी के दौरान अहसास भेल कि परिवार, दोस्त, खुशी आ स्वास्थ्य जीवन के लेल सबस महत्वपूर्ण अछि। अपन मां के बारे में युवराज कहला कि ओ हमेशा कानाअ लागैत छलैथ लेकिन हुनक मां मजबूत बनल रहैत छलैथ। ओ कहला की, पिछला दू महीना में हमर मां एको बेर नहीं कनली । कतेको बेर हम बच्चा के तरह कानाय लागैत छलौ त ओ हमरा तसल्ली देत छलैथ। युवराज अपन अनुभव आ जीवन में आएल बदलाव पर एक किताब लिखै के सोची रहल छैथ । ओ कहला की, लिखै की सोच रहल छि । ई किताब जल्दिये आयत। हमर जिंदगी बदल गेल आ हमरा अहसास भेल कि जीवन में सबस अहम खुशी छई ।

इंडोनेशिया समेत भारत के कई इलाका भूकंप स दहल गेल

इंडोनेशिया समेत भारत के कई इलाका भूकंप स दहल गेल. भूकंप के केंद्र इंडोनेशिया के सुमात्रा द्वीप छल, जतय एकर तीव्रता 8.7 दर्ज कायल गेल.

तेज भूकंप के बाद हिंद महासागर में सुनामी के चेतावनी जारी कय देल गेल छल. भारत में पश्चिम बंगाल, असम, कर्नाटक, तमिलनाडु आदि राज्‍यों में सेहो भूकंप के झटका महसूस कायल गेल. भारत के अंडमान-निकोबार द्वीप समूह आ तटीय इलाक में सुनामी के आशंका जतायल जा रहल छल.

समाचार एजेंसी सिन्हुआ के अनुसार भूकम्प के केंद्र सुमात्रा द्वीप में 33 किलोमीटर के गहराई पर छल.

कोलकाता में भूकंप के झटका दिन में 2 बज क 10 मिनट पर महसूस कायल गेल. अलग-अलग जगह पर भूकंप के अवधि 30 सेकेंड से ल क 1 मिनट तक रहल. कोलकाता में भूकंप के बाद कई इमारत में दरार देखल गेल.

हामिद अंसारी विधान परिषद के शताब्दी समाव‌र्त्तन समारोह के उद्घाटन करता

पटना, उप-राष्ट्रपति हामिद अंसारी वृहस्पति दिन श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल में दीप प्रज्वलित क विधान परिषद के शताब्दी समाव‌र्त्तन समारोह के उद्घाटन करता। उप-राष्ट्रपति द्वारा समारोह में छह पुस्तक के लोकार्पण सेहो कायल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार विधान परिषद परिसर स्थित कबीर वाटिका में स्थापित शताब्दी स्तंभ के उद्घाटन सेहो करता। अहि शिलापट्ट पर परिषद के वर्तमान सदस्य के नाम अंकित अछि। अहि स्थल पर रात्रि में भोज के सेहो आयोजन अछि।

उप-राष्ट्रपति वृहस्पति दिन पूर्वाह्न 11.00 बजे पटना हवाई अड्डा पहुंचता आ राजभवन के लेल प्रस्थान करता। ओ 11.20 बजे आयोजन स्थल पर पहुंचता ,जतय परिषद के सभापति ताराकांत झा हुनका पुष्प गुच्छ स स्वागत करथिन । अहि के बाद राज्यपाल देवानन्द कुंवर आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के भाषण होयत। समारोह में उप राष्ट्रपति के हाथ स विधान परिषद के इतिहास दूसरा खण्ड, राजनीतिक व्यवस्था ,शासन प्रणाली आ निर्वाचन प्रक्रिया, अतुल्य बिहार, इतिहास की आवृति, शताब्दी स्मारिका आ इतिहास के झरोखे के लोकार्पण होयत।

Tuesday, April 10, 2012

आगामी रवि दिन मुंबई में मनाओल जायत बिहार शताब्दी दिवस

आगामी रविदीन संध्या ५ बजे मुंबई के चुन्नाभाठी ग्राउंड में बिहार शताब्दी दिवस मनाओल जायत अहि अवसर पर बिहार के माननीय मुख्यमंत्री श्री नीतिश कुमार मुंबई मुख्य अतिथि के रूप में ओतय उपस्थित रहता . कार्यक्रम के सफल बनवाई के लेल आयोजन के संजोयक श्री देवेस चन्द्र ठाकुर एम.एल .सी. (सीतामढ़ी) संग समस्त कार्यकर्ता जोर सोर स प्रयास कय रहल छैथ.

Monday, April 9, 2012

मैथिली अनुवादित आनंद मठ पुस्तक के विमोचन भेल

मैथिली भाषा साहित्य में शनिदिन एक और पुस्तक के नाम जुड़ गेल। मधुबनी के विनोदा नंद झा कॉलोनी निवासी प्रसिद्ध साहित्य सेवी आ लेखक डा. योगानंद सुधीर द्वारा बंगला के प्रसिद्ध व कालजयी बंकिमचंद्र चटोपाध्याय द्वारा लिखित उपन्यास आनंद मठ के मैथिली में अनुवाद क मां मैथिली के चरण में पुस्तक रूपी पुष्प समर्पित केलैनी।

डा. सुधीर के आवासीय परिसर में साहित्य साधाना स्थली, मधुबनी के तत्वावधान में साहित्य अकादमी पुरस्कार स सम्मानित उदय चंद्र झा विनोद, मोहन भारद्वाज, डा. भीम नाथ झा, डा. देवकांत झा सरीखे मैथिली साहित्य के पुरोधा पुरूष सहित अन्य के उपस्थिति में अहि पुस्तक के विमोचन भेल। वामदेव झा के अध्यक्षता आ डा. अमर नाथ झा के संचालन में सर्वप्रथम गंगाराम झा आगत विद्वान के स्वागत करैत डा. योगानंद सुधीर के लेखनी के बारे में विस्तार स जानकारी देलैनी। डा. सुधीर द्वारा पूर्व में लिखित अन्य पुस्तक के हवाला देत कहला कि ओ नित्य प्रतिदिन मैथिली साहित्य के भंडार बढ़ा में लागल छियाथ। जे मैथिलीे के लेल शुभ संकेत अछि। हुनका स प्रेरणा ल क युवा के लेखन के क्षेत्र में आगा ऐबाक चाही।

अहि अवसर पर रमानंद रमण, फूल चंद्र झा प्रवीण, रानी झा, रूद्र कांत पाठक, डा. नरेन्द्र नारायण सिंह निराला, प्रो. दमन कुमार झा, कुलधारी सिंह, बेचन झा, महादेव मिश्र, अरविंद कुमार सिंह, सुमन कुमार झा, कुंजन कुमार पुट्टी, पारस कुमार सिंह, कार्तिक कुमार सहित एक सौ स बेसी साहित्यानुरागी उपस्थित छला। धन्यवाद ज्ञापन लंबोदर झा केलैनी।

फोटो:- दैनिक जागरण


Sunday, April 8, 2012

दुनिया के सौ प्रभावशालि में नीतीश

दुनिया के 100 सबस अधिक प्रभावशाली लोग में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 45 वा नबंर पर छियाथ . प्रतिष्ठित पत्रिका टाइम दुनिया के 100 प्रभावशाली लोग के चुनाव करवाई के लेल आनॅलाइन वोटिंग करेने छल. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के पक्ष में 13,400 वोट पड़ल,जहनी की हुनका विरुद्ध 3865 वोट पड़ल. गुजरात के मुख्यमंत्री नरेंद्र मोदी तेसर नंबर पर छियाथ.

खास बात ई अछि कि मोदी के पसंद स ज्यादा लोग नापसंद केलैनी. हुनका पसंद करै वाला लोग के संख्या 2,56,792 छैन, ओतय हुनका नापसंद करै वाला लोग के संख्या 2,66,684 छैन. अमेरिकी राष्ट्रपति बराक ओबामा अहि सूची में 21 वें नबंर पर छियाथ. हुनका 25,373 वोट भेटलैनी. हुनका विरुद्ध 23783 वोट पड़लेनी. अहि तरहे ओबामा के पसंद करै वाला के तुलना में नापसंद करई वाला की संख्या कनिए कम छैन.

भ्रष्टाचार के खिलाफ देश में अभियान चलावई वाला अन्ना हजारे ओबाम के ठीक नीचा छियाथ. हुनका 23977 वोट भेटलैनी. हुनका विरुद्ध 3340 वोट छैन. हजारे 22 वें स्थान पर छियाथ. अहि सूची में सचिन तेंडुलकर 25 वा सथान पर छियाथ.

तेंडुलकर के पक्ष में 20962 वोट छैन, जहैनी की हुनका विरुद्ध 5672 वोट छियानी. बॉलीवुड अभिनेत्री विद्या बालन 33 वा नंबर पर छियाथ. हुनका 16982 वोट भेटलैनी. अभिनेता सलमान खान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स काफी नीचा 60 वें स्थान पर छियाथ.

Saturday, April 7, 2012

राबड़ी सर्वसम्मति स विधान परिषद प्रत्याशी घोषित

राजद विधानमंडल दल के बैठक शनिदिन लालू प्रसाद के 10 सर्कुलर रोड स्थित आवास पर भेल, जाही में सर्वसम्मति स पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी के विधान परिषद चुनाव के प्रत्याशी घोषित कायल गेल। आ एकर औपचारिकता रविदिन राजद संसदीय बोर्ड के बैठक में पूरा कायल जायत।

राजद विधानमंडल दल के बैठक में पारित प्रस्ताव में कहल गेल कि प्रदेश में काफी दिन स विधानमंडल आ पार्टी के भीतर नेतृत्व के अभाव खटक रहल अछि। एकर कमी के पूरा करई के लेल राबड़ी देवी के परिषद के सदस्य बनेनाई जरूरी मानाल जा रहल अछि। परिषद में विपक्ष के नेता पद पर राबड़ी देवी के विराजमान होई के संभावना अछि। अहि पद स गुलाम गौस के विदाई करीब तय अछि। राबड़ी देवी सेहो पटना पहुंच गेल छियाथ। ओतय राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद कहला कि पार्टी के जुझारू बनायल जायत ।

बैठक में राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद , प्रतिपक्ष के नेता अब्दुलबारी सिद्दीकी, उपनेता रामलषण राम रमण, मुख्य सचेतक सम्राट चौधरी, भाई वीरेन्द्र, ब्रजकिशोर सिंह, प्रदेश अध्यक्ष रामचन्द्र पूर्वे आ प्रधान महासचिव सांसद रामकृपाल यादव आदि उपस्थित छलैथ।

देश-दुनिया में होयत संस्कृत विवि के दखल

कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय जाही डगर पर अपन पांव पसारलक अछि अगर ओ कारगर भेल त जल्द देश-दुनिया में ओकर प्रभावी दखल होयत। विवि बेंगलुरु के आईटी कंपनी कान्टि सेमेंटीज प्रालि के संग मिल क प्रयोग के तौर पर शुक्रदिन एकर शुरुआत कय देलक। अहि योजना के तहत संस्कृत विवि स वीडियो श्रृंखलाएं जारी होयत। इ श्रृंखला कंपनी के उत्पाद निमिट के माध्यम स नासा के साथ पूरा विश्व में भेजल जायत। बताओल गेल कि हाल में नासा के रॉकेट साइंस में नव प्रयोग के लेल संस्कृत विद्वानों के जरूरत पूरा नहीं होई के रिपोर्ट देख क वीसी डॉ. अरविंद कुमार पांडेय अहि पर पहल करे के योजना बनेला आ शुक्रदिन स एकरा धरातल पर उतारे के प्रयास सेहो आरंभ कय देलैनी। कंपनी के निदेशक दीपक कुमार आ रूपेश कुमार कहलैनी कि आई वीसी चैंबर में साहित्य विभाग के प्राचार्य डॉ. देवनारायण झा आ डॉ. लक्ष्मीनाथ झा के व्याख्यान के 15-15 मिनट के वीडियो तैयार कायल गेला। आ एकरा जल्दिये जारी कायल जायत। अहि मौका पर वीसी डॉ. पांडेय विवि के ई अनोखी पहलकदमी पर सेहो प्रकाश देल गेल। ओ आशा जतेलैनी कि अहि माध्यम स संस्कृत नव ऊंचाइ के छू सकत। डीएसडब्ल्यू डॉ. जितेंद्र कुमार सेहो अपन विचार राखैत एकरा सरहानीय प्रयास कहलैनी।

Friday, April 6, 2012

चांदनी राति में गंगा के सैर

चांदनी राति में गंगा के सैर गुरुवार स शुरू भ गेल । पहिल दिन 30 लोग बिहार राज्य पर्यटन विकास निगम के फ्लोटिंग रेस्तरां स गंगा के सैर केलैनी आ शाकाहारी भोजन केलैनी।

अहि महिना पांच अप्रैल स आठ अप्रैल तक लोग चांदनी रात में गंगा के सैर क सकता। पर्यटन विभाग चार स छह मई तक के लेल सेहो बुकिंग शुरू क देलैनी। चांदनी राति में गंगा के सैर के साथ विभिन्न प्रकार के व्यंजनों के लुत्फ उठावई के लेल 450 रुपये लेल जा रहल अछि। पैकेज के लाभ गांधीघाट स खुल रहल फ्लोटिंग रेस्तरां स उपलब्ध अछि। रात आठ बजे स दस बजे तक फ्लोटिंग रेस्तरां गंगा के सैर करा रहल अछि। पूरा गर्मी में हर महिना पूर्णिमा के आसपास चार दिन तक चांदनी राति में गंगा के सैर होयत। सैर के साथ मनपसंद भोजन के सेहो लोग आनंद उठा सकता। निगम के टूर एण्ड ट्रेवल मैनेजर गजेन्द्र सिंह कहलैनी कि बुकिंग शुरू भ गेल अछि। पर्यटन निगम चांदनी रात में गंगा में दु घंटा तक भ्रमण करावई के संग शाकाहारी भोजन के 450 रुपया खर्च करा पडत।